Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




प्रकाश 6:9 - केवट नया कारार

9 जब बलि-भेंडा पचमा मोहर खोलल्कै, तब हमे वेदीके निच्चामे देख्लियै, ओत्ते ऊ आदमीसिके आत्मासब रहै, जेसब मार्ल गेलै रहे कहिनेकी ऊसब परमेश्वरके वचनके घोषणा कैल्कै रहे आर ऊसब येशू ही ओकरसिके प्रभु छै कहिके आपन विश्वाससे पाछु नैहट्लै रहे।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




प्रकाश 6:9
21 Iomraidhean Croise  

ऊसब तोरासिके यहूदी आदमीसिके सभाघरसे निकाली देतौ। एतनें ही नै, वास्तवमे एरंको समय आबैछै कि जे कोय तोरासिके जानसे मारि देतौ, ऊ अपने आपके सोच्तै कि एरं करिके हमे परमेश्वरके सम्मान करैछियै।


सेल्याके हमेसब निश्चिन्त रहैछियै आर जब हमेसब मर्बै ते, यी शरीरके छोडिके प्रभुके संगे आपनसिके घरमे रहना आरहौ भी उत्तम मानैछियै।


हमे नैजानैछियै कि यी दीटामे ककरा चुने पड्तै। मगर मरिके ख्रीष्टके संगमे हुऐके इच्छा छै, कहिनेकी यी बहुते बढियाँ छै,


जब हमे तोरासिके खुश-खबरी सुनैलियौ ते तुहेंसब प्रभु येशूमे विश्वास कैल्हैं आर ओकर सेवाके लिए आपन जीवनके बलिदान करि देल्हैं। सेल्याके यदि खुश-खबरी सुनाबैके कारण हमरा मारि भी देल जै, ते हमे भी तोरसिके संगे आनन्दित आर खुश रहबै।


सेल्याके दोसर आदमीसिके आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके विषयमे बताबैमे लज्जित नैहु, आर तोरा यी बातसे भी लाज नै होना चाही कि हमे ख्रीष्टके सेवा करैके कारणसे जेलमे छियै। मगर तोरा उटा सामर्थ्यके प्रयोग करना चाही जे परमेश्वर तोरा दैछौ आर खुश-खबरीके लिए तुहें हमर दुःखमे साथ दे।


हमे तोरा यी आदेशसब दैछियौ कहिनेकी ऊसब हमर जान मार्बो कर्तै ते भी हमे अंगुरके मद्दके जुगुर हैबै जे बलिदान पुरा कराबैके लिए पुजारी बलिदानके अर्घ-बलिके रुपमे चढाबैछै। यानिकी हमर यी संसार छोडिके जैके समय ऐलै छे।


तुहेंसब परमेश्वरके पहलौठा सन्तानसिके मण्डलीमे ऐल छैं, जकरसिके नाम स्वर्गमे लिख्ल छै। स्वर्गमे ऊसब परमेश्वरके नजरमे धर्मी घोषित कैल आदमीसिके आत्मासब छै जकरा आब सिद्ध बनैल गेलै छे। तुहेंसब खुद परमेश्वरके लगत ऐल छैं जे सभे चीजके उप्परमे न्यायधीश छै।


सेल्याके हमे, यूहन्ना उटा सभे कुछु लिख्लियै जे हमे देख्लियै। हमे यी लेखमे परमेश्वरके वचन आर उटा सच्चा शिक्षासब लिखिके बतैलियै छे, जकर जानकारी येशू ख्रीष्ट हमरा देल्कै रहे।


हमे, यूहन्ना, जे ख्रीष्टमे तोर साथी छियौ, तोरेसिके जुगुर सतैल जैछियै। हमे परमेश्वरके राज्यके एकटा नागरिक छियै जेरं कि तुहेंसब छैं आर हमरा भी आपन तकलीफके ओहिने ही धीरजके साथ सहन करना चाही जेरं तुहेंसब करैछैं। हमे परमेश्वरके वचन प्रचार करैके आर येशूके विषयमे बताबैके कारण पत्मोसके टापुमे निर्वासित करि देल गेलियै रहे।


तखनिहैं आरहौ एकटा स्वर्गदूत जे कि छठमा स्वर्गदूत छै जे धुप वेदीपर आगिनसे धुप जराबैके जिम्मेदारी पुरा करैछै, ऊ ओत्तेसे बाहार निकल्लै। ऊ जोरसे उटा स्वर्गदूतके जकर हातमे धराहा कचिया छै ओकरा कहैल्कै, “धर्तीपर अंगुरसिके गुच्छा पाकी गेलै छे। ओकरासिके आपन धराहा कचियासे कटनी करि ले।”


हमे फेर कक्रहौ परमेश्वरके वेदीसे बोल्ते सुन्लियै, “हँ, हे सर्वशक्तिमान प्रभु परमेश्वर, जेरंके तुहें आदमीसिके सजाय दैछह उटा सही आर धर्मी छै।”


जब हमे यी बात सुन्लियै ते हमे ओकर समनामे झुकी गेलियै जे हमरसंगे बात कर्ते रहै, कहिनेकी हमे ओकर आराधना करैले जैते रहियै। मगर ऊ हमरा कहैल्कै, “तुहें हमरा गोड नैलाग। हमे खाली परमेश्वरके एकटा सेवक छियै जेरं तुहें छैं आर तोर भ्यासिके जुगुर जे येशूके द्वारा प्रकट कैल गेल सच्चा शिक्षापर विश्वास करैछै आर मानैछै। खाली परमेश्वर ही छै जकर तोरा आराधना करना चाही। कहिनेकी यी आत्मा छै जे परमेश्वरके आदमीसिके येशूके द्वारा बतैल गेल सचके घोषणा करैके योग्य बनाबैछै।”


हमे जानैछियै कि तोर सहर शैतानके कब्जामे छौ, मगर एकर बावजुद भी तुहें हमरापर आपन विश्वासके मजगुतसे पक्डीके राख्लहैं छे आर तुहें हमर शिक्षासिके नैछोडलहैं छे, एत्तेतक कि तखनी भी नै जब बहुते समय पहेला एन्टिपासके जान मार्ल गेलै रहे। ऊ हमर वचनके प्रचार करैमे विश्वासयोग्य रहै, इहे ल्याके ओकरा तोर सहरमे जान मार्ल गेलै जे सहर शैतानके कब्जामे छै।


तब फेर हमे कुछु सिंहासनसब देख्लियै, जकरापर बैठेवालाके मुडासिके काटी देल गेलै रहे कहिनेकी ऊसब येशूके सन्देश आर परमेश्वरके वचनके घोषणा कैल्कै रहे। यी आदमीसब उटा जंगली जानवर आर ओकर मूर्तिके पूजा नैकैल्कै रहे आर यीसब आपन मथामे आर हातसिमे जंगली जानवरके छाप नैलगैल्कै रहे। ऊसब फेरसे जिन्दा भ्यागेलै रहे आर सिंहासनसिमे बैठी गेलै। परमेश्वर ओकरासिके राज्य करैके अधिकार देल्कै आर ऊसब ख्रीष्टके संगे एक हजार सालतक राज्य कैल्कै।


ओत्तेसे, आरहौ एकटा स्वर्गदूत ऐलै आर धुपके वेदी लगत खडा भेलै। ऊ स्वर्गदूत धुप जराबैके लिए सोनाके धुपदानी ल्याके ऐलै आर ओकरा सभे आदमीसिके प्रार्थनाके सहित जराबैके लिए बहुते धुप देल गेलै। ऊ धुप आर प्रार्थनासिके उटा सोनाके धुपके वेदीके उप्परमे जर्या देल्कै, जे परमेश्वरके सिंहासनके समनामे रहै।


एकरबाद छठमा स्वर्गदूत आपन धुतहुक फुकल्कै। जब ऊ एकरा फुकल्कै ते हमे परमेश्वरके समनामे धुप जराबेवाला सोनाके वेदीके चारो कोनामेसे एकटा आवाज सुन्लियै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan