Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




प्रकाश 6:8 - केवट नया कारार

8 तब हमे एकटा प्राणघातक हर्दिहा रंगके घोडा देख्लियै, आर घोडाके सवारी करेवालाके मौत कहेल जैछै। आर नरक ओकर पाछु-पाछु बहुते नज्दिक चल ऐते रहै। ओकरासिके धर्तीमे रहेवाला हरेक चार आदमीसिमेसे एकटा आदमीके जान मारैके अधिकार मिल्लै। ऊसब आदमीसिके तलवारसे जान मारल्कै, ऊसब आदमीसिके भूखसे जान मारल्कै, ऊसब आदमीसिके खराब-खराब बेमारीसिसे जान मारल्कै आर ऊसब आदमीसिके जंगली जानवरसिसे भी जान मरवैल्कै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




प्रकाश 6:8
26 Iomraidhean Croise  

हे कफर्नहुम गाँवके आदमीसब, कि तुहेंसब सोचैछैं कि परमेश्वर तोरासिके उप्पर स्वर्गतक उठैतौ? जरुर तुहेंसब नै उठैल जैभैं, मगर तुहेंसब नरकमे खसैल जैभैं। कहिनेकी तोरामे कैल शक्तिशाली कामसब सदोम सहरमे कैल जैतियै ते ऊ ऐजके दिनतक रहतियै।


कहिनेकी जात-जातके आदमी एक दोसरपर हमला कर्तै आर एकटा देशके आदमीसब दोसर देशके आदमीसिके खिलाफमे लड्तै। जगह जगहमे भूकम्प जैतै, भुखमरी पड्तै।


“हे मौत तोर विजय कते रहलौ? हे मौत, आब तोरलगत हमरासिके चोट पहुँचाबैके कोनो शक्ति नैछौ। एरंके धरमशास्त्रमे जे लिख्ल गेलै छे उटा पुरा हैतै।”


हमे ऊ छियै जे सभे दिन जिन्दा छियै। हमे एकबेर मरि गेलियै रहे, मगर आब हमे जिन्दा छियै आर हमे सभे दिन जिन्दा रहबै। देख, हमरलगत मौत आर पातालपर, मर्ल आदमीसिके जगहपर अधिकार छै।


ऊ आपन नाङरसे आकाशसे एक तिहाइ तारासिके समेटीके धर्तीमे फेकि देल्कै आर ऊ विशाल अजगर जनानीके बच्चाके जनम हैते ही बच्चाके खैके लिए ओकर समनामे खडा भेलै।


सेल्याके तब ऊ चारोटा दूतके खोली देल गेलै। ऊसब पहेलासे ही तैय्यार रहै आर ओकरासिके कहेल गेलै रहे कि यीटा समय, यीटा दिन, यीटा महिना आर यीटा सालके लिए इन्तजार करै आर आब यी एखन आबी गेलै रहे। ओकरासिके संसारके एक हिस्सा आदमीसिके जान मारना रहै।


यी तीनटा बिपत्तिसब, जे कि घोडासिके मुखसे निक्लेवाला आगिन, धुवाँ आर गन्धक रहै, सभे मानव जातिसिमेसे एक तिहाइके जान मारल्कै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan