Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




प्रकाश 6:5 - केवट नया कारार

5 जब बलि-भेंडा तेसर मोहर खोलल्कै, ते हमे तेसर जिन्दा प्राणीके यी कहते सुन्लियै, “आब जो, आगु बढ।” तब हमे देख्लियै कि एकटा करिया घोडा बाहार ऐलै आर घोडसवारके हातमे एकटा तराजु रहै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




प्रकाश 6:5
11 Iomraidhean Croise  

कहिनेकी जात-जातके आदमी एक दोसरपर हमला कर्तै आर एकटा देशके आदमीसब दोसर देशके आदमीसिके खिलाफमे लड्तै। जगह जगहमे भूकम्प जैतै, भुखमरी पड्तै।


तब धरमगुरुसिमेसे एकझन हमरा कहैल्कै, “नैकान। देख्, ऊ यहूदा कुलके शेर छै, ऊ दाऊद राजाके वंश छै जे शैतानपर विजय पैल्कै छे आर उहे ही यी किताबके सातटा मोहरसिके तोडैके आर एकरा खोलैके योग्य छै।”


ऊसब यी नया गीत बलि-भेंडा यानिकी येशू ख्रीष्टके विषयमे गाबैछै, “तोरलगत यी किताबके खोलैके लिए मोहरसिके लियैके आर तोडैके अधिकार छै, कहिनेकी तोर जान मारि देल गेल्हौं रहे आर आपन मौतके खूनसे तुहें हरेक कुलसब, हरेक भाषासब, आदमी आर हरेक जात-जातके आदमीसे, परमेश्वरके लिए आदमीसिके मोल चुक्याके किनि लेलह छे।


फेर हमे देख्लियै कि बलि-भेंडा उटा सातटा मोहरसिमेसे एकटाके खोलल्कै, आर हमे चारोटा जिन्दा प्राणीसिमेसे एकटाके बोलैते सुन्लियै। ओकर आवाज बडका गडगडाहटके जुगुर रहै। ऊ कहैल्कै, “आब जो, आगु बढ।”


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan