Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




प्रकाश 6:4 - केवट नया कारार

4 तब चमकदार लाल घोडा उटा जगहसे बाहार ऐलै जते सिंहासन रहै। परमेश्वर ऊ घोडसवारके धर्तीमे आदमीसिके एक दोसरसे लडवाबैके शक्ति देल्कै, ताकी ऊसब लडाईमे एक दोसरके जान मारि दै। यी मकसदके लिए परमेश्वर यी घोडसवारके एकटा बडका तलवार भी देल्कै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




प्रकाश 6:4
17 Iomraidhean Croise  

“हमे धर्तीमे आदमीसिके बीचमे शान्ति आनैले ऐलियै कहिके नैसोच। हमे आदमीसिके बीचमे शान्ति आनैले नै मगर फुट कराबैले ऐलियै छे।


जब तुहेंसब लडाई आर लडाईके हल्लासब सुन्भैं, तब नैडर। एरं घटनासब होना जरुरी छै। मगर एकरा दुनियाँके अन्त नैसमझिहैं।


येशू ओकरा जबाब देल्कै, “यदि तोरा यी अधिकार परमेश्वरके तरफसे नैदेल जैतिहौं ते हमरापर तोर कोनो अधिकार नैहैतिहौं। सेल्याके हमरा तोर हातमे सौंपेवाला आरहौ बडका पापके दोषी छै।”


तकरबाद आकाशमे दोसर एकटा अदभुद चिन्ह दिखाई देल्कै: ओत्ते एकटा बहुते विशाल लाल अजगर रहै, जे शैतान रहै। ओकर सातटा मुडा रहै आर हरेक मुडामे सातटा मकुट रहै आर दशटा सिङ रहै,


जे आदमीसिके कैद कैल जाना तय छै, ऊसब जरुर ही कैद कैल जैतै, आर जकरसिके लिए तय छै कि ऊसब तलवारसे मरै, ऊसब जरुर ही तलवारसे जान मार्ल जैतै। इहे ल्याके परमेश्वरके आदमीसिके दुःख सहैमे धीरज राखना चाही आर ओकरापर निरन्तर भरोसा करना चाही।


पवित्र आत्मा हमरा अगुवाई कैल्कै आर स्वर्गदूत हमरा सुनसान जगहमे ल्यागेलै, आर हमे ओत्ते एकटा जनानीके देख्लियै जे एकटा जंगली जानवरमे सवार रहै जे लाल रंगके रहै। ओकर सातटा मुडा आर दशटा सिङ रहै। ओकर शरीर परमेश्वरके अपमान करेवाला नामसिसे झाँप्ल रहै।


आर हमे देख्लियै कि ऊ जनानी सन्तसिके खून पिबिके मत्ल रहै, यानिकी ऊ आदमीसिके जकरा आदमीसब जान मारि देल्कै रहे, कहिनेकी ऊसब विश्वासयोग्यताके साथ येशूके अनुसरण कर्ते रहै। जब हमे ओकरा देख्लियै ते, हमे बहुते आश्चर्यचकित भेलियै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan