Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




प्रकाश 5:9 - केवट नया कारार

9 ऊसब यी नया गीत बलि-भेंडा यानिकी येशू ख्रीष्टके विषयमे गाबैछै, “तोरलगत यी किताबके खोलैके लिए मोहरसिके लियैके आर तोडैके अधिकार छै, कहिनेकी तोर जान मारि देल गेल्हौं रहे आर आपन मौतके खूनसे तुहें हरेक कुलसब, हरेक भाषासब, आदमी आर हरेक जात-जातके आदमीसे, परमेश्वरके लिए आदमीसिके मोल चुक्याके किनि लेलह छे।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




प्रकाश 5:9
41 Iomraidhean Croise  

जेरंके हमे, आदमीके बेटा खुद एकटा महान शासकके जुगुर आपन सेवा करवाबैके लिए नै ऐलियै छे, एकर बदलामे हमे दोसरसिके सेवा करैके लिए आर दोसरसिके बचाबैके लिए आपन जान दियैले ऐलियै छे।”


कहिनेकी यी हमर ऊ खून छै जे परमेश्वर आर आदमीके बीचमे नया करार स्थापित करैछै। यी हमर खून बहुते आदमीसिके ओकरसिके पापसिके माफी दिलाबैके लिए बहैल जैतै।


आब तुहेंसब आपनहैं आपन देखभाल कर आर पवित्र आत्मा तोरासिके जिम्मा लगैल परमेश्वरके मण्डलीके देख-रेख कर, जकरा ऊ आपन बेटाके खूनसे मोल लेल्कै छे।


परमेश्वर तोरसिके लिए बडका मोल चुकैल्कौ छे जब ऊ ख्रीष्टके क्रूसपर बलिदान कैल्कै, सेल्याके आपन शरीरके द्वारा परमेश्वरके महिमा कर।


परमेश्वर तोर लिए बडका मोल चुकैल्कौ छे, सेल्याके आदमीसिके दास नैबन, मगर प्रभुके दास बन।


ख्रीष्टके खून बहैल जैके कारणसे आपनसिके छुटकारा भेलै छे। यानिकी, आपनसिके पाप माफ कैल गेलै छे। परमेश्वरके अनुग्रह बहुते ही महान छै जे ऊ अपनासिके प्रशस्त करिके देल्कै छे।


यदि तुहें पवित्र आत्माके शक्तिसे भर्ल छैं ते तुहेंसब एक जगहमे जमा भेल समयमे आपन-आपन मनमे परमेश्वरके लिए भजन, स्तुति आर आत्मिक गीत गैभैं। तुहेंसब गीतसब गा आर आपन पुरा ह्रदयसे परमेश्वरके लिए आरहौ नया संगीत बना।


परमेश्वर अपनासिके ओकर बेटाके खूनद्वारा छुटकारा देल्कै छे आर आपनसिके पापसिके माफ कैल्कै छे।


ख्रीष्टमे तोर विश्वास अटल जगमे बनैल घरके जुगुर मजगुत बना। आर तोरसिके सुन्ल खुश-खबरीके आशासे पाछु नैहट्। इहे खुश-खबरीके बारेमे आकाशके निच्चामे भेल सभैके प्रचार कैल गेलै आर हमे, पावल, इहे खुश-खबरी सुनाबेवाला सेवक भेलियै छे।


उहे येशू ख्रीष्ट अपनासिके सभे पापसे छुटकारा दिलाबैके लिए आर नैतिक रुपसे शुद्ध बनाबैके लिए खुदके बलिदान कैल्कै ताकी अपनासब ओकर आपन विशेष आदमीसब बने सकियै जेसब बढियाँ काम करैके बडका इच्छा राखैछै।


एरं बात कहेवाला आदमीसब वास्तवमे एरं कहैछै कि ऊसब एकटा एरंको देशके प्राप्त करैके आशा करैछै जे ओकरसिके हैतै।


जेरंके बहुते पहेला गलत शिक्षासब सिखाबेवाला आदमीसब इस्राएलीसिके बीचमे दिखाई देल्कै रहे, ओहिने करिके ही तोरसिके बीचमे झुट्ठा शिक्षकसब दिखाई देतौ। ऊसब झुट्ठा शिक्षासिके गुप्त रुपसे फैल्या देतौ, जे बात आदमीसिके ख्रीष्टमे विश्वास करैसे रोकी देतै। यी झुट्ठा शिक्षकसब ख्रीष्टके आपन मालिक मानैसे भी इन्कार करि देतै आर जे ओकरासिके पापके शक्तिसे छुटकारा देल्कै छे। एरंके ऊसब अपने आपके अचानक नाश करैतै।


मगर जब अपनासब परमेश्वरके उजेतके द्वारा देखैल सही काम करैछियै, ओकर शुद्धताके मुताबिक जेरंके परमेश्वर सभे दिन सही काम करैछै, तब आपनसिके संगति एक दोसरके संगे हैछै आर ओकर बेटा, येशू ख्रीष्टके खून आपनसिके सभे पापसब शुद्ध करैछै।


ऊ आपनसिके पापके लिए प्रायश्चित-बलि छै आर खाली आपनसिके लिए नै, मगर संसारके सभे आदमीसिके पापके लिए भी प्रायश्चित-बलि छै।


तब हमरा एरं कहेल गेलै, “जे बात परमेश्वर तोरा बताबैके लिए कहैछौ, से बात अलग-अलग समूह आर जात-जातके आदमीसिके, अलग-अलग भाषा बोलेवाला आदमीसिके आर राजासिके एकबेर फेरसे बता।”


साढे तीन दिनतक यी दीटा गवाहसिके लासके हरेक जातसब, हरेक कुलसब, हरेक भाषासब आर हरेक देशके आदमीसब देख्ते रहतै मगर ऊसब कक्रहौ भी ओकरसिके लासके गाडैके अनुमति नैदेतै।


ऊ जंगली जानवरके परमेश्वरके आदमीसिके संगे लडाई करैके आर ओकरासिपर विजय प्राप्त करैके अधिकार प्राप्त भेलै। आर ओकरा हरेक जात, हरेक कुलसब, हरेक भाषासब आर हरेक देशके आदमीसिपर शासन करैके अधिकार प्राप्त भेलै।


आर यी धर्तीमे रहेवाला सभे आदमीसब ओकर पूजा करे लाग्लै। खाली उहे आदमीसब ओकर पूजा नैकैल्कै जकर नाम संसारके सृष्टि कैल जैसे पहेलासे ही जीवनके किताबमे लिख्ल गेलै रहे। यी जीवनके किताब ऊ बलि-भेंडाके किताब छै जकरा बलिदानके रुपमे मारि देल गेलै रहे।


तब हमे एकटा दोसर स्वर्गदूतके उप्पर आकाशमे उड्ते देख्लियै। ऊ स्वर्गदूतके संगे उटा खुश-खबरी रहै जे कहियो नैबदलैछै, ऊ यी संसारमे रहेवाला जात-जातके आदमीसब, हरेक कुलसब, हरेक किसिमके भाषासिमे एकरा सुनैल्कै।


ऊसब एकटा एरं गीत गैते रहै, जेरं परमेश्वरके दास मूसा बहुते पहेला गैल्कै रहे। ऊसब येशूके महिमा करैके लिए, जे कि एकटा बलि-भेंडाके जुगुर छै, एरंके गीत गैल्कै, “हे सर्वशक्तिमान प्रभु परमेश्वर, जे कुछु तुहें कैलह छे, उटा महान आर अदभुद छै। तुहें सभे देशके राजा छह। तुहें जे भी करैछ उटा सही आर धर्मी छै।


स्वर्गदूत हमरा यी भी कहैल्कै, “जे पानी तुहें पहेला देख्लहैं रहे, जकरापर ऊ जनानी बैठ्ल रहै, ऊ जात-जातके आदमीसब, हरेक देशसब आर हरेक भाषासिके आदमीसब छै।


“हे हमरसिके प्रभु परमेश्वर, तुहें सभे चीजसिके सृष्टि कैलह छे। तोरे इच्छाके मुताबिक उटा सभे चीज बनैल गेलै छे आर उटा सभे अस्तित्वमे छै। इहे कारणसे तुहें महिमा, आदर आर शक्ति ग्रहण करैके योग्य छह।”


ऊसब जोर-जोरसे गैते रहै, “ऊ बलि-भेंडा जकर जान मारि देल गेलै रहे, ऊ महिमाके योग्य छै। ओकर अधिकार महान छै। ओकर बुद्धि गहरा छै। ऊ बहुते शक्तिशाली छै आर ऊ बहुते मातबर छै। या अपनासब ओकर आदर करैछियै। या अपनासब ओकर प्रशंसा करैछियै।”


तब हमे एकटा बलि-भेंडाके देख्लियै जे सिंहासन आर चारटा जिन्दा प्राणीसिके आर चौबीसटा धरमगुरुसिके बीचमे खडा रहै। बलि-भेंडाके शरीरपर एरंको चिन्ह रहै जेरं कि ओकरा पहेला जान मार्ल गेलै रहे। ओकर सातटा सिङ आर सातटा आँख रहै, यी सात आत्मासब छै जे परमेश्वरके सिंहासनके समनामे छै, जे सारा धर्तीमे भेज्ल गेलै छे।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan