3 मगर स्वर्गमे या धर्तीमे या धर्तीके निच्चामे कोय भी उटा किताबके खोलैके या ओकरामे जे लिख्ल रहै ओकरा पढैके योग्य नैरहै।
कहिनेकी प्रभुके मनके बात कोय नैजाने सकैछै। या कोय भी ओकर सल्लाहकार नैबने सकैछै।
ओकरा सम्मान दियैके लिए स्वर्गमे, धर्तीके उप्परमे आर धर्तीके निच्चामे भेल हरेक प्राणीके येशूके नाममे घुटुवा पारे पड्तै।
फेर हमे स्वर्गमे, धर्तीमे, धर्तीके निच्चा आर समुन्दर आर ओत्ते भेल सभे प्राणीके एरं कहते सुन्लियै, “या अपनासब ओकर प्रशंसा करियै जे सिंहासनमे बैठ्ल छै। या अपनासब बलि-भेंडाके महिमा करैछियै। या अपनासब सभे दिनके लिए ओकर आदर करैछियै आर ओकरा सम्मान दियै, कहिनेकी ऊ सभैसे बेसी शक्तिशाली छै।”
तब हमे बहुते जोर-जोरसे कान्लियै, कहिनेकी उटा किताबके खोलैके या ओकरामे जे लिख्ल रहै ओकरा पढैके योग्य कोय नैरहै।