2 तब एकटा शक्तिशाली स्वर्गदूतके बडका आवाजमे एरं कहते हमे देख्लियै, “यी किताबके मोहरसिके तोडैके आर एकरा खोलैके अधिकार ककर लगत छै?”
तकरबाद हमे एकटा दोसर शक्तिशाली स्वर्गदूतके स्वर्गसे उतरिके निच्चा ऐते देख्लियै। एकटा बादल ओकर चारो तरफ रहै आर एकटा मेघ-धनुष ओकर मथाके चारो तरफ रहै। ओकर चेहरा सुरुजके जुगुर चमकते रहै आर ओकर पैर आगिनके खम्भाके जुगुर रहै।
एकरबाद एकटा शक्तिशाली स्वर्गदूत एकटा बडका जाँतके जुगुर पत्थल उठ्याके एरं कहिके समुन्दरमे फेकल्कै, “जेरंके यी पत्थलके समुन्दरमे फेक्ल गेलै छे आर फेर नैमिल्तै अहिने करिके बडका बेबिलोन सहर भी एक्केबेरमे नाश भ्याजैतै, एकरा फेर दोबारा नैबनैल जैतै।
आर जे सिंहासनपर बैठ्ल रहै, हमे ओकर दहिना हातमे एकटा किताब देख्लियै, एकरामे दोनो बगलसे लिख्ल रहै आर उटा सातटा मोहर लग्याके बन्द कैल रहै।
तब धरमगुरुसिमेसे एकझन हमरा कहैल्कै, “नैकान। देख्, ऊ यहूदा कुलके शेर छै, ऊ दाऊद राजाके वंश छै जे शैतानपर विजय पैल्कै छे आर उहे ही यी किताबके सातटा मोहरसिके तोडैके आर एकरा खोलैके योग्य छै।”