Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




प्रकाश 4:8 - केवट नया कारार

8 आर उटा चारोटा जिन्दा प्राणीके छ-छटा डेन रहै, आर ओकरासिपर सभे जगहमे आँख रहै एत्तेतक कि डेनके निच्चा भी रहै। आर दिन-रात ऊसब नैरुकिके एरं कहते रहै, “पवित्र, पवित्र, पवित्र प्रभु परमेश्वर जे सर्वशक्तिमान छै। ऊ उहे परमेश्वर छै जे समयके शुरुआतसे ल्याके एखनतक आर सभे दिनके लिए नैबदलैछै।”

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




प्रकाश 4:8
42 Iomraidhean Croise  

सेल्याके होशियार रह आर मनमे याद राख कि तीन बरसतक दिन-रात लोर बहैते सभे आदमीके हमे चेतावनी देते रहियै।


हमे तोरसिके पिता हैबौ आर तुहेंसब हमर बेटा-बेटीसब हैभैं, यी सर्वशक्तिमान प्रभुके वचन छै।”


कहिनेकी हे विश्वासी भ्या-बहिनसब तोरासिके याद छौ कि हमेसब कतनें कडा मेहनत कैलियै। हमेसब रात-दिन काम धन्धा कैलियै ताकी तोरसिके बीचमे परमेश्वरके खुश-खबरी प्रचार करैबेरियाँ हमेसब आपन जरुरत आपनहैं पुरा करे सकियै।


तुहेंसब केरंके आपन जीवन जियैछैं आर तुहेंसब कि सिखाबैछैं उटा बातमे होशियार र आर ओकरा करैमे लाग्ल र। नतिजा स्वरुप तोरसिकेद्वारा परमेश्वर तोरासिके खुदके आर सुनेवाला आदमीसिके भी बचैतै।


कि परमेश्वरके वचनके प्रचार कर, परिस्थिती बढियाँ है या खराब है परमेश्वरके वचन प्रचार करैले तैय्यार र। तुहें आदमीसिके ओकरसिके कैल खराब कामके देखाबे पडैछै, आर ओकरसिके पापके खातिर ओकरासिके धोपे पडैछै। मगर ओकरासिके हौसला दहैं। धीरजके साथ यी सभे काम कर आर ध्यानसे सिखा।


येशू ख्रीष्ट क्याल, ऐज आर सभे दिन एक समान छै, ऊ कहियो नैबदलैछै।


हमे, यूहन्ना यी चिट्ठी तुहेंसब सातटा मण्डलीसिके विश्वासीसिके लिए लिखैछियै जे एशिया प्रदेशमे छै। हमे प्रार्थना करैछियै कि आपनसिके परमेश्वर तोरासिके अनुग्रह आर शान्ति दौ। ऊ उहे परमेश्वर छै जे समयके शुरुआतसे ल्याके एखनतक आर सभे दिनके लिए नैबदलैछै। आर ऊ सात आत्मासिके तरफसे, जे परमेश्वरके सिंहासनके समनामे छै।


प्रभु परमेश्वर कहैछै, “हम्हीं छियै जे सभे चीजसिके शुरुआत कैलियै आर हम्हीं छियै जे सभे चीजसिके समाप्त कर्बै। हमे उहे परमेश्वर छियै जे समयके शुरुआतसे ल्याके एखनतक आर सभे दिनके लिए नैबदलैछियै। हमे सर्वशक्तिमान छियै।”


“हे सर्वशक्तिमान प्रभु परमेश्वर, तुहें उहे परमेश्वर छह जे समयके शुरुआतसे ल्याके एखनतक आर सभे दिनके लिए नैबदलै छह। हमेसब सचमे तोरा धन्यवाद चढाबैछियै, कहिनेकी तुहें आब आपन महान सामर्थ्य देखैलह छे आर तुहें आब यी धर्तीपर आपन राज्य शुरु करि देलह छे।


आगिनसे निक्लेवाला धुवाँ जे ओकरासिके सताबैछै उटा सभे दिनके लिए आकाशमहर जैतै। दिन-रात ओकरसिके सतैल जाना बन्द नैहैछै, कहिनेकी ऊसब जंगली जानवरके आर ओकर मूर्तिके पूजा कैल्कै आर ऊसब उटा जंगली जानवरके नामके छाप लेल्कै।”


एक लाख चौवालिस हजार आदमीसब सिंहासनके, चारटा जिन्दा प्राणीसिके आर धरमगुरुसिके समनामे खडा रहै। ऊसब एकटा नया गीत गैते रहै, जकरा खाली उहेसब ही सिखे सक्ते रहै। खाली उहेसब ही छै जकरासिके परमेश्वर धर्तीपर रहेवाला आदमीसिके बिच्चेसे उद्धार कैल्कै रहे।


ऊसब एकटा एरं गीत गैते रहै, जेरं परमेश्वरके दास मूसा बहुते पहेला गैल्कै रहे। ऊसब येशूके महिमा करैके लिए, जे कि एकटा बलि-भेंडाके जुगुर छै, एरंके गीत गैल्कै, “हे सर्वशक्तिमान प्रभु परमेश्वर, जे कुछु तुहें कैलह छे, उटा महान आर अदभुद छै। तुहें सभे देशके राजा छह। तुहें जे भी करैछ उटा सही आर धर्मी छै।


यी भूतसिके लगत झुट्ठा चमत्कार करैके क्षमता रहै आर ऊसब जैके ऊ आदमीसिके जमा कैल्कै, जेसब यी संसारके सभे देशमे राज्य कर्ते रहै, ताकी ऊसब सर्वशक्तिमान परमेश्वरके महान दिनमे ओकर विरुद्धमे लडै करैके लिए ज्या सकै। यी उटा दिन छै जब परमेश्वर आपन दुश्मनसिके नाश कर्तै आर आपन आदमीसिके बचैतै।


हमे फेर कक्रहौ परमेश्वरके वेदीसे बोल्ते सुन्लियै, “हँ, हे सर्वशक्तिमान प्रभु परमेश्वर, जेरंके तुहें आदमीसिके सजाय दैछह उटा सही आर धर्मी छै।”


ओकर मुखसे एकटा धरहा तलवार निकल्लै जकरासे ऊ जात-जातके आदमीसिके पराजय करि देतै। जे कोय भी ओकर अधिकारके स्वीकार नैकरैछै, ऊ ओकरा पुरा तरहसे सजाय देतै। ऊ सर्वशक्तिमान परमेश्वरके भयानक प्रकोपके ओहिने ही छोडी देतै, जेरंके एकटा अंगुरके रसकुण्डसे अंगुरके मद्द बहैछै।


तब ऊ चौबीसो धरमगुरुसब आर चारो जिन्दा प्राणीसब सिंहासनमे विराजमान भेल परमेश्वरके झुकिके आराधना कैल्कै आर एरं कहिके ओकर जय-जयकार कैल्कै, “आमेन, परमेश्वरके स्तुति है।”


हमे उटा सहरमे कोनो परमेश्वरके मन्दिर नैदेख्लियै कहिनेकी सर्वशक्तिमान परमेश्वर आर बलि-भेंडा उटा सहरमे छै। इहे ल्याके ओत्ते मन्दिरके कोनो जरुरत नैछै।


आर फिलाडेल्फिया सहरके मण्डलीके स्वर्गदूतके यी सन्देश लिख: हमे उहे छियै जे पवित्र आर सच छै, जकर लगत दाऊद राजाके राज्यपर अधिकार छै। यदि हमे दरवाजा खोलैछियै ते कोय भी ओकरा बन्द नैकरे सकैछै। आर यदि हमे ओकरा बन्द करिदियै ते, कोय भी ओकरा नैखोले सकैछै। हमे तोरासे यी कहैछियौ।


उटा सिंहासनके चारो बगल चौबीसटा दोसर सिंहासनसब रहै आर मथामे सोनाके मकुटसब आर उजरा कपडासब लगैल चौबीसटा धरमगुरुसब उटा सिंहासनमे बैठ्ल रहै।


उटा सिंहासनके समनामे एकटा फर्स रहै जे समुन्दरके जुगुर चौडा रहै आर जे सिसाके जुगुर साफ रहै। आर सिंहासनके चारो बगल चारटा जिन्दा प्राणी रहै, जकर शरीर पुरा तरहसे आँखे-आँखसे भर्ल रहै।


जे सिंहासनपर बैठ्ल छै, ऊ उहे छै जे सभे दिनके लिए जिन्दा रहैछै। जब भी जिन्दा प्राणीसब ओकरा महिमा आर आदर आर धन्यवाद दैछै, ते चौबीसोटा धरमगुरु ओकर समनामे गिरी जैछै आर ओकर आराधना करैछै। ऊसब यी कहते हुए सिंहासनके समनामे आपन-आपन मकुट राखी दैछै,


तब हमे एकटा बलि-भेंडाके देख्लियै जे सिंहासन आर चारटा जिन्दा प्राणीसिके आर चौबीसटा धरमगुरुसिके बीचमे खडा रहै। बलि-भेंडाके शरीरपर एरंको चिन्ह रहै जेरं कि ओकरा पहेला जान मार्ल गेलै रहे। ओकर सातटा सिङ आर सातटा आँख रहै, यी सात आत्मासब छै जे परमेश्वरके सिंहासनके समनामे छै, जे सारा धर्तीमे भेज्ल गेलै छे।


फेर हमे देख्लियै कि बलि-भेंडा उटा सातटा मोहरसिमेसे एकटाके खोलल्कै, आर हमे चारोटा जिन्दा प्राणीसिमेसे एकटाके बोलैते सुन्लियै। ओकर आवाज बडका गडगडाहटके जुगुर रहै। ऊ कहैल्कै, “आब जो, आगु बढ।”


हमे सुन्लियै कि उटा चारटा जिन्दा प्राणीके बीचमे से कोय बोल्ते रहै जे एकटा आदमीके जुगुर रहै, “भविष्यमे धर्तीपर अकाल हैतै आर सेल्याके एकटा चानीके सिक्कामे एक किलो गहुम आर तीन किलो ज किनैके लिए काफी हैतै। मगर तेल आर अंगुरके मद्दके कमी नैहैतै।”


सभे स्वर्गदूतसब सिंहासनके चारो बगल आर धरमगुरुसिके आर चारो जिन्दा प्राणीके चारो बगल खडा रहै। आर ऊसब सिंहासनके समनामे झुकिके एरं कहिके परमेश्वरके आराधना कैल्कै,


इहे कारणसे ऊसब परमेश्वरके सिंहासनके समनामे खडा छै, आर ऊसब हर समय दिन आर रात परमेश्वरके मन्दिरमे ओकर सेवा करैछै, आर ऊ जे सिंहासनमे बैठैछै, ओकरसिके बीचमे रहतै आर ओकरसिके सुरक्षा कर्तै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan