Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




प्रकाश 4:6 - केवट नया कारार

6 उटा सिंहासनके समनामे एकटा फर्स रहै जे समुन्दरके जुगुर चौडा रहै आर जे सिसाके जुगुर साफ रहै। आर सिंहासनके चारो बगल चारटा जिन्दा प्राणी रहै, जकर शरीर पुरा तरहसे आँखे-आँखसे भर्ल रहै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




प्रकाश 4:6
25 Iomraidhean Croise  

एक लाख चौवालिस हजार आदमीसब सिंहासनके, चारटा जिन्दा प्राणीसिके आर धरमगुरुसिके समनामे खडा रहै। ऊसब एकटा नया गीत गैते रहै, जकरा खाली उहेसब ही सिखे सक्ते रहै। खाली उहेसब ही छै जकरासिके परमेश्वर धर्तीपर रहेवाला आदमीसिके बिच्चेसे उद्धार कैल्कै रहे।


आर हमे कुछु देख्लियै जकर चौडाई समुन्दरके जुगुर रहै, यी आगिन मिल्ल सिसाके जुगुर दिखाई देते रहै। आर उटा समुन्दरके किनारमे जे सिसाके जुगुर रहै, हमे बहुते आदमीसिके खडा भेल देख्लियै। ऊसब ऊ आदमीसब रहै, जेसब उटा जंगली जानवरके पराजय कैल्कै रहे, कहिनेकी ऊसब ओकर पूजा करैसे इन्कार कैल्कै रहे। ऊसब ओकर मूर्तिके पूजा करैसे आर उटा संख्याके चिन्ह प्राप्त करैसे इन्कार करिदेल्कै रहे, जे उटा जंगली जानवरके नामके देखाबैछै। जंगली जानवरके पराजय करेवाला आदमीसब समुन्दरके किनारमे खडा रहै, जे सिसाके जुगुर रहै। ऊसब हातमे वीणा पकडले रहै, जे ओकरासिके परमेश्वरके तरफसे देल गेलै रहे।


तब ऊ चौबीसो धरमगुरुसब आर चारो जिन्दा प्राणीसब सिंहासनमे विराजमान भेल परमेश्वरके झुकिके आराधना कैल्कै आर एरं कहिके ओकर जय-जयकार कैल्कै, “आमेन, परमेश्वरके स्तुति है।”


यी सहर परमेश्वरके तरफसे मिलेवाला तेज रोशनीसे चमकते रहै। यी सहरके चमक किमती पत्थल सूर्यकान्तके जुगुर चमकते रहै, आर सिसाके जुगुर साफ रहै।


यी सहर शुद्ध सोनासे बनैल गेलै रहे जे सिसाके जुगुर चमकते रहै आर एकर दिवाल सूर्यकान्त पत्थलसे बन्ल रहै।


बारहटा केबाड भी एक-एकटा मोतीसे बन्ल रहै आर सहरके रस्तासब शुद्ध सोनासे बनैल गेलै रहे जे सिसाके जुगुर चमकते रहै।


तब स्वर्गदूत हमरा एकटा लद्दी देखैल्कै जकरामे जीवनके पानी रहै। पानी सिसाके जुगुर साफ रहै। उटा पानी परमेश्वर आर बलि-भेंडाके सिंहासनसे बहते रहै।


उटा सिंहासनके चारो बगल चौबीसटा दोसर सिंहासनसब रहै आर मथामे सोनाके मकुटसब आर उजरा कपडासब लगैल चौबीसटा धरमगुरुसब उटा सिंहासनमे बैठ्ल रहै।


जब हमे फेरसे देख्लियै ते, अचानकसे लाखो-लाख स्वर्गदूतसिके आवाज सुन्लियै, ओकरसिके गन्ती नैकैल ज्या सक्ते रहै। ऊसब राजाके उटा सिंहासनके, ऊ चारटा जिन्दा प्राणीसिके आर ऊ चौबीसटा धरमगुरुसिके चारो बगल रहै।


तब ऊ चारो जिन्दा प्राणी कहैल्कै, “आमेन।” तब ऊ धरमगुरुसब झुकिके आराधना कैल्कै।


तब हमे एकटा बलि-भेंडाके देख्लियै जे सिंहासन आर चारटा जिन्दा प्राणीसिके आर चौबीसटा धरमगुरुसिके बीचमे खडा रहै। बलि-भेंडाके शरीरपर एरंको चिन्ह रहै जेरं कि ओकरा पहेला जान मार्ल गेलै रहे। ओकर सातटा सिङ आर सातटा आँख रहै, यी सात आत्मासब छै जे परमेश्वरके सिंहासनके समनामे छै, जे सारा धर्तीमे भेज्ल गेलै छे।


जब ऊ उटा किताब लेल्कै ते, ऊ चारोटा जिन्दा प्राणी आर चौबीसोटा धरमगुरुसब बलि-भेंडाके समनामे झुकी गेलै। आर हरेक धरमगुरुसब एकटा वीणा आर सोनासे बन्ल बाटी पकडले रहै। बाटी धुपसे भर्ल रहै, जे ऊ आदमीसिके प्रार्थनाके देखाबैछै जेसब परमेश्वरके सेवा करैछै।


फेर हमे देख्लियै कि बलि-भेंडा उटा सातटा मोहरसिमेसे एकटाके खोलल्कै, आर हमे चारोटा जिन्दा प्राणीसिमेसे एकटाके बोलैते सुन्लियै। ओकर आवाज बडका गडगडाहटके जुगुर रहै। ऊ कहैल्कै, “आब जो, आगु बढ।”


हमे सुन्लियै कि उटा चारटा जिन्दा प्राणीके बीचमे से कोय बोल्ते रहै जे एकटा आदमीके जुगुर रहै, “भविष्यमे धर्तीपर अकाल हैतै आर सेल्याके एकटा चानीके सिक्कामे एक किलो गहुम आर तीन किलो ज किनैके लिए काफी हैतै। मगर तेल आर अंगुरके मद्दके कमी नैहैतै।”


सभे स्वर्गदूतसब सिंहासनके चारो बगल आर धरमगुरुसिके आर चारो जिन्दा प्राणीके चारो बगल खडा रहै। आर ऊसब सिंहासनके समनामे झुकिके एरं कहिके परमेश्वरके आराधना कैल्कै,


कहिनेकी बलि-भेंडा जे सिंहासनके बीचमे छै, ओकरसिके देखभाल कर्तै ओहिने करिके जेरंके एकटा चरवाहा आपन भेंडाके देखभाल करैछै, आर ओकरासिके ताजा पानी पियैके लिए ल्याजैतै जे आदमीसिके जीवन दैछै, आर परमेश्वर ओकरसिके आँखीसे सभे लोर पोछि देतै।”


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan