Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




प्रकाश 4:5 - केवट नया कारार

5 उटा सिंहासनसे बिजली चमकते रहै आर मेघ-गर्जनके जुगुर गडगडाहटके आवाज निकल्ते रहै आर उटा सिंहासनके समनामे सातटा चिरागसब बर्ते रहै जे परमेश्वरके सात आत्मासिके देखाबैछै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




प्रकाश 4:5
24 Iomraidhean Croise  

फेर येशू आपन चेलासिके कहैल्कै, “जब हमे, आदमीके बेटा वापस ऐबै, तब परमेश्वरके राज्य एरं हैतै: दशटा कुमारी कनियाँ आपन चिराग ल्याके दुल्हाके भेट करैले ओकर बिहाके उत्सवमे गेलै।


हमे ते तोरासिके पाप करैले छोड आर परमेश्वरके तरफ मन लगा कहिके पानीके बप्तिस्मा दैछियौ, मगर हमरसे पाछु आबेवाला एकटा आदमी हम्रहौसे शक्तिशाली छै, जकर जुत्ता उठाबैके योग्य हमे नैछियै। ऊ तोरासिके पवित्र आत्मा आर आगिनसे बप्तिस्मा देतौ।


तब ओकरसिके समनामे एरं आगिनके लप्का प्रकट भेलै जकर आकार जिभाके जुगुर रहै, जे अलग-अलग भ्याके ओकरसिमेसे हरेक आदमीसिके उप्पर बैठ्ते गेलै।


हमे, यूहन्ना यी चिट्ठी तुहेंसब सातटा मण्डलीसिके विश्वासीसिके लिए लिखैछियै जे एशिया प्रदेशमे छै। हमे प्रार्थना करैछियै कि आपनसिके परमेश्वर तोरासिके अनुग्रह आर शान्ति दौ। ऊ उहे परमेश्वर छै जे समयके शुरुआतसे ल्याके एखनतक आर सभे दिनके लिए नैबदलैछै। आर ऊ सात आत्मासिके तरफसे, जे परमेश्वरके सिंहासनके समनामे छै।


ऊ स्वर्गदूत जोरसे पुकारा कैल्कै आर ओकर आवाज शेरके गर्जनके जुगुर रहै। जब ऊ चिकर्लै ते, सातटा तेज आवाजसब ओकरा जबाब देल्कै, जे मेघ-गर्जनके आवाजके गडगडाहट जुगुर रहै।


तब परमेश्वरके मन्दिर जे स्वर्गमे छै से खोल्ल गेलै, आर ऊ मन्दिरमे करारके सन्दुक दिखाई देल्कै। बिजली चमके लाग्लै, मेघ-गर्जनके जुगुर गडगडाहटके आवाज निक्ले लाग्लै। भूकम्प भेलै आर आकाशसे बरफके पत्थलसिके साथ भारी बर्षा भेलै।


सार्डिस सहरके मण्डलीके स्वर्गदूतके यी सन्देश लिख: हमे उहे छियै जे सातटा तारासिके आपन हातमे पक्डीके राखैछै आर जे परमेश्वरके सात आत्मासिके भेजैछै। हमे जानैछियै कि तुहें कि करैछैं। तुहें विश्वासयोग्य विश्वासीसिके जुगुर दिखाई दैछैं, मगर वास्तवमे तुहें आब हमर अनुसरण नैकरैछैं।


तब हमे एकटा बलि-भेंडाके देख्लियै जे सिंहासन आर चारटा जिन्दा प्राणीसिके आर चौबीसटा धरमगुरुसिके बीचमे खडा रहै। बलि-भेंडाके शरीरपर एरंको चिन्ह रहै जेरं कि ओकरा पहेला जान मार्ल गेलै रहे। ओकर सातटा सिङ आर सातटा आँख रहै, यी सात आत्मासब छै जे परमेश्वरके सिंहासनके समनामे छै, जे सारा धर्तीमे भेज्ल गेलै छे।


तब स्वर्गदूत धुपदानी ल्याके एकरा वेदीके उप्परमे बरेवाला आगिनसे भरि देल्कै आर धर्तीमे फेकि देल्कै। तब मेघ-गर्जनके जुगुर गडगडाहटके आवाज निक्ले लाग्लै, बिजली चम्के लाग्लै आर भूकम्प भेलै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan