Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




प्रकाश 4:4 - केवट नया कारार

4 उटा सिंहासनके चारो बगल चौबीसटा दोसर सिंहासनसब रहै आर मथामे सोनाके मकुटसब आर उजरा कपडासब लगैल चौबीसटा धरमगुरुसब उटा सिंहासनमे बैठ्ल रहै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




प्रकाश 4:4
24 Iomraidhean Croise  

येशू ओकरासिके कहैल्कै, “हमे तोरासिके सच कहैछियौ, तुहेंसब जे हमर चेला बन्लहैं छे, नया सृष्टिमे जखनी हमे, आदमीके बेटा आपन महिमामय सिंहासनपर विराजमान हैबै, तहिया तहुँसब बारह सिंहासनमे बैठिके इस्राएलीसिके बारह कुलके न्याय कर्भैं।


ताकी हमर राज्यमे तुहेंसब हमर टेबुलमे खैभैं आर पिभैं, आर इस्राएलीसिके बारहो कुलके आदमीसिके न्याय करैके लिए सिंहासनमे बैठ्भैं।


आब प्रभु हमर लिए स्वर्गमे धार्मिकताके मकुट राखल्कै छे, कहिनेकी हमे ओकरा पसन्द हुएवाला जीवन जिलियै छे। ऊ प्रभु जे सहीसे फैसला करैछै, हमरा उटा मकुट तब देतै जब ऊ फेर वापस ऐतै। ऊ खाली हमरा नै मगर ओकरा सभैके देतै जेसब ओकर वापस आबैके बहुते इच्छा करैछै।


तब ऊ चौबीसोटा धरमगुरुसब जे परमेश्वरके समनामे आपन-आपन सिंहासनमे बैठ्ल रहै झुकिके परमेश्वरके आराधना कैल्कै आर एरं कहिके जयजयकार कैल्कै,


एक लाख चौवालिस हजार आदमीसब सिंहासनके, चारटा जिन्दा प्राणीसिके आर धरमगुरुसिके समनामे खडा रहै। ऊसब एकटा नया गीत गैते रहै, जकरा खाली उहेसब ही सिखे सक्ते रहै। खाली उहेसब ही छै जकरासिके परमेश्वर धर्तीपर रहेवाला आदमीसिके बिच्चेसे उद्धार कैल्कै रहे।


स्वर्गके बहुते सैनिकसब ओकर पाछु-पाछु लाग्ल रहै। ऊसब भी उजरा घोडापर सवार रहै आर ऊसब उजरा मलमलके कपडा पिन्हल रहै जकरामे एक्कोरति दाग नैरहै।


तब ऊ चौबीसो धरमगुरुसब आर चारो जिन्दा प्राणीसब सिंहासनमे विराजमान भेल परमेश्वरके झुकिके आराधना कैल्कै आर एरं कहिके ओकर जय-जयकार कैल्कै, “आमेन, परमेश्वरके स्तुति है।”


उटा तकलीफसिसे नैडर जे तोरा मिल्तौ। शैतान तोरासिमेसे कुछु आदमीसिके गिरफ्तार करवैतौ आर तोरासिके कैद करि देल जैतौ ताकी ऊ तोरसिके परीक्षा करे सकौ। तुहें दश दिनतक बडका कष्टके अनुभव कर्भैं। मगर हमरापर विश्वास करैले कहियो नैछोडिहैं, चाहे तोर जान भी मारि देल जौ, कहिनेकी हमे तोरा जितके पुरस्कारके रुपमे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन देबौ।


तब फेर हमे कुछु सिंहासनसब देख्लियै, जकरापर बैठेवालाके मुडासिके काटी देल गेलै रहे कहिनेकी ऊसब येशूके सन्देश आर परमेश्वरके वचनके घोषणा कैल्कै रहे। यी आदमीसब उटा जंगली जानवर आर ओकर मूर्तिके पूजा नैकैल्कै रहे आर यीसब आपन मथामे आर हातसिमे जंगली जानवरके छाप नैलगैल्कै रहे। ऊसब फेरसे जिन्दा भ्यागेलै रहे आर सिंहासनसिमे बैठी गेलै। परमेश्वर ओकरासिके राज्य करैके अधिकार देल्कै आर ऊसब ख्रीष्टके संगे एक हजार सालतक राज्य कैल्कै।


सेल्याके हमे तोरा चेतावनी दैछियौ कि तोरा हमरासे शुद्ध सोना खरीद करना चाही ताकी वास्तवमे तुहें धनवान बने सक्हैं। तोरा हमरासे पिन्हैके लिए उजरा कपडा भी खरीद करना चाही ताकी तोर शरीर झाँप्ल रहौ आर तुहें शर्मिन्दा नैहैं। आर तोरा आपन आँखके इलाज करैके लिए हमरासे दवा भी खरीद करना चाही ताकी तुहें देखे सक्हैं।


उटा सिंहासनके समनामे एकटा फर्स रहै जे समुन्दरके जुगुर चौडा रहै आर जे सिसाके जुगुर साफ रहै। आर सिंहासनके चारो बगल चारटा जिन्दा प्राणी रहै, जकर शरीर पुरा तरहसे आँखे-आँखसे भर्ल रहै।


जब हमे फेरसे देख्लियै ते, अचानकसे लाखो-लाख स्वर्गदूतसिके आवाज सुन्लियै, ओकरसिके गन्ती नैकैल ज्या सक्ते रहै। ऊसब राजाके उटा सिंहासनके, ऊ चारटा जिन्दा प्राणीसिके आर ऊ चौबीसटा धरमगुरुसिके चारो बगल रहै।


तब ऊ चारो जिन्दा प्राणी कहैल्कै, “आमेन।” तब ऊ धरमगुरुसब झुकिके आराधना कैल्कै।


तब हमे एकटा बलि-भेंडाके देख्लियै जे सिंहासन आर चारटा जिन्दा प्राणीसिके आर चौबीसटा धरमगुरुसिके बीचमे खडा रहै। बलि-भेंडाके शरीरपर एरंको चिन्ह रहै जेरं कि ओकरा पहेला जान मार्ल गेलै रहे। ओकर सातटा सिङ आर सातटा आँख रहै, यी सात आत्मासब छै जे परमेश्वरके सिंहासनके समनामे छै, जे सारा धर्तीमे भेज्ल गेलै छे।


जब ऊ उटा किताब लेल्कै ते, ऊ चारोटा जिन्दा प्राणी आर चौबीसोटा धरमगुरुसब बलि-भेंडाके समनामे झुकी गेलै। आर हरेक धरमगुरुसब एकटा वीणा आर सोनासे बन्ल बाटी पकडले रहै। बाटी धुपसे भर्ल रहै, जे ऊ आदमीसिके प्रार्थनाके देखाबैछै जेसब परमेश्वरके सेवा करैछै।


ओकरासिमेसे हरेकके एकटा उजरा कपडा देल गेलै आर परमेश्वर ओकरासिके कहैल्कै, “एखनके लिए आराम कर, कहिनेकी एखन भी तोरसिके सहकर्मी आर तोरसिके साथी विश्वासीसब छै जकरासिके तोरेसिके जुगुर जान मार्ल जैतै। जब जान मार्ल ज्यावालासिके संख्या पुरा भ्याजैतै, तभे हमे बदला लेबै।”


सभे स्वर्गदूतसब सिंहासनके चारो बगल आर धरमगुरुसिके आर चारो जिन्दा प्राणीके चारो बगल खडा रहै। आर ऊसब सिंहासनके समनामे झुकिके एरं कहिके परमेश्वरके आराधना कैल्कै,


एकरबाद हमे देख्लियै कि आदमीसिके एकटा एतनें बडका भीड रहै कि कोय भी ऊ सभैके नै गिने सक्ते रहै। ऊसब संसारके हरेक जातसब, हरेक कुलसब, हरेक देशके आदमीसब आर हरेक भाषासिसे रहै। ऊसब सिंहासन आर बलि-भेंडाके समनामे खडा रहै। ऊसब उजरा कपडा पिन्हल रहै आर हरेक आदमी आपन-आपन हातमे खजुरके ठ्यार पकडले रहै जे कि ओकरसिके आदरके चिन्ह रहै।


यी फडिंगासब लडाईमे जैके लिए तैय्यार भेल घोडासिके जुगुर दिखाई देते रहै। ऊसब आपन मथामे कुछु पिन्हल रहै जे सोनाके मकुट जुगुर लाग्ते रहै। ओकरसिके चेहरा आदमीके चेहराके जुगुर लाग्ते रहै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan