आब जे बात हमेसब कहैछियै, ओकरामे सभैसे बडका बात यी छै कि आपनसिके लगत जरुर ही एरंको प्रधान पुजारी छै जे स्वर्गमे परमधन्य परमेश्वरके दहिना हातके बगलमे सम्मानके जगहमे बैठ्ल छै।
तब सिंहासनमे विराजमान भेल परमेश्वर हमरा कहैल्कै, “देख, आब हमे सभे बात नया बनैबै।” ऊ हमरा एरं भी कहैल्कै, “यी बात लिख, जे हमे कहैछियौ तुहें उटा बात पर विश्वास करे सकैछैं। यी बातसब निश्चित रुपसे हैतै।”
जे आदमीसब जित हासिल करैछै, ओकरा हमे आपन सिंहासनके बगलमे सिंहासनपर बैठैके अधिकार देबै। यी बिल्कुल हमर जुगुर ही हैतै, जे जित हासिल कैल्कै आर आपन पिताके बगलमे आसन प्राप्त कैल्कै छे।
जे सिंहासनपर बैठ्ल छै, ऊ उहे छै जे सभे दिनके लिए जिन्दा रहैछै। जब भी जिन्दा प्राणीसब ओकरा महिमा आर आदर आर धन्यवाद दैछै, ते चौबीसोटा धरमगुरु ओकर समनामे गिरी जैछै आर ओकर आराधना करैछै। ऊसब यी कहते हुए सिंहासनके समनामे आपन-आपन मकुट राखी दैछै,