कुछु बिहन बढियाँ जमिनमे पड्लै आर टुस्याके गाछ बाढ्लै आर एक स गुणा फल देल्कै, यी सभे बात कहेलके बाद, येशू जोरसे कहैल्कै, “जे कोय यी बातके सुने सकैछै जे हमे कहैछियै, ऊ यी बातके बुझैके कोशिश करक।”
जे कोय यी बातके सुने सकैछै जे हमे कहैछियै, ऊ यी बातके बुझैके कोशिश करक कि पवित्र आत्मा मण्डलीके कि कहैछै। जे आदमीसब जित हासिल करैछै, ओकरासिके दोसर मौतसे कोनो हानी नैहैतै, जब परमेश्वर अन्तिम न्याय कर्तै।
जे कोय यी बातके सुने सकैछै जे हमे कहैछियै, ऊ यी बातके बुझैके कोशिश करक कि पवित्र आत्मा मण्डलीके कि कहैछै। ऊ आदमीसब जे जित हासिल करैछै, ओकरासिके हमे जीवन दिएवाला गाछसे फल खैके इजाजत देबै, जे परमेश्वरके स्वर्गीय बगीचामे छै।”