Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




प्रकाश 3:4 - केवट नया कारार

4 मगर सार्डिस सहरमे तोरसिके बीचमे कुछु आदमीसब छै जेसब विश्वासीसिके रुपमे शुद्ध जीवन जिल्कै छे। ऊसब शुद्ध उजरा कपडा पिन्हीके हमरसंगे रहतै कहिनेकी ऊसब योग्य छै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




प्रकाश 3:4
31 Iomraidhean Croise  

तुहेंसब जे सहर या गाँवमे जैभैं, ओत्ते तोरसिके स्वागत करेवाला आदमीके खोज आर जबतक तुहेंसब उटा सहरमे रहभैं तबतक ओकर मैजमान बनिके रह।


जब जनानीसब सारामे पहुँचलै आर साराके भितर ढुक्लै तब ऊसब उजरा कपडा लगैल एकटा जवान आदमीके दहिना बगल बैठ्ल देखल्कै, आर ऊसब चकित भेलै।


मगर मुर्दासे जिन्दा भ्याके स्वर्ग जैके लिए योग्य ठहर्ल आदमीसब बिहा नैकर्तै।


सेल्याके जे घटनासब हुएवाला छै, यी सभे बातसे बचैके लिए आर हमे, आदमीके बेटाके समनामे न्यायके दिनमे खडा हुऐके शक्ति पाबैके लिए सभे समय सचेत भ्याके प्रार्थना कर्ते र।”


उटा समयमे ओत्ते एक स बीस झन विश्वासीसब जमा भेलै रहे, ऊ सभैके बीचमे पत्रुस खडा भ्याके कहे लाग्लै,


आर परमेश्वर यी सतावटके न्यायके लिए आर तोरासिके ओकर राज्यके योग्य बनाबैके लिए प्रयोग कर्तौ, जकर खातिर तुहेंसब कष्ट भोगैछैं।


कुछु दोसर आदमीसब जकरासिके तुहें चिन्हैछैं, ऊसब नरकके महर जैछै। ओकरासिके उटा कहियो खतम नैहुएवाला आगिनसे जल्दीसे टानिके बच्या ले। आर दोसरसिके प्रति दया देखा। मगर ओहिने किसिमके पाप करैसे बचैके लिए होशियार र। ताकी तुहेंसब ओकरसिके पापसिके द्वारा लोभैल नैजहैं, आर खुद उटा पापसिके करिके अपने आपके दागवाला बन्या लहैं।


ऊ हमरा कहैल्कै, “जे कुछु तुहें देखैछैं, ओकरा एकटा किताबमे लिख, आर एकरा एफिसस सहर, स्मुर्ना सहर, पर्गामम सहर, थिआटिरा सहर, सार्डिस सहर, फिलाडेल्फिया सहर आर लाउडिकिया सहरमे भेल सातटा मण्डलीसिके भेज।”


उहे समयमे, यरूशलेम सहरमे एकटा बहुते बडका भूकम्प भेलै, आर सहरके इमारतसिके दशमा भाग गिरी गेलै। आर उटा भूकम्पसे सात हजार आदमीसब मर्लै आर बच्ल आदमी जेसब नैमर्लै रहे ऊसब बहुते डरैलै, सेल्याके ऊसब स्वर्गके परमेश्वरके महिमा कैल्कै।


ओकरसिके जीवन पवित्र छै। ऊसब ऊ आदमीसिके जुगुर छै जे कहियो व्यबिचार नैकैल्कै छे। ओहिने करिके ऊसब कहियो कोनो चीजके आराधना नैकैल्कै रहे, ऊसब खाली बलि-भेंडाके आराधना करैछै। बलि-भेंडा जते-जते जैछै, ओत्ते ऊसब ओकर पाछु-पाछु जैछै। ऊसब ऊ आदमीसब छै जेसब आदमीसिके बीचमेसे उद्धार कैल गेलै रहे। जेरंके आदमीसब आपन फसलके पहेला फल परमेश्वरके चढाबैछै, ओहिने करिके ऊसब परमेश्वर आर बलि-भेंडाके पहेला दानके रुपमे चढैल छै।


स्वर्गके बहुते सैनिकसब ओकर पाछु-पाछु लाग्ल रहै। ऊसब भी उजरा घोडापर सवार रहै आर ऊसब उजरा मलमलके कपडा पिन्हल रहै जकरामे एक्कोरति दाग नैरहै।


परमेश्वर ओकरा साफ, चमकदार मलमलसे बन्ल कपडा पिन्हैले देल्कै छे। मलमलके कपडा उटा भला कामसिके देखाबैछै जे परमेश्वरके आदमीसब करैछै।”


सेल्याके हमे तोरा चेतावनी दैछियौ कि तोरा हमरासे शुद्ध सोना खरीद करना चाही ताकी वास्तवमे तुहें धनवान बने सक्हैं। तोरा हमरासे पिन्हैके लिए उजरा कपडा भी खरीद करना चाही ताकी तोर शरीर झाँप्ल रहौ आर तुहें शर्मिन्दा नैहैं। आर तोरा आपन आँखके इलाज करैके लिए हमरासे दवा भी खरीद करना चाही ताकी तुहें देखे सक्हैं।


जे आदमीसब जित हासिल करैछै ओकरासिके भी एकरेसिके जुगुर उजरा कपडा पिन्हैल जैतै। हमे ओकरसिके नाम उटा जीवनके किताबसे नै हटैबै जकरामे परमेश्वर ऊ आदमीसिके नाम लिखल्कै छे जकरासिके कहियो खतम नैहुएवाला जीवन मिल्तै। हमे आपन पिताके समनामे आर ओकर स्वर्गदूतसिके समनामे यी घोषित कर्बै कि ऊसब हमर छै।


उटा सिंहासनके चारो बगल चौबीसटा दोसर सिंहासनसब रहै आर मथामे सोनाके मकुटसब आर उजरा कपडासब लगैल चौबीसटा धरमगुरुसब उटा सिंहासनमे बैठ्ल रहै।


ओकरासिमेसे हरेकके एकटा उजरा कपडा देल गेलै आर परमेश्वर ओकरासिके कहैल्कै, “एखनके लिए आराम कर, कहिनेकी एखन भी तोरसिके सहकर्मी आर तोरसिके साथी विश्वासीसब छै जकरासिके तोरेसिके जुगुर जान मार्ल जैतै। जब जान मार्ल ज्यावालासिके संख्या पुरा भ्याजैतै, तभे हमे बदला लेबै।”


एकरबाद हमे देख्लियै कि आदमीसिके एकटा एतनें बडका भीड रहै कि कोय भी ऊ सभैके नै गिने सक्ते रहै। ऊसब संसारके हरेक जातसब, हरेक कुलसब, हरेक देशके आदमीसब आर हरेक भाषासिसे रहै। ऊसब सिंहासन आर बलि-भेंडाके समनामे खडा रहै। ऊसब उजरा कपडा पिन्हल रहै आर हरेक आदमी आपन-आपन हातमे खजुरके ठ्यार पकडले रहै जे कि ओकरसिके आदरके चिन्ह रहै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan