Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




प्रकाश 3:3 - केवट नया कारार

3 उटा शिक्षाके याद कर जे तुहें बहुते पहेला सुन्लहैं रहे आर विश्वास कैल्हैं रहे। जे तोरा सिखैल गेलौ रहे ओकर अनुसरण कर, पाप करैले छोड आर परमेश्वरके तरफ मन लगा। यदि तुहें गलत काम कर्ते रहैछैं ते हमे अचानक ऐबौ, जेरंके रातके समयमे चोर आबैछै आर तुहें उटा समयके भी नैजाने सक्भैं जब हमे तोरा सजाय दियैके लिए आबी जैबौ।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




प्रकाश 3:3
24 Iomraidhean Croise  

सेल्याके जग्गा र, कहिनेकी हमर घुमिके आबैके दिन आर घडी तोरासिके मालुम नैछौ।”


होशियार र, जग्गा र, आर प्रार्थना कर, कहिनेकी कखनी यी घटना हैतै तुहेंसब नैजानैछैं।


अगर ऊ बिना कोनो चेतावनीके अचानक आबैछै ते, ओकरा यी नै पता होना चाही कि तुहें सुत्ल छैं।


कहिनेकी तुहेंसब आपनहैं बढियाँसे जानैछैं कि जेरंके रातके समयमे चोर आबैछै ओहिने करिके प्रभु येशू भी अचानकसे फेर वापस ऐतै।


तिमोथी परमेश्वरके देल काम करैके लिए सुनिश्चित कर। ईश्वरहीन आर बेकारके बातसब आर परमेश्वरके सच्चा शिक्षाके विरोध करेवाला शिक्षासिसे दूर र, जकरा ऊसब गलत तरिकासे “ज्ञान” कहैछै।


सुनिश्चित कर कि तुहें आपन आदर्शके रुपमे ऊ सच्चा शिक्षाके सुरक्षित राख जे तुहें हमरासे सुन्लहैं। एरंको विश्वास आर प्रेमके साथ कर कहिनेकी तुहें येशू ख्रीष्टके संगे एकतामे छैं।


सेल्याके जे बात अपनासिके सिखैल गेलै रहे, ओकर अनुसरण करैके लिए अपनासब बहुते होशियार र। तब अपनासब सचसे नै भटक्बै।


हमे जानैछियै कि जबतक हमे यी शरीरमे जिन्दा छियै ते यी उचित छै कि यी बातसिके विषयमे तोरासिके अक्सर याद दिलैते रहियौ, ताकी तुहेंसब उटा बातसब भूली नैजहैं।


हे प्रिय विश्वासी भ्या-बहिनसब, हमे तोरासिके यी दोनो चिट्ठी इहे ल्याके लिख्लियौ छे ताकी जे बातसब तुहेंसब पहलहैसे जानैछैं, ओकर विषयमे तोरासिके याद दिलाबैके द्वारा हमे तोरसिके मनसिमे शुद्ध विचारसिके उत्पन्न करे सकियै।


मगर ख्रीष्ट जरुर फेर वापस ऐतै। ऊ अचानक फेर वापस आबी जैतै, जेरंके रातके समयमे कोनो चोर अचानक ही आबी जैछै। उटा समय आकाशमे गर्जनके आवाज हैतै आर आकाश अलप भ्याजैतै। आकाशमे सभे कुछु यानिकी सुरुज, चान आर तारा पुरा तरहसे जरि जैतै। उटा दिन परमेश्वर उटा सभे कामसिके प्रकट करि देतै जे काम आदमीसब कैल्कै छे ताकी ऊ ओकरसिके न्याय करे सकै।


भूतसब शासकसिके आर ओकरसिके सेनासिके उटा जगहमे जमा कैल्कै, जकरा हिब्रू भाषामे आर-मागेड्डोन कहेल जैछै। सेल्याके प्रभु येशू कहैल्कै, “यी बात सुन! हमर फेर वापस आना चोरके जुगुर अचानक हैतै। ऊ आदमी धन्य छै जे हमे फेर वापस आबैके समयमे जग्गा रहैछै आर आपन कपडा तैय्यार राखैछै। तब ऊसब नंगा नैहैतै आर ऊसब बहुते आदमीसिके बीचमे बाहार जैबौ कर्तै ते भी ओकरासिके शर्मिन्दा बनाबेवाला कोनो चीज नैहैतै।”


सेल्याके याद कर कि तुहें शुरुआतमे हमरासे केरं प्रेम कर्ते रहैं आर आब तुहें हमरा ओरंको प्रेम नैकरैछैं। यी बातसे पाप करैले छोडिके हमर तरफ मन लगा। हमरासे उहे तरहसे प्रेम करना शुरु कर जेरं तुहें शुरुआतमे कर्ते रहैं। यदि तुहें परिवर्तन नैहैभैं ते, हमे तोरलगत ऐबौ आर हमे दियाके ओकर जगहसे हट्याके तोरा सजाय देबौ।


येशू कहैछै, “हमे जल्दी ही आबैछियै। यी किताबमे लिख्ल भविष्यवाणीके बातसिके पालन करेवालासब धन्यके छै।”


हमे जल्दी ही आबेवाला छियौ। इहे ल्याके, आपन विश्वासमे मजगुतसे र, ताकी कोय भी तोर प्रतिफल छिनी नैलौ।


हमे जकरा भी प्रेम करैछियै, ओकरा हमे सिखाबैछियै आर सजाय दैछियै ताकी ऊसब बढियाँ बनी जै। सेल्याके बढियाँ काम करैमे लाग्ल र, पाप करैले छोड आर परमेश्वरके तरफ मन लगा।


हमे पैलियौ छे कि विश्वासीसिके रुपमे तोरसिके जीवन उटा स्तरसे मेल नैखैछौ जे हमर परमेश्वर निर्धारित कैल्कै छे। सेल्याके आपन आत्मिक निनसे जाग आर जे ख्रीष्टियन गुण तोरामे आब भी बच्ल छौ ओकरासिके नया बना एकरासे पहेला कि ऊ पुरा तरहसे गायब भ्याजौ।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan