प्रकाश 3:10 - केवट नया कारार10 तुहें हमर सन्देशके पालन कैल्हैं ताकी जब तुहें दुःख उठाभैं ते ओकरा धीरजके साथ सहे सक्हैं। इहे कारण, हमे तोरा बडका परीक्षाके समयमे तोर रक्षा कर्बौ। परीक्षाके यी समय संसारके सभे आदमीसिपर ऐतै। Faic an caibideil |
हमे, यूहन्ना, जे ख्रीष्टमे तोर साथी छियौ, तोरेसिके जुगुर सतैल जैछियै। हमे परमेश्वरके राज्यके एकटा नागरिक छियै जेरं कि तुहेंसब छैं आर हमरा भी आपन तकलीफके ओहिने ही धीरजके साथ सहन करना चाही जेरं तुहेंसब करैछैं। हमे परमेश्वरके वचन प्रचार करैके आर येशूके विषयमे बताबैके कारण पत्मोसके टापुमे निर्वासित करि देल गेलियै रहे।
ऊ जंगली जानवर जकरा तुहें एखन देख्लहैं, एक समय जिन्दा रहै मगर आब जिन्दा नैछै। ऊ अथाहा कुण्डसे बाहार आबेवाला छै आर परमेश्वर ओकरा पुरा तरहसे नाश करि देतै। धर्तीमे रहेवाला आदमीसब जकरसिके नाम परमेश्वर संसारके सृष्टि करैसे पहेला उटा किताबमे नैलिखल्कै छे जकरामे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन पाबेवाला आदमीसिके नाम लिख्ल छै, ऊसब सभेको आश्चर्यचकित भ्याजैतै जब यी जंगली जानवरके देख्तै। एक समय ऊ जिन्दा रहै, आब ऊ जिन्दा नैछै, मगर ऊ फेर वापस ऐतै।
उटा तकलीफसिसे नैडर जे तोरा मिल्तौ। शैतान तोरासिमेसे कुछु आदमीसिके गिरफ्तार करवैतौ आर तोरासिके कैद करि देल जैतौ ताकी ऊ तोरसिके परीक्षा करे सकौ। तुहें दश दिनतक बडका कष्टके अनुभव कर्भैं। मगर हमरापर विश्वास करैले कहियो नैछोडिहैं, चाहे तोर जान भी मारि देल जौ, कहिनेकी हमे तोरा जितके पुरस्कारके रुपमे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन देबौ।