Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




प्रकाश 22:1 - केवट नया कारार

1 तब स्वर्गदूत हमरा एकटा लद्दी देखैल्कै जकरामे जीवनके पानी रहै। पानी सिसाके जुगुर साफ रहै। उटा पानी परमेश्वर आर बलि-भेंडाके सिंहासनसे बहते रहै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




प्रकाश 22:1
30 Iomraidhean Croise  

अगर परमेश्वर ओकरद्वारा महिमित भेल छै ते परमेश्वर आपन बेटाके महिमित बनैतै, आर ऊ उटा तुरन्ते कर्तै।


हमे पिताके तरफसे तोरसिके लिए एकटा सहायक भेज्बौ। ऊ सहायक पवित्र आत्मा छै जे पिताके तरफसे आबैछै आर जे सच छै ओकरा प्रकट करैछै। जब ऊ ऐतै ते, ऊ तोरासिके हमर बारेमे बतैतौ।


मगर हमर देल पानी पियेवाला फेर कहियो प्यासा नैहैतै। कहिनेकी जे पानी हमे देबै ऊ पानी ओकरामे एकटा मोका बन्तै जे ऊ पानीके देते रहैछै जे ओकरा कहियो खतम नैहुएवाला जीवन देतै।”


आब ऊ स्वर्गमे परमेश्वर पिताके दहिना हातके बगल स्वर्गके सबसे सम्मानके जगहमे विराजमान छै। आर परमेश्वर पिता आपन प्रतिज्ञाके मुताबिक येशूके पवित्र आत्मा देल्कै आर ऊ पवित्र आत्मा हमरासिके देल छै जेरं कि ऐज तुहेंसब देखैछ आर सुनैछै।


परमेश्वर येशू ख्रीष्टके उटा गुप्त बातसब बतैल्कै जे बात बहुते जल्दी पुरा हैतै, ताकी ऊ उटा बातसब आपन सेवकसिके समनामे प्रकट करे सकै। तब येशू आपन सेवक हमे, यूहन्नाके यी बातसब देखाबैके लिए आपन स्वर्गदूतके भेजल्कै।


यी सहर परमेश्वरके तरफसे मिलेवाला तेज रोशनीसे चमकते रहै। यी सहरके चमक किमती पत्थल सूर्यकान्तके जुगुर चमकते रहै, आर सिसाके जुगुर साफ रहै।


तब ऊ हमरा कहैल्कै, “आब सभे कुछु समाप्त भ्यागेलै छे। हम्हीं छियै जे सभे चीजसिके शुरुआत कैलियै आर हम्हीं छियै जे सभे चीजसिके समाप्त कर्बै। हमे उहे परमेश्वर छियै जे समयके शुरुआतसे ल्याके एखनतक आर सभे दिनके लिए नैबदलैछियै। जे कोय भी प्यास्ल छै, हमे ओकरा उटा पानीके मोकासे फोकटमे पानी पियैके लिए देबै जे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन दैछै।


तब फेर ऊ सातटा स्वर्गदूतसिमेसे एकझन जेसब आदमीसिपर सातटा अन्तिम बिपत्तिसिसे भर्ल सातटा बाटी उझल्लकै रहे, हमरासे बात कैल्कै, ऊ कहैल्कै, “या, हमे तोरा कनियाँ देखैबौ जकर जल्दी ही बलि-भेंडाके संगे बिहा भ्याजैतै।”


परमेश्वरके आत्मा आर कनियाँ उत्तर देल्कै यानिकी ऊ आदमीसब जे येशूसे सम्बन्धित छै ऊसब कहैल्कै, “आब।” जे भी यी शब्दके सुनैछै ओकरा भी यी कहना चाही, “आब।” जे कोय भी प्यास्ल छै, ऊ एत्ते आबक। उटा पानीके पी जे जीवन दैछै, जे कि ऊ सभैके फोकटमे देल जैछै जे एकरा पियैले चाहैछै।


तब स्वर्गदूत हमरा कहैल्कै, “यी सभे बातसब जे तोरासिके बतैल गेलौ छे, सच छै, आर पुरा तरहसे विश्वास करैके योग्य छै। कहिनेकी प्रभु परमेश्वर जे आपन वक्तासिके मनसिके निर्देशन करैके लिए आपन आत्मा देल्कै रहे, उहे ही छै जे हमरा जे कि ओकर स्वर्गदूत छियै, तोरा उटा बात बताबैके लिए भेजल्कै छे जे जल्दी ही हैतै।”


जे आदमीसब जित हासिल करैछै, ओकरा हमे आपन सिंहासनके बगलमे सिंहासनपर बैठैके अधिकार देबै। यी बिल्कुल हमर जुगुर ही हैतै, जे जित हासिल कैल्कै आर आपन पिताके बगलमे आसन प्राप्त कैल्कै छे।


फेर हमे स्वर्गमे, धर्तीमे, धर्तीके निच्चा आर समुन्दर आर ओत्ते भेल सभे प्राणीके एरं कहते सुन्लियै, “या अपनासब ओकर प्रशंसा करियै जे सिंहासनमे बैठ्ल छै। या अपनासब बलि-भेंडाके महिमा करैछियै। या अपनासब सभे दिनके लिए ओकर आदर करैछियै आर ओकरा सम्मान दियै, कहिनेकी ऊ सभैसे बेसी शक्तिशाली छै।”


तब हमे एकटा बलि-भेंडाके देख्लियै जे सिंहासन आर चारटा जिन्दा प्राणीसिके आर चौबीसटा धरमगुरुसिके बीचमे खडा रहै। बलि-भेंडाके शरीरपर एरंको चिन्ह रहै जेरं कि ओकरा पहेला जान मार्ल गेलै रहे। ओकर सातटा सिङ आर सातटा आँख रहै, यी सात आत्मासब छै जे परमेश्वरके सिंहासनके समनामे छै, जे सारा धर्तीमे भेज्ल गेलै छे।


कहिनेकी बलि-भेंडा जे सिंहासनके बीचमे छै, ओकरसिके देखभाल कर्तै ओहिने करिके जेरंके एकटा चरवाहा आपन भेंडाके देखभाल करैछै, आर ओकरासिके ताजा पानी पियैके लिए ल्याजैतै जे आदमीसिके जीवन दैछै, आर परमेश्वर ओकरसिके आँखीसे सभे लोर पोछि देतै।”


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan