प्रकाश 21:2 - केवट नया कारार2 हमे पवित्र सहरके भी देख्लियै, जे कि नया यरूशलेम सहर छै, जे स्वर्गसे परमेश्वरके तरफसे निच्चा आबैछै। उटा सहरके एकटा कनियाँके जुगुर तैय्यार कैल गेलै रहे, जकरा कपडा पिन्हैल गेलै छे आर सिंगार कैल गेलै छे आर जे दुलहाके संगे बिहा करैके लिए तैय्यार छै। Faic an caibideil |
हमे, यूहन्ना यी चिट्ठी तुहेंसब सातटा मण्डलीसिके विश्वासीसिके लिए लिखैछियै जे एशिया प्रदेशमे छै। हमे प्रार्थना करैछियै कि आपनसिके परमेश्वर तोरासिके अनुग्रह आर शान्ति दौ। ऊ उहे परमेश्वर छै जे समयके शुरुआतसे ल्याके एखनतक आर सभे दिनके लिए नैबदलैछै। आर ऊ सात आत्मासिके तरफसे, जे परमेश्वरके सिंहासनके समनामे छै।
हमे, यूहन्ना, जे ख्रीष्टमे तोर साथी छियौ, तोरेसिके जुगुर सतैल जैछियै। हमे परमेश्वरके राज्यके एकटा नागरिक छियै जेरं कि तुहेंसब छैं आर हमरा भी आपन तकलीफके ओहिने ही धीरजके साथ सहन करना चाही जेरं तुहेंसब करैछैं। हमे परमेश्वरके वचन प्रचार करैके आर येशूके विषयमे बताबैके कारण पत्मोसके टापुमे निर्वासित करि देल गेलियै रहे।
ऊसब जे जित हासिल करैछै, जेरंके एकटा खम्भा घरके मजगुत बनाबैछै, ओहिने करिके ऊसब भी सभे दिनके लिए परमेश्वरके मन्दिरमे रहतै। हमे ओकरासिमे हमर परमेश्वरके नाम लिख्बै आर परमेश्वरके सहरके नाम लिख्बै, यानिकी नया यरूशलेम सहर। यी उहे सहर छै जे स्वर्गसे यानिकी हमर परमेश्वरके तरफसे निच्चा ऐतै। हमे ओकरसिमे हमर नया नाम भी लिख्बै।