Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




प्रकाश 21:1 - केवट नया कारार

1 एकरबाद हमे नया आकाश आर नया धर्ती देख्लियै। कहिनेकी पुरना आकाश आर धर्ती समुन्दर समेत गायब भ्यागेलै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




प्रकाश 21:1
13 Iomraidhean Croise  

सृष्टि आपनहैं उटा दिनके इन्तजारमे छै, जब यी मौत आर विनाशसे मुक्त भ्याजैतै आर परमेश्वरके सन्तानसिके महिमाके संगे सामिल हैतै।


मगर ख्रीष्ट जरुर फेर वापस ऐतै। ऊ अचानक फेर वापस आबी जैतै, जेरंके रातके समयमे कोनो चोर अचानक ही आबी जैछै। उटा समय आकाशमे गर्जनके आवाज हैतै आर आकाश अलप भ्याजैतै। आकाशमे सभे कुछु यानिकी सुरुज, चान आर तारा पुरा तरहसे जरि जैतै। उटा दिन परमेश्वर उटा सभे कामसिके प्रकट करि देतै जे काम आदमीसब कैल्कै छे ताकी ऊ ओकरसिके न्याय करे सकै।


मगर अपना विश्वासीसब नया स्वर्ग आर नया धर्तीके इन्तजार करैछियै जकर परमेश्वर प्रतिज्ञा कैल्कै छे, जते हरेक जगहके आदमीसब परमेश्वरके इच्छाके मुताबिक रहतै।


एकरबाद हमे एकटा जंगली जानवरके समुन्दरसे निकल्ते देख्लियै, जकर सातटा मुडा आर दशटा सिङ रहै। हरेक सिङमे एकटा मकुट रहै आर हरेक मुडामे परमेश्वरके विरुद्धमे एकटा ईश्वर निन्दावाला नाम लिख्ल गेलै रहे।


फेर हमे एकटा उजरा सिंहासन देख्लियै जकरापर परमेश्वर विराजमान रहै। मगर ओत्ते जते परमेश्वर विराजमान रहै, ओत्तेसे धर्ती आर आकाश सभे गायब भ्यागेलै आर कोय भी ओकरासिके फेर नैदेखल्कै।


तब सिंहासनमे विराजमान भेल परमेश्वर हमरा कहैल्कै, “देख, आब हमे सभे बात नया बनैबै।” ऊ हमरा एरं भी कहैल्कै, “यी बात लिख, जे हमे कहैछियौ तुहें उटा बात पर विश्वास करे सकैछैं। यी बातसब निश्चित रुपसे हैतै।”


आकाश उटा किताबके जुगुर गायब भ्यागेलै जकरा लपेटी लेल जैछै आर सभे पहाड आर समुन्दरके सभे टापूसब आपन जगहसे हटी गेलै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan