Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




प्रकाश 20:2 - केवट नया कारार

2-3 ऊ उटा विशाल अजगर यानिकी पुरना साँपके जकरा शैतान भी कहेल जैछै, झपटीके पक्डल्कै। ऊ ओकरा बान्ही देल्कै आर अथाहा कुण्डमे फेकि देल्कै। ऊ केबाड बन्द करिके ताला लग्या देल्कै आर ओकरापर लाहा छाप लग्या देल्कै ताकी उटा अथाहा कुण्डके एक हजार सालतक खोल्ल नैजै। इहे ल्याके उटा समयके दौरान शैतान एक हजार सालतक जात-जातके आदमीसिके धोखा नै दिए सक्तै। एकरबाद, ओकरा फेरसे कुछु समयके लिए रिहा कैल जैतै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




प्रकाश 20:2
31 Iomraidhean Croise  

जे भी आदमी आपन घरके त्याग करिदेल्कै या भ्या-बहिनके या मयाँ-बाबुके या बेटाबेटीके या जगह जमिनके त्यागल्कै छे, जे चीज ऊ त्यागल्कै छे उटा सभे चीज वापस पैतै, आर कहियो खतम नैहुएवाला जीवन पैतै।


अचानक ऊसब एरं कहिके चिकरीके कहे लाग्लै, “हे येशू, परमेश्वरके बेटा, तुहें हमरासिके कथिले परेशान करैछ? हमरसिके न्यायके समय नैपुगिके तुहें हमरासिके कष्ट दियैले ऐलह छे?”


कोय आदमीसब उटा रस्ताके जुगुर छै जकरामे बिहन गिर्लै। ऊसब एरंको आदमीसब छै जे वचन सुनैछै, तब शैतान तुरन्ते आबैछै आर ओकरासिके उटा सभे बात भूल्या दैछै जेटा ऊसब सुनल्कै रहे।


आर बडका आवाजमे ऊ चिकरीके कहैल्कै, “हे येशू, परमप्रधान परमेश्वरके बेटा, तुहें हमरासिके कथिले परेशान करैछ? परमेश्वरके समनामे एकटा किरिया खा कि तुहें हमरासिके नैसतैभ।”


संसारमे आदमीसिके फैसला करैके लिए परमेश्वरके समय आबी गेलै छे। येशूके द्वारा यी संसारके शासक शैतानके शक्तिके नाश करैके समय ऐल छै।


आर न्यायके विषयमे सच्चाईके देखैतै, कहिनेकी परमेश्वर पहेला ही यी संसारके मालिक शैतानके दोषी ठहरैल्कै छे।


शान्ति दिएवाला परमेश्वर जल्दी ही शैतानके शक्तिके नाश करिके ओकरा तोरसिके अधिनमे करि देतौ। आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके अनुग्रह तोरसिके संगे रहौ।


कहिनेकी आदमीसब परमेश्वरके बेटा-बेटीसब छै, यानिकी मास आर खूनसे बन्ल आर येशू भी एकटा आदमी बनी गेलै। कहिनेकी खाली एकटा आदमी बनिके ही ऊ मरे सक्ते रहै, आर खाली मरैके द्वारा ही ऊ शैतानके शक्तिके तोडे सक्ते रहै, जकर लगत मौतके शक्ति रहै।


सचेत र आर होशियार र, कहिनेकी शैतान, तोर दुश्मन तोरापर हमला करैले चाहैछौ ताकी तुहें परमेश्वरके आज्ञापालन नैकर। ऊ गर्जेवाला शेरके जुगुर छै जे खोजैछै कि ऊ ककरा ख्या सकैछै।


तुहेंसब जानैछैं कि बहुते समय पहेला जब कुछु दूतसब परमेश्वरके आज्ञाके उलंघन कैल्कै ते, ऊ ओकरासिके सजाय देल्कै। ऊ ओकरासिके नरकमे फेकि देल्कै आर ओकरासिके न्याय आर सजाय दियैके दिनतक ओकरासिके उटा अनहार कैदमे राखल्कै छे।


तोरासिके ऊ दूतसिके विषयमे भी सोचना चाही, जे उटा अधिकारसे सन्तुष्ट नैरहै, जे परमेश्वर ओकरासिके देल्कै रहे, मगर स्वर्गमे आपन घरके त्यागी देल्कै, परमेश्वर ओकरासिके निच्चा अनहारमे अनन्त सिक्कडसब ल्याके बान्ही देल्कै, जते परमेश्वर ओकरासिके उटा महान दिनके लिए राखी रहलै छे जब परमेश्वर ओकरासिके कहियो खतम नैहुएवाला सजाय देतै।


जब ऊ विशाल अजगर महसुस कैल्कै कि ओकरा धर्तीमे फेकि देल गेलै छे ते, ऊ बेटा जनमाबेवाली जनानीके खेधाडल्कै।


फेर ऊ जनानीके बाढसे भसाबैके लिए ऊ विशाल अजगर बाढके जुगुर एकटा लद्दी आपन मुखसे उल्टी कैल्कै।


नतिजा स्वरुप, ऊ विशाल अजगर ऊ जनानीसे बहुते गोसैलै। सेल्याके ऊ विशाल अजगर जनानीके सन्तानसिके विरुद्धमे युद्धके घोषणा कैल्कै। यानिकी ऊ आदमीसिके विरुद्ध जेसब परमेश्वरके आज्ञासिके पालन करैछै आर येशूके द्वारा सिखैल गेल सच्चा शिक्षासिके अनुसरण करैमे निरन्तर लाग्ल रहैछै।


तकरबाद आकाशमे दोसर एकटा अदभुद चिन्ह दिखाई देल्कै: ओत्ते एकटा बहुते विशाल लाल अजगर रहै, जे शैतान रहै। ओकर सातटा मुडा रहै आर हरेक मुडामे सातटा मकुट रहै आर दशटा सिङ रहै,


ऊ आपन नाङरसे आकाशसे एक तिहाइ तारासिके समेटीके धर्तीमे फेकि देल्कै आर ऊ विशाल अजगर जनानीके बच्चाके जनम हैते ही बच्चाके खैके लिए ओकर समनामे खडा भेलै।


इहे ल्याके ऊ विशाल अजगर आर ओकर दूतसिके धर्तीमे फेकि देल गेलै। यी विशाल अजगर उहे छै जे बहुते समय पहेला साँपके रुपमे दिखाई देल्कै रहे, जकरा शैतान या दोष लगाबेवाला भी कहेल जैछै। यी उहे छै जे यी संसारके आदमीसिके धोखा देते ऐलै छे।


यी जंगली जानवर जकरा हमे देख्लियै से चितुवाके जुगुर रहै, मगर ओकर पैर भालूके पैरके जुगुर रहै आर ओकर मुख शेरके मुखके जुगुर रहै। ऊ विशाल अजगर यी जंगली जानवरके आपन शक्ति देल्कै आर ओकरा यी धर्तीपर शासन करैके अधिकार देल्कै।


तब सभे आदमीसब ऊ विशाल अजगरके पूजा कैल्कै कहिनेकी ऊ उटा जंगली जानवरके अधिकार देल्कै रहे। ऊ आदमीसब ऊ जंगली जानवरके भी पूजा कैल्कै। ऊ आदमीसब कहैल्कै, “यी जंगली जानवरके जुगुर कोय भी शक्तिशाली नैछै। कोय भी ओकरापर हमला नैकरे सकैछै।”


एकरबाद शैतान पकड्ल जैतै, जे जात-जातके आदमीसिके भर्मैल्कै आर ओकरा गन्धकके आगिनमे फेकि देल जैतै यानिकी उटा आगिनमे जे तालाबके जुगुर बडका छै। जंगली जानवर आर झुट्ठा भविष्यवक्ताके पहेला ही ओत्ते फेकि देल गेलै रहे। आर ओत्ते उटा आगिनमे ओकरासिके सभे दिनके लिए रात-दिन तड्पैल जैतै।


एक हजार साल पुरा भेलके बाद शैतान ओकर कैदसे छोड्ल जैतै।


एकटा राजा छै जे ओकरासिके काबुमे राखैछै। यी उहे दूत छै जे अथाहा कुण्डके खोल्लकै रहे। हिब्रू भाषामे ओकर नाम “एबाड्डोन” छै आर यूनानी भाषामे “अपोल्लियन” छै जकर मतलब छै, ऊ जे नाश करैछै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan