Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




प्रकाश 2:9 - केवट नया कारार

9 हमे जानैछियै कि तोरा सतैल गेलौ छे आर तुहें गरिब छैं। मगर आत्मिक बातमे तुहें बहुते मातबर छैं। हमे ऊ आदमीसिके विषयमे जानैछियै जेसब दावा करैछै कि ऊसब परमेश्वरके चुन्ल आदमीसब यानिकी यहूदी आदमीसब छै, मगर नैछै। ऊसब तोर विषयमे अपमानवाला बात बोलैछै, मगर वास्तवमे ऊसब उटा दलके सदस्य छै जे शैतानके छै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




प्रकाश 2:9
29 Iomraidhean Croise  

तब येशू ओकरा कहैल्कै, “शैतान, तुहें हमर लगतसे दूर भ्याजो! कहिनेकी धरमशास्त्रमे लिख्ल छै: ‘तुहें खाली आपन प्रभु परमेश्वरके आगुमे झुकिके ओकर आराधना करिहैं आर खाली ओकरे सेवा करिहैं।’ ”


अहिने ही ऊ आदमीके संगे हैतै जे सभे कुछु आपन लिए जमा करैछै, मगर परमेश्वरके सेवा करैके लिए आपन क्षमतासिके आर धन-दौलतसिके उपयोग नैकरैछै।”


ऊसब ओकर बहुते अपमान कैल्कै।


परमेश्वरके आत्मा हमर उप्परमे छै, कहिनेकी गरिबसिके खुश-खबरी सुनाबैके लिए परमेश्वर हमरा नियुक्त कैल्कै छे। हमरा बन्दीसिके शैतानसे आजाद करैके लिए, अनराहसिके दृष्टि दियैके लिए आर सभेको जे दब्ल-कुचल्ल छै, ओकरासिके आजाद करैके लिए भेज्ल गेलै छे,


तब येशू आपन चेलासिके महर देखिके कहैल्कै, “धन्य छै परमेश्वरके जरुरत महसुस करेवाला आदमीसब! कहिनेकी स्वर्गके राज्य ओकरेसिके छै।


हमे यी सभे बात तोरासिके यी कारणसे कहैलियौ छे, कि हमरामे तोरासिके शान्ति हौ कहिनेकी तुहें हमरसंगे रहैछैं। संसारमे तोरासिके संकट हैतौ, मगर हिम्मत कर, हमे यी संसारके शासक यानी शैतानके पराजित करि देलियै छे।”


ऊसब सभे सहरमे चेलासिके मनके मजगुत बनैते रहलै आर यी उपदेश दै कि आपन विश्वासमे स्थिर र, आर यी कहै, “अपनासिके बहुते कष्ट सहिके परमेश्वरके राज्यमे प्रवेश करे पड्तै।”


आर हमे यहूदी आदमीसिके सभाघरसिमे बार-बार जैके ओकरासिके सजाय दिलैलियै, आर ओकरासिसे येशूके अपमान करवाबैके कोशिश कैलियै। आर एत्तेतक कि हमे एतनें सनकी भ्या गेलियै कि हमे ओकरासिके सताबैके लिए दोसर सहरसिमे भी गेलियै।


आपनसिके संगे भेल आशामे आनन्दित र। संकटमे धीरज धारण कर, प्रार्थनामे सभे दिन लाग्ल र।


कहिनेकी तुहें खुदके यहूदी आदमी कहैछैं, विधि-विधानमे भरोसा राखैछैं, परमेश्वर तोरासिके बहुते पसन्द करैछौ कहिके घमण्ड करैछैं।


खाली एतनें ही नै, अपनासब संकटमे भेल समयमे भी आनन्दित हुए सकैछियै, अपनासिके मालुम छै कि आपनसिके दुःख भोग्ल कारणसे अपनासब आरहौ बेसी धीरज राखैले सिखैछियै।


कोय भी अपनासिके ख्रीष्टके प्रेमसे अलग नैकरे सक्तै। संकट या दुःख या सतावट या अकाल या नंगापन या खतरा या तलवार, यी सभे चीजसिमेसे एकटा भी अपनासिके ख्रीष्टके प्रेमसे अलग नैकरे सक्तै।


मगर परमेश्वर आपन प्रतिज्ञा पुरा करैमे विफल नैभेलै छे। कहिनेकी सभे इस्राएलके सन्तान सच्कोर इस्राएली नैछै।


हमरसिके लगत दुःखके समय रहै, मगर सभे दिन आनन्दित रहैछियै। हमेसब खुद ते कंगाल छियै, मगर बहुते आदमीसिके आत्मिक रुपसे मातबर बन्या दैछियै। हमरसिके लगत आपन कुछु नैहैते पर भी सभे कुछु छै।


जब बहुते बेसी परेशानीसिसे ओकरसिके परीक्षा कैल गेलै ते, ऊसब बहुते आनन्दित भेलै आर जब कि ऊसब बहुते गरिब रहै, तैय्योपर भी ऊसब दोसर विश्वासीसिके सहायता करैके लिए बहुते उदारतासे धन देल्कै।


तुहेंसब आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके अनुग्रहके जानैछैं, कि ऊ मातबर भ्याके भी तोरसिके खातिर गरिब बन्लै ताकी ओकर गरिबीसे तुहेंसब मातबर हुए सक्हैं।


कहिनेकी पहेला भी जब हमेसब तोरसिकते रहियै ते, तोरासिके कहते रहियौ कि अपनासिके कष्ट भोगना छै आर अहिने भेलै छे आर यी बात तुहेंसब जानै भी छैं।


हमे विश्वासी हुऐसे पहेला ख्रीष्टके बारेमे अपमानके बातसब बोल्ते रहियै, आर विश्वासीसिके सताबियै, आर ओकरसिके प्रति क्रूर व्यवहार करियै। तखनतक हमे ख्रीष्टमे विश्वास नैकैलियै रहे आर सेल्याके हमे यी बात नैबुझ्लियै रहे कि हमे जे काम कर्ते रहियै उटा काम गलत रहै। सेल्याके ख्रीष्ट हमरप्रति दयालु भेलै।


ओकरासिके बहुते बढियाँ कामसब करैके लिए कहैं। ऊसब बढियाँ काम करैमे मातबर हुए पडैछै आर जरुरत पडल आदमीसिके उदारताके साथ दै आर ओकरसिके संगमे जे छै से चीजसब बाँट-चुट कर्ते रहै।


हमे, यूहन्ना, जे ख्रीष्टमे तोर साथी छियौ, तोरेसिके जुगुर सतैल जैछियै। हमे परमेश्वरके राज्यके एकटा नागरिक छियै जेरं कि तुहेंसब छैं आर हमरा भी आपन तकलीफके ओहिने ही धीरजके साथ सहन करना चाही जेरं तुहेंसब करैछैं। हमे परमेश्वरके वचन प्रचार करैके आर येशूके विषयमे बताबैके कारण पत्मोसके टापुमे निर्वासित करि देल गेलियै रहे।


हमे जानैछियै कि तोर सहर शैतानके कब्जामे छौ, मगर एकर बावजुद भी तुहें हमरापर आपन विश्वासके मजगुतसे पक्डीके राख्लहैं छे आर तुहें हमर शिक्षासिके नैछोडलहैं छे, एत्तेतक कि तखनी भी नै जब बहुते समय पहेला एन्टिपासके जान मार्ल गेलै रहे। ऊ हमर वचनके प्रचार करैमे विश्वासयोग्य रहै, इहे ल्याके ओकरा तोर सहरमे जान मार्ल गेलै जे सहर शैतानके कब्जामे छै।


हमे जानैछियै कि तुहें कि करैछैं। तुहें पुरा मेहनतसे हमर काम करैछैं, हमरापर विश्वास करैके कारण जब तोरा सतैल जैछौ तैय्योपर भी तुहें सहैछैं। हमे जानैछियै कि तुहें दुष्ट आदमीसिके स्वीकार नैकरैछैं। तुहें एरंको आदमीसिके जाँच कैल्हैं छे, जे झुट्ठा दावा करैछै कि ऊसब चुन्ल आर भेज्ल चेला छै आर तुहें बुझी गेल्हैं छे कि ऊसब झुट्ठा छै।


मगर थिआटिरा सहरमे तुहें बाँकी आदमीसब उटा झुट्ठा शिक्षाके अनुसरण नैकैल्हैं छे। तुहें उटा शिक्षाके सिखैले नैचाहैछैं जकरा शैतानके ज्ञान कहेल जैछै। हमे तोरासिसे कहैछियौ कि हमे तोरासिपर कोनो दोसर महत्वपूर्ण आज्ञा नै लादबौ, सिवाय एकर कि जबतक हमे नै आबैछियौ तबतक आपन विश्वासमे मजगुतसे र।


हमे ऊ आदमीसिके विषयमे जानैछियै जेसब दावा करैछै कि ऊसब परमेश्वरके चुन्ल आदमीसब यानिकी यहूदी आदमीसब छै, मगर नैछै। ऊसब झुठ बोलैछै, वास्तवमे ऊसब उटा दलके सदस्य छै जे शैतानके छै। हमे ओकरासिके तोरलगत आबिके तोर पैरीमे गोड लागैले लगैबै आर हमे तोरा प्रेम करैछियौ कहिके ओकरासिके बुझ्या देबै।


तब हमे ओकरा कहैलियै, “हे हौ सरकार, हमे नैजानैछियै मगर तुहें जानैछ।” ऊ हमरा कहैल्कै, “यीसब ऊ आदमीसब छै जेसब महाकष्टके अनुभव कैल्कै छे। यीसब आपन कपडाके बलि-भेंडाके खूनसे धोय लेल्कै छे आर आब ऊसब उजरा भ्यागेलै छे, एकर मतलब यी छै कि ओकरसिके पापसिके मेट्या देल गेलै छे।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan