प्रकाश 2:7 - केवट नया कारार7 जे कोय यी बातके सुने सकैछै जे हमे कहैछियै, ऊ यी बातके बुझैके कोशिश करक कि पवित्र आत्मा मण्डलीके कि कहैछै। ऊ आदमीसब जे जित हासिल करैछै, ओकरासिके हमे जीवन दिएवाला गाछसे फल खैके इजाजत देबै, जे परमेश्वरके स्वर्गीय बगीचामे छै।” Faic an caibideil |
तुहेंसब जे हमर बाबुके जुगुर छह, हमे तोरासिके इहे ल्याके लिखैछिहौं, कि जे शुरुहैसे छै तुहेंसब ओकरा चिन्हैछह। हे जवानसब, हमे तोरासिके इहे ल्याके लिखैछियौ, कि तुहेंसब शैतानके जित्ले छैं। तुहेंसब जे हमर प्यारा बच्चासिके जुगुर छैं, हमे तोरासिके इहे ल्याके लिखैछियौ, कि तुहेंसब परमेश्वर पिताके चिन्हले छैं।
फेर हमे स्वर्गसे कक्रहौ बोल्ते सुन्लियै आर ऊ हमरा कहैल्कै, “यी बातसिके एत्ते लिख। आबसे ऊ आदमीसब धन्य छै जेसब प्रभुमे भरोसा कर्ते हुए मरि जैछै।” तब पवित्र आत्मा यी बात पर सहमत भेलै आर ऊ कहैल्कै, “यी सच छै। ऊसब धन्य छै कहिनेकी ऊसब आपन कडा मेहनतसे आराम पैतै आर जे काम ऊसब कैल्कै छे ओकर खातिर ओकरासिके इनाम देल जैतै।”
आर हमे कुछु देख्लियै जकर चौडाई समुन्दरके जुगुर रहै, यी आगिन मिल्ल सिसाके जुगुर दिखाई देते रहै। आर उटा समुन्दरके किनारमे जे सिसाके जुगुर रहै, हमे बहुते आदमीसिके खडा भेल देख्लियै। ऊसब ऊ आदमीसब रहै, जेसब उटा जंगली जानवरके पराजय कैल्कै रहे, कहिनेकी ऊसब ओकर पूजा करैसे इन्कार कैल्कै रहे। ऊसब ओकर मूर्तिके पूजा करैसे आर उटा संख्याके चिन्ह प्राप्त करैसे इन्कार करिदेल्कै रहे, जे उटा जंगली जानवरके नामके देखाबैछै। जंगली जानवरके पराजय करेवाला आदमीसब समुन्दरके किनारमे खडा रहै, जे सिसाके जुगुर रहै। ऊसब हातमे वीणा पकडले रहै, जे ओकरासिके परमेश्वरके तरफसे देल गेलै रहे।
जे कोय यी बातके सुने सकैछै जे हमे कहैछियै, ऊ यी बातके बुझैके कोशिश करक कि पवित्र आत्मा मण्डलीके कि कहैछै। जे आदमीसब जित हासिल करैछै, हमे ओकरासिके उटा मन्नामे से कुछु भाग देबै जे नुकैल छै। हमे ओकरासिमेसे हरेकके एकटा उजरा पत्थल भी देबै, जकरापर एकटा नया नाम लिख्ल हैतै। जे आदमी ओकरा प्राप्त कर्तै, ओकर छोडिके कोय भी उटा नामके जाने नैसक्तै।