Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




प्रकाश 2:5 - केवट नया कारार

5 सेल्याके याद कर कि तुहें शुरुआतमे हमरासे केरं प्रेम कर्ते रहैं आर आब तुहें हमरा ओरंको प्रेम नैकरैछैं। यी बातसे पाप करैले छोडिके हमर तरफ मन लगा। हमरासे उहे तरहसे प्रेम करना शुरु कर जेरं तुहें शुरुआतमे कर्ते रहैं। यदि तुहें परिवर्तन नैहैभैं ते, हमे तोरलगत ऐबौ आर हमे दियाके ओकर जगहसे हट्याके तोरा सजाय देबौ।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




प्रकाश 2:5
34 Iomraidhean Croise  

तुहेंसब सारा संसारके लिए उजेतके जुगुर छैं। पहाडमे बन्ल सहर नुकाबे नैसकैछै।


कोय भी आदमीसब चिराग बारिके ओकरा ढाकी ल्याके नैझाँपैछै, मगर घरमे भेल सभे आदमीसब उजेत पाबै कहिके चिरागके लबनामे राखैछै।


तोरासिके केरं लागैछौ अंगुरके बगानके मालिक कि कर्तै? ऊ आबिके किसानसिके जान मार्तै आर खेत दोसर आदमीसिके देतै।


ओकरामे परमेश्वरके वक्ता एलियाके जेरं आत्मा आर शक्ति हैतै। ऊ बाबुके आर बेटा-बेटीके बीचमे मेल-मिलाप करैतै आर अनाज्ञाकारी आदमीसिके धर्मी आदमीसिके बुद्धि महर घुमाबैले अगुवाई कर्तै। एरंके प्रभुके आगमनके लिए यूहन्ना बहुते आदमीसिके तैय्यार कर्तै।”


ऊसब येशूके जबाब देल्कै, “खेतके मालिक आपनहैं आबिके यी दुष्ट किसानसिके जान मार्तै, दोसर किसानके अंगुरके बगान ठिक्कामे देतै!” यी बात सुनिके आदमीसब कहैल्कै, “परमेश्वर एरं कहियो नैकरै!”


तुहें जेसब विधि-विधानके पालन करिके धर्मी घोषित हुऐले चाहैछैं, तुहेंसब अपने आपके ख्रीष्टसे अलग करैछैं आर तुहेंसब अपने आपके उटा अनुग्रहसे अलग करि लेल्हैं छे जकरासे परमेश्वर तोरासिके बचाबे सकैछौ।


ताकी तुहेंसब भ्रष्ट आर दुष्ट आदमीसिसे भर्ल यी संसारमे परमेश्वरके सिद्ध बेटा-बेटीसिके जुगुर साफ आर निर्दोष जीवन जी। यी संसारके आदमीसिके बीचमे तोरासिके आकाशके तारासिके जुगुर अनहारमे चमकना चाही जब तुहेंसब ओकरासिके उटा वचन बताबैछैं जे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन दैछै।


उटा पहेलाके दिनसिके बारेमे सोच जब तुहें पहेला बेर ख्रीष्टके विषयमे जान्लहैं रहे। याद कर कि एकर लिए तोरासिके भयंकर तकलीफ उठाबे पड्लौ रहे, तैय्योपर तुहेंसब केरं विश्वासयोग्य बन्ल रहैं।


सेल्याके हे प्रिय विश्वासी भ्या-बहिनसब, तुहेंसब पहलहैसे जानैछैं कि यी बातसब हैतै। सेल्याके होशियार र, ताकी जे आदमीसब नियमसिके नैमानैछै ओकरसिके झुठसे धोखा नैखो। यदि तुहेंसब ओकरसिके अनुसरण करैछैं ते तुहेंसब उटा बात पर शंका करैले शुरु करि देभैं जकरापर तुहेंसब एक समय मजगुतीसे विश्वास कैल्हैं रहे।


एकटा खाली परमेश्वर ही छै जे तोरासिके पाप करैसे बचाबे सकैछौ आर तोरासिके निर्दोष आर आनन्दित बनाबे सकैछौ, जब ऊ तोरासिके आपन महिमामे आपन समनामे खडा करैछौ। ऊ अपनासिके आपनसिके उद्धारकर्ता प्रभु येशू ख्रीष्टद्वारा बचैल्कै छे। महिमा, गौरव, सामर्थ्य आर अधिकार समयके शुरुआतके पहेलासे ही ओकर रहै, आब भी ओकर छै आर सभे दिनके लिए ओकर ही रहतै। आमेन।


आब हमे हमर दहिना हातमे भेल सातटा तारासिके मतलब कि छै आर दिया राखेवाला सातटा सोनाके लबनासिके मतलब कि छै से बतैबौ जे बात पहेला मालुम नैरहै। एकर मतलब यी छै: सातटा तारासब सातटा मण्डलीसिके स्वर्गदूतसब छै आर दिया राखेवाला सातटा लबनासब सातटा मण्डलीसब छै।”


आदमीसब यी कडा रौदसे झर्की गेलै आर ऊसब परमेश्वरके अपमान कैल्कै, कहिनेकी उहे ही रहै जकर लगत उटा विपत्तिसिपर अधिकार रहै। ऊसब आरहौ भी पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन नैलगैल्कै, ऊसब आरहौ भी परमेश्वरके महानताके स्वीकार नैकैल्कै।


सेल्याके पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगा, यदि तुहें खराब काम करैले बन्द नैकर्भैं ते, हमे जल्दी ही ऐबै आर जे आदमीसब गलत शिक्षा दैछै ओकरसिके विरुद्ध तलवारसे लडाई कर्बै, जे हमर मुखसे निक्लैछै जे हमर वचन छै।


हमे जानैछियै कि तुहें पुरा मेहनतसे हमर काम करैछैं, तुहें एक दोसरसे प्रेम करैछैं आर हमरापर मजगुतीसे विश्वास करैछैं। हमे जानैछियै कि तुहें केरंके एक दोसरके सहायता कैल्हैं छे आर तोर सहैके क्षमता भी जानैछियौ। हमे जानैछियै तुहें आब यी बढियाँ काम उटा समयसे बेसी करैछैं जब तुहें हमरापर पहेला बेर विश्वास कैल्हैं रहे।


हमे जानैछियै कि तुहें कि करैछैं। तुहें पुरा मेहनतसे हमर काम करैछैं, हमरापर विश्वास करैके कारण जब तोरा सतैल जैछौ तैय्योपर भी तुहें सहैछैं। हमे जानैछियै कि तुहें दुष्ट आदमीसिके स्वीकार नैकरैछैं। तुहें एरंको आदमीसिके जाँच कैल्हैं छे, जे झुट्ठा दावा करैछै कि ऊसब चुन्ल आर भेज्ल चेला छै आर तुहें बुझी गेल्हैं छे कि ऊसब झुट्ठा छै।


हमे जकरा भी प्रेम करैछियै, ओकरा हमे सिखाबैछियै आर सजाय दैछियै ताकी ऊसब बढियाँ बनी जै। सेल्याके बढियाँ काम करैमे लाग्ल र, पाप करैले छोड आर परमेश्वरके तरफ मन लगा।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan