Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




प्रकाश 19:3 - केवट नया कारार

3 ऊसब फेर एकबेर जोरसे कहैल्कै, “परमेश्वरके स्तुति है! ऊ जनानीके नाश करेवाला आगिनसे निक्लेवाला धुवाँ कहियो भी धधकैले बन्द नैहैतै।”

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




प्रकाश 19:3
9 Iomraidhean Croise  

यी इस्राएलीसब आर स्वर्गदूतसिके जुगुर ऊ आदमीसिके भी याद कर जे सदोम सहर आर गमोरा सहर आर ओकर आस-पासके गाँवमे रहते रहै ओकरसिके संगे कि भेलै रहे। ऊ आदमीसब व्यबिचारी भ्यागेलै आर सभे प्रकारके यौन भ्रष्टतासे भरि गेलै रहे। इहे ल्याके परमेश्वर ओकरासिके आगिनसे नाश करिदेल्कै। ओकरसिके संगे जे भेलै ऊ झुट्ठा शिक्षकसिके लिए एकटा चेतावनी बनी गेलै छे कि ओकरासिके भी कहियो नैमिझाबेवाला आगिनसे सजाय देल जैतै।


आगिनसे निक्लेवाला धुवाँ जे ओकरासिके सताबैछै उटा सभे दिनके लिए आकाशमहर जैतै। दिन-रात ओकरसिके सतैल जाना बन्द नैहैछै, कहिनेकी ऊसब जंगली जानवरके आर ओकर मूर्तिके पूजा कैल्कै आर ऊसब उटा जंगली जानवरके नामके छाप लेल्कै।”


जब ऊसब उटा आगिनसे निक्लेवाला धुवाँके देख्तै जे सहरके जराबैछै, तब ऊसब चिचियैतै, “यी विशाल सहरके जुगुर कोनो दोसर सहर नैछै।”


जब ओकरसंगे व्यबिचार करेवाला आर ओकर भोग-विलासके मजा लिएवाला धर्तीके राजासब ओकर जरैसे उठेवाला धुवाँ देख्तै ते ऊसब ओकर लिए कान्तै आर शोक मनैतै।


जब शक्तिशाली स्वर्गदूत बोलैले बन्द कैल्कै तब हमे जे सुन्लियै ऊ एरं रहै जेरं कि स्वर्गमे बहुते आदमीसब गीत गाबैछै, “परमेश्वरके स्तुति है! उद्धार, महिमा आर शक्ति हमरसिके परमेश्वरके छै।


तब ऊ चौबीसो धरमगुरुसब आर चारो जिन्दा प्राणीसब सिंहासनमे विराजमान भेल परमेश्वरके झुकिके आराधना कैल्कै आर एरं कहिके ओकर जय-जयकार कैल्कै, “आमेन, परमेश्वरके स्तुति है।”


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan