1 एकरबाद, हमे आरहौ एकटा स्वर्गदूतके स्वर्गसे उतरिके निच्चा ऐते देख्लियै। ओकरलगत बडका अधिकार रहै आर ओकर बडका तेजके कारण पुरा धर्तीमे उजेत भेलै।
कहिनेकी जेरंके बिजली चमक्ले से आकाशके एक भागसे दोसर भागतक उजेत हैछै, ओहिने करिके हमे, आदमीके बेटाके भी ऐते सभेको देख्तै।
सेल्याके, जब ख्रीष्ट विरोधीके रोकेवाला चीजके हटैल जैतै तब येशू ख्रीष्ट दिखाई पड्तै। तब उटा ख्रीष्ट विरोधीके प्रभु येशू नाश करैके आदेश द्याके आर ओकर फेर वापस आबैके महिमा देख्याके शक्तिहीन बनैतै।
तकरबाद हमे एकटा दोसर शक्तिशाली स्वर्गदूतके स्वर्गसे उतरिके निच्चा ऐते देख्लियै। एकटा बादल ओकर चारो तरफ रहै आर एकटा मेघ-धनुष ओकर मथाके चारो तरफ रहै। ओकर चेहरा सुरुजके जुगुर चमकते रहै आर ओकर पैर आगिनके खम्भाके जुगुर रहै।
उटा सातटा बाटी लिएवाला सातटा स्वर्गदूतसिमेसे एकझन हमरलगत आबिके कहैल्कै, “एत्ते या, हमे तोरा देखैबौ कि परमेश्वर केरंके उटा महा-वेश्याके सजाय देतै, जे एरंको जगहमे बैठैछै, जते बहुते लद्दीसब छै।
तब ऊ स्वर्गदूत हमरा कहैल्कै, “चकित नैहु। ऊ जनानी आर ओकरा लादेवाला सातटा मुडा आर दशटा सिङ भेल जंगली जानवरके मतलब हमे तोरा बतैबौ।
उटा सहरके उजेतके लिए सुरुज आर चानके जरुरत नैछै। कहिनेकी परमेश्वरके महिमा उटा सहरमे चम्कैछै आर बलि-भेंडा ही छै जे एकरा उजेत बनाबैछै।