Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




प्रकाश 17:4 - केवट नया कारार

4 यी जनानी बैगनी आर लाल रंगके कपडा पिन्हल रहै। ऊ आपन शरीरके सोनाके गहना, किमती पत्थल आर महँगा मोतीसिसे सिंगार्ल रहै। ऊ आपन दहिना हातमे दारुसे भर्ल एकटा सोनाके बाटी पकडले रहै, जे ओकर खराब कामसब आर गन्दा यौन अभ्याससिके देखाबैछै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




प्रकाश 17:4
22 Iomraidhean Croise  

ओत्ते आरहौ एकटा स्वर्गदूत रहै, जे पहेलावाला स्वर्गदूतके पाछु-पाछु एरं कहते ऐलै, “बेबिलोनके उटा नामी सहर आब हारी गेलै छे। बेबिलोन सहरके दुष्ट अनैतिक कामसिके कारण धर्तीके जात-जातके आदमीसब एक्के प्रकारके पापसब कैल्कै छे। यी एरं छै कि ऊ ओकरासिके अंगुरके मद्द पियैले देल्कै आर एकर कारणसे परमेश्वर ओकरासिके सजाय देतै।”


ओकर चीजसब बहुते प्रकारके रहै। ओत्ते सोनासब, चानीसब, किमती पत्थलसब आर मोतीसब रहै। ओकरामे बहुते बढियाँ कपडासब रहै, जे महँगा सूत, चमकदार लाल आर बैगनी रंगके कपडासे बनैल गेलै रहे। ओकरासिमे गमकौव्वा लकडीसिसे बन्ल चीजसब, हाथीके दाँतसे बन्ल चीजसब रहै आर दोसर चीजसब रहै जे महँगा लकडी या पित्तल, लूहा या संगमरमरसे बन्ल रहै,


“हे महान बेबिलोन सहर! यी सहरके सभे आदमीसिपर आबेवाला बिपत्तिसब बहुते ही भयानक छै! ऊ बढियाँ सूत्तीके कपडासब, बैगनी आर लाल रंगके कपडासब लगाबै आर सोनासब, किमती पत्थलसब आर मोतीसिसे सिंगार्ल रहै।


परमेश्वरके प्रशंसा कर कहिनेकी ओकर इन्साफ सही आर सच्चा छै। ऊ नामी वेश्याके न्याय कैल्कै कहिनेकी ऊ संसारके आदमीसिके पाप करैके लिए प्रभावित कैल्कै। परमेश्वर ओकरसे बदला लेल्कै छे कहिनेकी ओकर दाससब ओकरद्वारा हत्या कैल गेलै रहे।”


बारहटा केबाड भी एक-एकटा मोतीसे बन्ल रहै आर सहरके रस्तासब शुद्ध सोनासे बनैल गेलै रहे जे सिसाके जुगुर चमकते रहै।


ऊसब आपन कैल हत्या, जादु-टोना, व्यबिचार आर चोरीसे पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन नैलगैल्कै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan