Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




प्रकाश 17:1 - केवट नया कारार

1 उटा सातटा बाटी लिएवाला सातटा स्वर्गदूतसिमेसे एकझन हमरलगत आबिके कहैल्कै, “एत्ते या, हमे तोरा देखैबौ कि परमेश्वर केरंके उटा महा-वेश्याके सजाय देतै, जे एरंको जगहमे बैठैछै, जते बहुते लद्दीसब छै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




प्रकाश 17:1
20 Iomraidhean Croise  

ऊसब आपसमे कहैल्कै, “ऊ आपनसिके संगे रस्तामे बातचित करैबेरियाँ आर अपनासिके धरमशास्त्रके मतलब व्याख्या करैबेरियाँ कि आपनसिके हृदय उत्साह आर आशासे नैभर्ल रहै?”


अचानक दी झन प्रकट भेलै, आर ऊसब येशूसंगे बातचित कर्ते रहै। ऊसब मूसा आर एलिया रहै।


परमेश्वर येशू ख्रीष्टके उटा गुप्त बातसब बतैल्कै जे बात बहुते जल्दी पुरा हैतै, ताकी ऊ उटा बातसब आपन सेवकसिके समनामे प्रकट करे सकै। तब येशू आपन सेवक हमे, यूहन्नाके यी बातसब देखाबैके लिए आपन स्वर्गदूतके भेजल्कै।


एकरबाद हमे आकाशमे एकटा आरहौ अदभुद चिन्ह देख्लियै जे बहुते भयानक रहै। ओत्ते सातटा स्वर्गदूतसब रहै जेसब सातटा अलग-अलग किसिमके बिपत्ति लेल रहै। यी बिपत्तिसब अन्तिम छै कहिनेकी जब यी बिपत्तिसब समाप्त भ्याजैछै तब परमेश्वरके क्रोध समाप्त भ्याजैतै।


बेबिलोन सहरके बडका सहर तीनटा टुकरामे बटी गेलै आर पुरा संसारके सभे सहर नाश भ्यागेलै। कहिनेकी परमेश्वर उटा बात पुरा कैल्कै जकर ऊ बेबिलोनके जात-जातके आदमीसिके सजायके विषयमे प्रतिज्ञा कैल्कै रहे। एकरा परमेश्वरके तरफसे कठोर सजाय देल जैतै। परमेश्वर ऊ आदमीसिके बिना पानी मिलैल बहुते कडा अंगुरके मद्द पिलैतै। एकर मतलब यी छै कि ऊ बिना कोनो दयाके ओकरसिके संगे पुरा तरहसे गोसैतै।


एकरबाद, हमे आरहौ एकटा स्वर्गदूतके स्वर्गसे उतरिके निच्चा ऐते देख्लियै। ओकरलगत बडका अधिकार रहै आर ओकर बडका तेजके कारण पुरा धर्तीमे उजेत भेलै।


परमेश्वरके प्रशंसा कर कहिनेकी ओकर इन्साफ सही आर सच्चा छै। ऊ नामी वेश्याके न्याय कैल्कै कहिनेकी ऊ संसारके आदमीसिके पाप करैके लिए प्रभावित कैल्कै। परमेश्वर ओकरसे बदला लेल्कै छे कहिनेकी ओकर दाससब ओकरद्वारा हत्या कैल गेलै रहे।”


तब ऊ स्वर्गदूतसब हमरा कहैल्कै, “यी बात लिख, बलि-भेंडाके बिहाके भोजमे हकार पाबेवालासब धन्यके छै।” ऊ फेर हमरा कहैल्कै, “यी वचन परमेश्वरके तरफसे छै, यी सभे निश्चित रुपसे सच छै।”


ऊ स्वर्गदूत जे हमरसे बात कैल्कै ओकर हातमे यी सहर आर एकर केबाड आर एकर दिवालके नापैके लिए एकटा सोनाके नापेवाला लग्गा रहै।


तब फेर ऊ सातटा स्वर्गदूतसिमेसे एकझन जेसब आदमीसिपर सातटा अन्तिम बिपत्तिसिसे भर्ल सातटा बाटी उझल्लकै रहे, हमरासे बात कैल्कै, ऊ कहैल्कै, “या, हमे तोरा कनियाँ देखैबौ जकर जल्दी ही बलि-भेंडाके संगे बिहा भ्याजैतै।”


यी सभे बात देख्लके बाद, हमे स्वर्गमे एकटा खुल्ल केबाड देख्लियै आर कोय हमरासे बात कर्ते रहै आर बोलेवाला उहे रहै, जकर आवाज हमे पहेला भी सुन्लियै रहे, जकर आवाज धुतहुकके फुकैके आवाज जुगुर रहै। आर ऊ हमरा कहैल्कै: “हमरलगत एत्ते उप्पर या, आर आब एकरबाद जे बातसब हुए पड्तै से हमे तोरा देखैबौ।”


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan