Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




प्रकाश 15:2 - केवट नया कारार

2 आर हमे कुछु देख्लियै जकर चौडाई समुन्दरके जुगुर रहै, यी आगिन मिल्ल सिसाके जुगुर दिखाई देते रहै। आर उटा समुन्दरके किनारमे जे सिसाके जुगुर रहै, हमे बहुते आदमीसिके खडा भेल देख्लियै। ऊसब ऊ आदमीसब रहै, जेसब उटा जंगली जानवरके पराजय कैल्कै रहे, कहिनेकी ऊसब ओकर पूजा करैसे इन्कार कैल्कै रहे। ऊसब ओकर मूर्तिके पूजा करैसे आर उटा संख्याके चिन्ह प्राप्त करैसे इन्कार करिदेल्कै रहे, जे उटा जंगली जानवरके नामके देखाबैछै। जंगली जानवरके पराजय करेवाला आदमीसब समुन्दरके किनारमे खडा रहै, जे सिसाके जुगुर रहै। ऊसब हातमे वीणा पकडले रहै, जे ओकरासिके परमेश्वरके तरफसे देल गेलै रहे।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




प्रकाश 15:2
14 Iomraidhean Croise  

हमे ते तोरासिके पाप करैले छोड आर परमेश्वरके तरफ मन लगा कहिके पानीके बप्तिस्मा दैछियौ, मगर हमरसे पाछु आबेवाला एकटा आदमी हम्रहौसे शक्तिशाली छै, जकर जुत्ता उठाबैके योग्य हमे नैछियै। ऊ तोरासिके पवित्र आत्मा आर आगिनसे बप्तिस्मा देतौ।


यी तकलीफसिके मकसद यी देखाबैके लिए छै कि तुहेंसब सचमे परमेश्वरमे भरोसा राखैछैं या नैराखैछैं। येशू ख्रीष्टमे भेल तोरसिके विश्वास सोनासे भी मूल्यवान छौ। जेरंके नाश हुएवाला सोनाके आगिनसे जाँच्ल जैछै आर शुद्ध बनैल जैछै, ओहिने करिके यदि तोरसिके विश्वास अग्निमय परीक्षासिके द्वारा जाँच्ल गेलके बाद भी मजगुत रहैछौ ते, यी येशू ख्रीष्ट फेर वापस आबैके दिनमे तोरासिके बहुते प्रशंसा, महिमा आर सम्मान दिलैतौ।


हे प्रिय विश्वासी भ्या-बहिनसब, उटा दुःखदायी चीजसिके विषयमे आश्चर्यचकित नैहु जकर कारणसे तुहेंसब दुःख उठाबैछैं कहिनेकी तुहेंसब ख्रीष्टके छैं। मगर यी चीजसब यी देखाबैके लिए हैछै कि तुहें सचमे परमेश्वरमे विश्वास करैछैं। इहे ल्याके यी नैसोच कि तोरसिके संगे कुछु विचित्र हैछौ।


ऊसब शैतानपर जित हासिल कैल्कै छे। ऊसब ओकरा बलि-भेंडाके खूनके शक्तिसे हरैल्कै छे, जे ओकरासिके ओकरसिके पापसिसे छुटकारा दिलाबैके लिए मरि गेलै रहे। ऊसब ओकरा हरया देल्कै कहिनेकी ऊसब यी स्वीकार कर्ते रहलै कि बलि-भेंडा ओकरसिके परमेश्वर रहै। जब कि ओकरासिके सतैल गेलै एत्तेतक कि जान मारि देल गेलै, मगर ऊसब आपन स्वीकारसे पाछु नैहट्लै।


एकरबाद हमे एकटा जंगली जानवरके समुन्दरसे निकल्ते देख्लियै, जकर सातटा मुडा आर दशटा सिङ रहै। हरेक सिङमे एकटा मकुट रहै आर हरेक मुडामे परमेश्वरके विरुद्धमे एकटा ईश्वर निन्दावाला नाम लिख्ल गेलै रहे।


बहुते आदमीसब दोसर जंगली जानवरके झुट्ठा चमत्कारसिसे प्रभावित भ्याके धोखा खैल्कै जे उटा पहेलावाला जंगली जानवरके शक्तिसे कैल्कै रहे। दोसर जंगली जानवरके द्वारा आदमीसिके कहेल गेलै कि ऊसब पहेलावाला जंगली जानवरके पूजा करैके लिए एकटा मूर्ति बनाबै, जे हतियारसे घायल भ्यागेलै रहे, मगर फेरसे ठीक भ्यागेलै रहे।


खाली उहे जकरापर यी छाप रहै कुछु किने या बेचे सक्ते रहै। उटा छाप पहेलावाला जंगली जानवरके नाम रहै या ओकर नामके देखाबेवाला एकटा संख्या रहै।


यी सहर शुद्ध सोनासे बनैल गेलै रहे जे सिसाके जुगुर चमकते रहै आर एकर दिवाल सूर्यकान्त पत्थलसे बन्ल रहै।


उटा सिंहासनके समनामे एकटा फर्स रहै जे समुन्दरके जुगुर चौडा रहै आर जे सिसाके जुगुर साफ रहै। आर सिंहासनके चारो बगल चारटा जिन्दा प्राणी रहै, जकर शरीर पुरा तरहसे आँखे-आँखसे भर्ल रहै।


जब ऊ उटा किताब लेल्कै ते, ऊ चारोटा जिन्दा प्राणी आर चौबीसोटा धरमगुरुसब बलि-भेंडाके समनामे झुकी गेलै। आर हरेक धरमगुरुसब एकटा वीणा आर सोनासे बन्ल बाटी पकडले रहै। बाटी धुपसे भर्ल रहै, जे ऊ आदमीसिके प्रार्थनाके देखाबैछै जेसब परमेश्वरके सेवा करैछै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan