Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




प्रकाश 13:7 - केवट नया कारार

7 ऊ जंगली जानवरके परमेश्वरके आदमीसिके संगे लडाई करैके आर ओकरासिपर विजय प्राप्त करैके अधिकार प्राप्त भेलै। आर ओकरा हरेक जात, हरेक कुलसब, हरेक भाषासब आर हरेक देशके आदमीसिपर शासन करैके अधिकार प्राप्त भेलै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




प्रकाश 13:7
20 Iomraidhean Croise  

आर शैतान येशूके कहैल्कै, “हमे तोरा यी सभे राज्यके राजा आर एकर शान-शौकतके मालिक बनाबे सकैछियै कहिनेकी यी सभेटा हमर हातमे छै आर हमर चहेल आदमीके यी दिये सकैछियै।


येशू ओकरा जबाब देल्कै, “यदि तोरा यी अधिकार परमेश्वरके तरफसे नैदेल जैतिहौं ते हमरापर तोर कोनो अधिकार नैहैतिहौं। सेल्याके हमरा तोर हातमे सौंपेवाला आरहौ बडका पापके दोषी छै।”


तब हमरा एरं कहेल गेलै, “जे बात परमेश्वर तोरा बताबैके लिए कहैछौ, से बात अलग-अलग समूह आर जात-जातके आदमीसिके, अलग-अलग भाषा बोलेवाला आदमीसिके आर राजासिके एकबेर फेरसे बता।”


ऊ आदमीसब जेसब तोरापर विश्वास नैकरैछै बहुते गोसैल छै, आर समय आबी गेलै छे कि तुहें आपन गोस्सा देखाब आर जे मरि चुक्लै छे, ऊ सभैके फैसला करैके समय आबी गेलै छे। एखन उटा समय भी छै जब तुहें ऊ परमेश्वरके वक्तासिके इनाम देभ जेसब तोर सेवा करैछै आर ऊ जात-जातके आदमीसिके जेसब तोर सम्मान करैछै, ओकरासिके जेसब कमजोर छै आर जेसब शक्तिशाली छै। उहे समयमे तुहें ओकरासिके नाश करि देभ जेसब धर्तीपर विनाश कैल्कै छे।”


जब ऊ दीटा गवाहसब परमेश्वरके सन्देशके प्रचारके काम समाप्त करि लेतै ते, ऊ जंगली जानवर जे अथाहा कुण्डसे बाहार निकल्तै, यी जंगली जानवर ऊ दोनो गवाहके संगे लडाई करिके ओकरासिके हरैतै आर ओकरसिके जान मारि देतै।


नतिजा स्वरुप, ऊ विशाल अजगर ऊ जनानीसे बहुते गोसैलै। सेल्याके ऊ विशाल अजगर जनानीके सन्तानसिके विरुद्धमे युद्धके घोषणा कैल्कै। यानिकी ऊ आदमीसिके विरुद्ध जेसब परमेश्वरके आज्ञासिके पालन करैछै आर येशूके द्वारा सिखैल गेल सच्चा शिक्षासिके अनुसरण करैमे निरन्तर लाग्ल रहैछै।


स्वर्गदूत हमरा यी भी कहैल्कै, “जे पानी तुहें पहेला देख्लहैं रहे, जकरापर ऊ जनानी बैठ्ल रहै, ऊ जात-जातके आदमीसब, हरेक देशसब आर हरेक भाषासिके आदमीसब छै।


ऊसब यी नया गीत बलि-भेंडा यानिकी येशू ख्रीष्टके विषयमे गाबैछै, “तोरलगत यी किताबके खोलैके लिए मोहरसिके लियैके आर तोडैके अधिकार छै, कहिनेकी तोर जान मारि देल गेल्हौं रहे आर आपन मौतके खूनसे तुहें हरेक कुलसब, हरेक भाषासब, आदमी आर हरेक जात-जातके आदमीसे, परमेश्वरके लिए आदमीसिके मोल चुक्याके किनि लेलह छे।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan