Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




प्रकाश 13:5 - केवट नया कारार

5 ऊ जंगली जानवरके आपन विषयमे अहंकार करैके अधिकार प्राप्त भेलै आर एरंके ऊ जंगली जानवर परमेश्वरके अपमान कैल्कै। ओकरा बियालिस महिनातक काम करैके अधिकार प्राप्त भेलै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




प्रकाश 13:5
17 Iomraidhean Croise  

कोय कोनो किसिमसे तोरासिके प्रभु आबैके विषयमे धोखा नैदौ। कहिनेकी प्रभु येशू वापस आबैसे पहेला एरंको समय ऐतै जब आदमीसब परमेश्वरके विरुद्धमे हैतै आर दुष्ट आदमी दिखाई पड्तै जकरा परमेश्वर जरुर ही नरकमे नाश कर्तै।


ऊ परमेश्वर आर दोसर सभे चीजसिके विरोध कर्तै जकरा आदमीसब आराधना करैछै आर ईश्वर कहैछै, आर ऊ दाबी कर्तै कि ऊ सभे चीजसे बेसी महत्वपूर्ण छै। ऊ दुष्ट आदमी परमेश्वरके मन्दिरमे बैठिके सभे आदमीके समनामे अपने आपके परमेश्वर कहतै।


सेल्याके, जब ख्रीष्ट विरोधीके रोकेवाला चीजके हटैल जैतै तब येशू ख्रीष्ट दिखाई पड्तै। तब उटा ख्रीष्ट विरोधीके प्रभु येशू नाश करैके आदेश द्याके आर ओकर फेर वापस आबैके महिमा देख्याके शक्तिहीन बनैतै।


जब ऊ दीटा गवाहसब परमेश्वरके सन्देशके प्रचारके काम समाप्त करि लेतै ते, ऊ जंगली जानवर जे अथाहा कुण्डसे बाहार निकल्तै, यी जंगली जानवर ऊ दोनो गवाहके संगे लडाई करिके ओकरासिके हरैतै आर ओकरसिके जान मारि देतै।


मगर परमेश्वर यी जनानीके विशाल गरुडके दीटा डेन देल्कै ताकी ऊ उटा जगहमे उडी जै, जे सुनसान जगहमे ओकर लिए तैय्यार कैल गेलै रहे। आर ओत्ते साढे तीन सालतक ओकर देखभाल कैल गेलै ताकी विशाल अजगर ओकरलगत पहुँचे नैसकै।


तब ऊ जनानी एकटा सुनसान जगहके तरफ भाग्लै, जते एक हजार दी स साठ दिनतक ओकर पालन पोषण है कहिके परमेश्वर ओकरे लिए उटा जगह तैय्यार कैल्कै रहे।


ऊ जंगली जानवरके परमेश्वरके आदमीसिके संगे लडाई करैके आर ओकरासिपर विजय प्राप्त करैके अधिकार प्राप्त भेलै। आर ओकरा हरेक जात, हरेक कुलसब, हरेक भाषासब आर हरेक देशके आदमीसिपर शासन करैके अधिकार प्राप्त भेलै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan