Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




प्रकाश 13:4 - केवट नया कारार

4 तब सभे आदमीसब ऊ विशाल अजगरके पूजा कैल्कै कहिनेकी ऊ उटा जंगली जानवरके अधिकार देल्कै रहे। ऊ आदमीसब ऊ जंगली जानवरके भी पूजा कैल्कै। ऊ आदमीसब कहैल्कै, “यी जंगली जानवरके जुगुर कोय भी शक्तिशाली नैछै। कोय भी ओकरापर हमला नैकरे सकैछै।”

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




प्रकाश 13:4
18 Iomraidhean Croise  

यी संसारके देवता शैतान परमेश्वरके नैचिन्हेवाला आदमीसिके बुद्धिके अनराह बन्या देल्कै छे, सेल्याके ऊसब ख्रीष्ट आर ओकर महिमाके विषयमे खुश-खबरीके नैबुझे सकैछै। ख्रीष्ट परमेश्वरके प्रतिरुप छै।


ऊ परमेश्वर आर दोसर सभे चीजसिके विरोध कर्तै जकरा आदमीसब आराधना करैछै आर ईश्वर कहैछै, आर ऊ दाबी कर्तै कि ऊ सभे चीजसे बेसी महत्वपूर्ण छै। ऊ दुष्ट आदमी परमेश्वरके मन्दिरमे बैठिके सभे आदमीके समनामे अपने आपके परमेश्वर कहतै।


तकरबाद आकाशमे दोसर एकटा अदभुद चिन्ह दिखाई देल्कै: ओत्ते एकटा बहुते विशाल लाल अजगर रहै, जे शैतान रहै। ओकर सातटा मुडा रहै आर हरेक मुडामे सातटा मकुट रहै आर दशटा सिङ रहै,


ऊ आपन नाङरसे आकाशसे एक तिहाइ तारासिके समेटीके धर्तीमे फेकि देल्कै आर ऊ विशाल अजगर जनानीके बच्चाके जनम हैते ही बच्चाके खैके लिए ओकर समनामे खडा भेलै।


तकरबाद हमे आरहौ एकटा जंगली जानवरके धर्तीसे निकल्ते देख्लियै। एकर दीटा सिङ रहै जेरं भेंडाके हैछै। मगर जब ऊ बोल्लै ते ओकर आवाज विशाल अजगरके जुगुर रहै।


आर दोसर जंगली जानवरके परमेश्वरके द्वारा पहेलावाला जंगली जानवरके मूर्ति बन्याके ओकरा जिन्दा बनाबैके अनुमति देल गेलै रहे, ताकी जंगली जानवरके मूर्ति बोले भी सकै आर ऊ आदमीसिके जान मरव्या दै जेसब ऊ जंगली जानवरके मूर्तिके पूजा नैकरैछै।


यी जंगली जानवर जकरा हमे देख्लियै से चितुवाके जुगुर रहै, मगर ओकर पैर भालूके पैरके जुगुर रहै आर ओकर मुख शेरके मुखके जुगुर रहै। ऊ विशाल अजगर यी जंगली जानवरके आपन शक्ति देल्कै आर ओकरा यी धर्तीपर शासन करैके अधिकार देल्कै।


ऊसब बलि-भेंडाके विरुद्धमे लडै कर्तै मगर बलि-भेंडा ओकरासिके परास्त करि देतै कहिनेकी ऊ प्रभुसिके प्रभु आर राजासिके राजा छै। ऊ ओकरासिके आपन बोलैल, चुन्ल आर विश्वासयोग्य अनुयायीसिके संगे परास्त करि देतै।”


जब ऊसब उटा आगिनसे निक्लेवाला धुवाँके देख्तै जे सहरके जराबैछै, तब ऊसब चिचियैतै, “यी विशाल सहरके जुगुर कोनो दोसर सहर नैछै।”


आर बच्ल आदमीसब, जेसब उटा हानीकारक घोडासिके द्वारा जान नै मार्ल गेलै, ऊसब आपन सोना, चानी, पित्तल, पत्थल, आर लकडीके मूर्तिसिके पूजा करैले नैछोडल्कै, जे ऊसब बनैल्कै रहे। यी मूर्तिसब देखे नैसकैछै, सुने नैसकैछै, आर लरे भी नैसकैछै। ऊसब भूत-प्रेतसिके भी पूजा करैले नैछोडल्कै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan