प्रकाश 13:2 - केवट नया कारार2 यी जंगली जानवर जकरा हमे देख्लियै से चितुवाके जुगुर रहै, मगर ओकर पैर भालूके पैरके जुगुर रहै आर ओकर मुख शेरके मुखके जुगुर रहै। ऊ विशाल अजगर यी जंगली जानवरके आपन शक्ति देल्कै आर ओकरा यी धर्तीपर शासन करैके अधिकार देल्कै। Faic an caibideil |
मगर उटा जंगली जानवरके पक्डी लेल गेलै आर ओकरसंगे उटा झुट्ठा-भविष्यवक्ताके भी पक्डी लेल गेलै जे जंगली जानवरके तरफसे झुट्ठा चमत्कारसब देख्याके ऊ आदमीसिके बहकैते रहै, जे आदमीसब ऊ जंगली जानवरके छाप आपन कपारमे लेल्कै रहे आर ओकर मूर्तिके पूजा कैल्कै रहे। ऊ जंगली जानवर आर झुट्ठा-भविष्यवक्ता दोनोके गन्धकसे धधक्ते रहेवाला आगिनके कुण्डमे जिन्दे फेकि देल गेलै।
हमे जानैछियै कि तोर सहर शैतानके कब्जामे छौ, मगर एकर बावजुद भी तुहें हमरापर आपन विश्वासके मजगुतसे पक्डीके राख्लहैं छे आर तुहें हमर शिक्षासिके नैछोडलहैं छे, एत्तेतक कि तखनी भी नै जब बहुते समय पहेला एन्टिपासके जान मार्ल गेलै रहे। ऊ हमर वचनके प्रचार करैमे विश्वासयोग्य रहै, इहे ल्याके ओकरा तोर सहरमे जान मार्ल गेलै जे सहर शैतानके कब्जामे छै।
ऊ उटा विशाल अजगर यानिकी पुरना साँपके जकरा शैतान भी कहेल जैछै, झपटीके पक्डल्कै। ऊ ओकरा बान्ही देल्कै आर अथाहा कुण्डमे फेकि देल्कै। ऊ केबाड बन्द करिके ताला लग्या देल्कै आर ओकरापर लाहा छाप लग्या देल्कै ताकी उटा अथाहा कुण्डके एक हजार सालतक खोल्ल नैजै। इहे ल्याके उटा समयके दौरान शैतान एक हजार सालतक जात-जातके आदमीसिके धोखा नै दिए सक्तै। एकरबाद, ओकरा फेरसे कुछु समयके लिए रिहा कैल जैतै।