प्रकाश 13:12 - केवट नया कारार12 यी दोसर जंगली जानवर उटा पहेलावाला जंगली जानवरके सभे अधिकारके प्रयोग करैछै। दोसर जंगली जानवर धर्ती आर एकरामे रहेवालासिसे उटा पहेलावाला जंगली जानवरके पूजा करवाबैछै, जकरा घाके निशान रहै, जे ओकर मरैके कारण बने सक्ते रहै। मगर ओकर घा ठीक भ्यागेलै रहे। Faic an caibideil |
ऊ जंगली जानवर जकरा तुहें एखन देख्लहैं, एक समय जिन्दा रहै मगर आब जिन्दा नैछै। ऊ अथाहा कुण्डसे बाहार आबेवाला छै आर परमेश्वर ओकरा पुरा तरहसे नाश करि देतै। धर्तीमे रहेवाला आदमीसब जकरसिके नाम परमेश्वर संसारके सृष्टि करैसे पहेला उटा किताबमे नैलिखल्कै छे जकरामे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन पाबेवाला आदमीसिके नाम लिख्ल छै, ऊसब सभेको आश्चर्यचकित भ्याजैतै जब यी जंगली जानवरके देख्तै। एक समय ऊ जिन्दा रहै, आब ऊ जिन्दा नैछै, मगर ऊ फेर वापस ऐतै।
मगर उटा जंगली जानवरके पक्डी लेल गेलै आर ओकरसंगे उटा झुट्ठा-भविष्यवक्ताके भी पक्डी लेल गेलै जे जंगली जानवरके तरफसे झुट्ठा चमत्कारसब देख्याके ऊ आदमीसिके बहकैते रहै, जे आदमीसब ऊ जंगली जानवरके छाप आपन कपारमे लेल्कै रहे आर ओकर मूर्तिके पूजा कैल्कै रहे। ऊ जंगली जानवर आर झुट्ठा-भविष्यवक्ता दोनोके गन्धकसे धधक्ते रहेवाला आगिनके कुण्डमे जिन्दे फेकि देल गेलै।
तब फेर हमे कुछु सिंहासनसब देख्लियै, जकरापर बैठेवालाके मुडासिके काटी देल गेलै रहे कहिनेकी ऊसब येशूके सन्देश आर परमेश्वरके वचनके घोषणा कैल्कै रहे। यी आदमीसब उटा जंगली जानवर आर ओकर मूर्तिके पूजा नैकैल्कै रहे आर यीसब आपन मथामे आर हातसिमे जंगली जानवरके छाप नैलगैल्कै रहे। ऊसब फेरसे जिन्दा भ्यागेलै रहे आर सिंहासनसिमे बैठी गेलै। परमेश्वर ओकरासिके राज्य करैके अधिकार देल्कै आर ऊसब ख्रीष्टके संगे एक हजार सालतक राज्य कैल्कै।