Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




प्रकाश 12:9 - केवट नया कारार

9 इहे ल्याके ऊ विशाल अजगर आर ओकर दूतसिके धर्तीमे फेकि देल गेलै। यी विशाल अजगर उहे छै जे बहुते समय पहेला साँपके रुपमे दिखाई देल्कै रहे, जकरा शैतान या दोष लगाबेवाला भी कहेल जैछै। यी उहे छै जे यी संसारके आदमीसिके धोखा देते ऐलै छे।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




प्रकाश 12:9
68 Iomraidhean Croise  

येशू चेलासिके कहैल्कै, “हमे देख्लियै कि शैतान हारिके अचानक स्वर्गसे बिजलीके जेरं खस्ते देख्लियै।


संसारमे आदमीसिके फैसला करैके लिए परमेश्वरके समय आबी गेलै छे। येशूके द्वारा यी संसारके शासक शैतानके शक्तिके नाश करैके समय ऐल छै।


एकरबाद शैतान पकड्ल जैतै, जे जात-जातके आदमीसिके भर्मैल्कै आर ओकरा गन्धकके आगिनमे फेकि देल जैतै यानिकी उटा आगिनमे जे तालाबके जुगुर बडका छै। जंगली जानवर आर झुट्ठा भविष्यवक्ताके पहेला ही ओत्ते फेकि देल गेलै रहे। आर ओत्ते उटा आगिनमे ओकरासिके सभे दिनके लिए रात-दिन तड्पैल जैतै।


हमेसब जानैछियै, अपनासब परमेश्वरके बेटा-बेटीसब छियै आर सारा संसार ऊ शैतानके अधिनमे छै।


यी संसारके देवता शैतान परमेश्वरके नैचिन्हेवाला आदमीसिके बुद्धिके अनराह बन्या देल्कै छे, सेल्याके ऊसब ख्रीष्ट आर ओकर महिमाके विषयमे खुश-खबरीके नैबुझे सकैछै। ख्रीष्ट परमेश्वरके प्रतिरुप छै।


तकरबाद स्वर्गमे लडाई शुरु भेलै। परमेश्वरके प्रमुख स्वर्गदूतसिमेसे एकझन जकर नाम मिखायल छै, आपन अधिनमे भेल दोसर स्वर्गदूतसिके संगे विशाल अजगरके हमला कैल्कै आर विशाल अजगर आर ओकर दूतसब भी ओकरसिके विरुद्ध लडाई कैल्कै।


तुहेंसब आपन बाबु शैतानके सन्तान छैं, आर तुहेंसब ओकरे इच्छा पुरा करैले चाहैछैं। ऊ ते शुरुहैसे हत्यारा छै, आर ओकरा सच्चाईसे कुछु लेना देना नैछै, कहिनेकी ओकरामे सच्चाई छैबे नैकरै। ऊ जब झुठ बोलैछै ते ऊ आपन स्वभावके अनुसार ही बोलैछै, कहिनेकी ऊ झुट्ठा छै आर झुठके बाबु छै।


आर ऊ जात-जातके आदमीसिके धोखा दियैके लिए बाहार ऐतै जे पुरा संसारभर छिरियैल छै। यी जात-जातके आदमीसब गोग आर मागोग देशके आदमीसब कहेल जैछै। शैतान ओकरासिके सभैके एकटा जगहमे जमा कर्तै जते ऊसब लडाई कर्तै। ऊसब बहुते संख्यामे हैतै, एतनें कि कोय ओकरासिके समुन्दरके किनारमे भेल बालुके जुगुर गिने नैसक्तै।


तकरबाद आकाशमे दोसर एकटा अदभुद चिन्ह दिखाई देल्कै: ओत्ते एकटा बहुते विशाल लाल अजगर रहै, जे शैतान रहै। ओकर सातटा मुडा रहै आर हरेक मुडामे सातटा मकुट रहै आर दशटा सिङ रहै,


तब पाँचवा स्वर्गदूत आपन धुतहुक फुकल्कै आर हमे एकटा ताराके आकाशसे धर्तीमे खस्ल देख्लियै। एकरा उटा चाभी देल गेलै, जे उटा अथाहा कुण्डके खोले सकैछै जकर गहराईके कोनो अन्त नैछै।


मगर थिआटिरा सहरमे तुहें बाँकी आदमीसब उटा झुट्ठा शिक्षाके अनुसरण नैकैल्हैं छे। तुहें उटा शिक्षाके सिखैले नैचाहैछैं जकरा शैतानके ज्ञान कहेल जैछै। हमे तोरासिसे कहैछियौ कि हमे तोरासिपर कोनो दोसर महत्वपूर्ण आज्ञा नै लादबौ, सिवाय एकर कि जबतक हमे नै आबैछियौ तबतक आपन विश्वासमे मजगुतसे र।


हमे जानैछियै कि तोर सहर शैतानके कब्जामे छौ, मगर एकर बावजुद भी तुहें हमरापर आपन विश्वासके मजगुतसे पक्डीके राख्लहैं छे आर तुहें हमर शिक्षासिके नैछोडलहैं छे, एत्तेतक कि तखनी भी नै जब बहुते समय पहेला एन्टिपासके जान मार्ल गेलै रहे। ऊ हमर वचनके प्रचार करैमे विश्वासयोग्य रहै, इहे ल्याके ओकरा तोर सहरमे जान मार्ल गेलै जे सहर शैतानके कब्जामे छै।


सचेत र आर होशियार र, कहिनेकी शैतान, तोर दुश्मन तोरापर हमला करैले चाहैछौ ताकी तुहें परमेश्वरके आज्ञापालन नैकर। ऊ गर्जेवाला शेरके जुगुर छै जे खोजैछै कि ऊ ककरा ख्या सकैछै।


आर यी कोनो आश्चर्यके बात नैछै कहिनेकी शैतान भी अपने आपके स्वर्गदूतके रुपमे परिवर्तन करैछै।


ताकी शैतान आपनसिके फैदा उठाबे नैसकै, कहिनेकी अपनासब जानैछियै कि ऊ हर बखत अपनासिके पाप करवाबैके लिए लोभाबैके तरिकासिके योजना बनाबैछै।


कहिनेकी एरंको आदमीसब आपनसिके प्रभु ख्रीष्टके नै, मगर आपन पेटके लिए सेवा करैछै, आर ओकरसिके मिठ्ठ-मिठ्ठ बोली आर चापलुसीवाला बातसे सिधा-साधा आदमीसिके धोखा दैछै।


हमे चाहैछियै कि तुहें ओकरसिके आँख खोली दहैं, ताकी ऊसब अनहारसे उजेत महर, आर शैतानके शक्तिसे परमेश्वरके तरफ आबै। एरंके ऊसब आपन पापके माफी पैतै आर हमरपरके विश्वासद्वारा पवित्र भेलसिके स्थान ऊसब भी पैतै।’


सिमोन, सिमोन, देख, शैतान तोरसिके सभैके जाँच करैके लिए परमेश्वरसे अनुमति माँगल्कै छे, बढियाँके खराबसे अलग करैके लिए, जेरंके एकटा किसान गहुमके भुस्सासे अलग करैछै।


मगर जेरंके शैतान साँपके रुपमे आपन चलाकीसे पहेला जनानी हब्बाके बहकैल्कै, ओहिने करिके हमरा डर लाग्ल छै कि तुहेंसब ख्रीष्टके सेवामे आपन निष्कपट आर शुद्ध भक्तिके त्यागी देभैं।


तब यहूदा स्करियोत जे बारह चेलासिमेसे एकटा रहै, ओकर भितरमे शैतान ढुक्लै।


रस्तामे खस्ल बिहनके मतलब छै कि ऊसब परमेश्वरके वचन सुनैछै, मगर परमेश्वरके वचन सुनिके आपन मनमे नैराखे सकैछै, कारण ऊसब परमेश्वरमे विश्वास करिके उद्धार नैपाबे सकै कहिके शैतान तुरन्ते आबैछै आर ओकरासिके उटा सभे बात भूल्या दैछै जेटा ऊसब सुनल्कै रहे।


तकरबाद ऊ आपन बायाँ बगलके आदमीसिके कहतै, ‘श्रापित आदमीसब! हमरसे दूर हो आर शैतान आर ओकर दूतसिके लिए परमेश्वरसे तैय्यार कैल कहियो नैमिझाबेवाला आगिनमे जो।


तब येशू ओकरा कहैल्कै, “शैतान, तुहें हमर लगतसे दूर भ्याजो! कहिनेकी धरमशास्त्रमे लिख्ल छै: ‘तुहें खाली आपन प्रभु परमेश्वरके आगुमे झुकिके ओकर आराधना करिहैं आर खाली ओकरे सेवा करिहैं।’ ”


फेर शैतान येशूके एकटा बडका पहाडमे लज्याके संसारके सभे राज्य आर ओकर शान-शौकत ओकरा देखैल्कै।


तकरबाद शैतान येशूके पवित्र सहर, यरूशलेम सहरके परमेश्वरके मन्दिरके उच्च जगहमे लज्याके खडा करैल्कै।


तब शैतान येशूके परीक्षा करै कहिके पवित्र आत्मा येशूके सुनसान जगहमे ल्यागेलै।


मगर उटा जंगली जानवरके पक्डी लेल गेलै आर ओकरसंगे उटा झुट्ठा-भविष्यवक्ताके भी पक्डी लेल गेलै जे जंगली जानवरके तरफसे झुट्ठा चमत्कारसब देख्याके ऊ आदमीसिके बहकैते रहै, जे आदमीसब ऊ जंगली जानवरके छाप आपन कपारमे लेल्कै रहे आर ओकर मूर्तिके पूजा कैल्कै रहे। ऊ जंगली जानवर आर झुट्ठा-भविष्यवक्ता दोनोके गन्धकसे धधक्ते रहेवाला आगिनके कुण्डमे जिन्दे फेकि देल गेलै।


यी भूतसिके लगत झुट्ठा चमत्कार करैके क्षमता रहै आर ऊसब जैके ऊ आदमीसिके जमा कैल्कै, जेसब यी संसारके सभे देशमे राज्य कर्ते रहै, ताकी ऊसब सर्वशक्तिमान परमेश्वरके महान दिनमे ओकर विरुद्धमे लडै करैके लिए ज्या सकै। यी उटा दिन छै जब परमेश्वर आपन दुश्मनसिके नाश कर्तै आर आपन आदमीसिके बचैतै।


बहुते आदमीसब दोसर जंगली जानवरके झुट्ठा चमत्कारसिसे प्रभावित भ्याके धोखा खैल्कै जे उटा पहेलावाला जंगली जानवरके शक्तिसे कैल्कै रहे। दोसर जंगली जानवरके द्वारा आदमीसिके कहेल गेलै कि ऊसब पहेलावाला जंगली जानवरके पूजा करैके लिए एकटा मूर्ति बनाबै, जे हतियारसे घायल भ्यागेलै रहे, मगर फेरसे ठीक भ्यागेलै रहे।


आर बच्ल आदमीसब, जेसब उटा हानीकारक घोडासिके द्वारा जान नै मार्ल गेलै, ऊसब आपन सोना, चानी, पित्तल, पत्थल, आर लकडीके मूर्तिसिके पूजा करैले नैछोडल्कै, जे ऊसब बनैल्कै रहे। यी मूर्तिसब देखे नैसकैछै, सुने नैसकैछै, आर लरे भी नैसकैछै। ऊसब भूत-प्रेतसिके भी पूजा करैले नैछोडल्कै।


हमे ऊ आदमीसिके विषयमे जानैछियै जेसब दावा करैछै कि ऊसब परमेश्वरके चुन्ल आदमीसब यानिकी यहूदी आदमीसब छै, मगर नैछै। ऊसब झुठ बोलैछै, वास्तवमे ऊसब उटा दलके सदस्य छै जे शैतानके छै। हमे ओकरासिके तोरलगत आबिके तोर पैरीमे गोड लागैले लगैबै आर हमे तोरा प्रेम करैछियौ कहिके ओकरासिके बुझ्या देबै।


हमे जानैछियै कि तोरा सतैल गेलौ छे आर तुहें गरिब छैं। मगर आत्मिक बातमे तुहें बहुते मातबर छैं। हमे ऊ आदमीसिके विषयमे जानैछियै जेसब दावा करैछै कि ऊसब परमेश्वरके चुन्ल आदमीसब यानिकी यहूदी आदमीसब छै, मगर नैछै। ऊसब तोर विषयमे अपमानवाला बात बोलैछै, मगर वास्तवमे ऊसब उटा दलके सदस्य छै जे शैतानके छै।


मगर एत्तेतक कि प्रमुख स्वर्गदूत मिखायल भी ओरं नैकैल्कै जेरं यी झुट्ठा शिक्षकसब करैछै। जब शैतान मिखायलसे यी बात पर विवाद कैल्कै कि ऊ दोनो झनमेसे ककरा परमेश्वरके वक्ता मूसाके शरीरके दफनाबैके अधिकार छै ते, जब कि मिखायल लगत यी आदमीसिके तुलनामे बहुते बेसी अधिकार छै, फेर भी ऊ शैतानसे अपमानजनक तरिकासे बात नैकैल्कै आर ओकरापर दोष नैलगैल्कै। मगर ऊ खाली एतनें कहैल्कै, “प्रभु तोरा धोपौ।”


कहिनेकी आदमीसब परमेश्वरके बेटा-बेटीसब छै, यानिकी मास आर खूनसे बन्ल आर येशू भी एकटा आदमी बनी गेलै। कहिनेकी खाली एकटा आदमी बनिके ही ऊ मरे सक्ते रहै, आर खाली मरैके द्वारा ही ऊ शैतानके शक्तिके तोडे सक्ते रहै, जकर लगत मौतके शक्ति रहै।


मगर दुष्ट आर धोखेबाज आदमीसब आरहौ बेसी दुष्ट कामसब कर्तै। ऊसब आदमीसिके धोखा देतै आर ऊसब खुद भी दोसर आदमीसिसे धोखा पैतै।


दोसर कारण यी छै कि शैतान हब्बाके धोखा देल्कै, आदमके नै। एरंके हब्बा परमेश्वरके विधि-विधानके प्रति अनाज्ञाकारी भेलै।


कोय कोनो किसिमसे तोरासिके प्रभु आबैके विषयमे धोखा नैदौ। कहिनेकी प्रभु येशू वापस आबैसे पहेला एरंको समय ऐतै जब आदमीसब परमेश्वरके विरुद्धमे हैतै आर दुष्ट आदमी दिखाई पड्तै जकरा परमेश्वर जरुर ही नरकमे नाश कर्तै।


सेल्याके, आब अपनासिके बच्चासिके जुगुर नै होना चाही। आब अपनासब उटा नावके जुगुर नैहु जकरा लहर आगु पाछु धक्लैछै आर हावा इन्हर-उन्हर घुमाबैछै। एकर मतलब छै कि चलाक आर ठग आदमीसब आब आपन झुट्ठा शिक्षासे अपनासिके धोखा नै दिए सकैछै।


मगर हमरा ऊ अदभुत रहस्यसिके विषयमे घमण्ड नैकरना चाही जे परमेश्वर हमरा देखैल्कै छे। इहे ल्याके एकरासे निपटैके लिए हमर शरीरमे एकटा बहुत कठिन समस्या देल गेलै। शैतानके तरफसे एकटा दूत हमरा मारैके आर हमरा घमण्डी हुऐसे रोकैके इरादासे देल गेलै।


शान्ति दिएवाला परमेश्वर जल्दी ही शैतानके शक्तिके नाश करिके ओकरा तोरसिके अधिनमे करि देतौ। आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके अनुग्रह तोरसिके संगे रहौ।


मगर पत्रुस कहैल्कै, “हे हननिया, पवित्र आत्मासे झुठ बोलैले आर जमिन बिक्रीके मोलसे कुछु हिस्सा आपन लगत राखैके बात शैतान केरंके तोर मनमे भरि देल्कौ?


आर न्यायके विषयमे सच्चाईके देखैतै, कहिनेकी परमेश्वर पहेला ही यी संसारके मालिक शैतानके दोषी ठहरैल्कै छे।


हमरलगत तोरसिसे बात करैके लिए ढेर समय नैबच्लै छे, कहिनेकी यी संसारके मालिक जे शैतान छै ऊ आबैछौ। हमरपर ओकर कोनो शक्ति नैछै।


यी जनानी, जे अब्राहमके सन्तान छै, जे अठार सालसे शैतान एकरा कुब्डी बनैले रहै, कि यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिनमे एकरा आपन बन्धनसे आजाद होना नैरहै?”


कहिनेकी झुट्ठा ख्रीष्टसब आर झुट्ठा परमेश्वरके वक्तासब ऐतै, अगर सम्भव हुए ते उटा आदमीसिके धोखा दियैके लिए जकरा परमेश्वर चुन्लकै छे, ऊसब चिन्ह आर झुट्ठा चमत्कार कर्तै।


जंगली ज रोपेवाला दुश्मन शैतान छै। कटनी ऊ समयके देखाबैछै जब यी संसारके अन्त हैतै। जमा करेवाला जनसब स्वर्गदूतसब छै।


ऊ बडका आवाजमे कहैल्कै, “बेबिलोनके उटा नामी सहर आब हारी गेलै छे। कहिनेकी यी बेबिलोन सहर सभे राज्यसिके जात-जातके आदमीसिके उटा अंगुरके मद्द पियैल्कै छे, जे ओकर मूर्तिसिके पूजा छै। सारा धर्तीके राजा ओकरसंगे ओकर गन्दा कामसिमे सामिल भ्यागेलै छे। ऊ जनानीके महँगा-महँगा चीजसिके इच्छाके कारणसे धर्तीके व्यापारीसब मातबर भ्यागेलै छे। मगर परमेश्वर यी बेशरम वेश्याके मरैले देतै। ऐज हरेक प्रकारके भूतसब ओत्ते रहैके लिए चल जैतै आर यी गन्दा आर घृणित चिडियासिके खोय्ता बनाबैके जगह बनी जैतै।”


ओकर रातसब अनहार हैतै, एत्तेतक कि एकटा चिराग भी नैबर्तै। ओत्ते कनियाँ आर दुलहाके खुशीके आवाजसब नैहैतै। एरं इहे ल्याके हैतै कहिनेकी ओकर व्यापारीसब जेसब संसारभरमे सबसे बडका रहै, आपन जादु-मन्तरसे जात-जातके आदमीसिके धोखा देल्कै छे।


मगर ऊ विशाल अजगर लडाईमे पराजित भेलै। ऊ विशाल अजगर आर ओकर अनुयायीसिके स्वर्गसे बाहार निकाली देल गेलै।


तुहें जेसब स्वर्गमे रहैछैं, तोरासिके बहुते खुश होना चाही। मगर तुहें जेसब धर्ती आर समुन्दरमे रहैछैं, तुहेंसब बहुते भयानक रितीसे पीडित हैभैं। कहिनेकी शैतान तोरसिकेलगत निच्चा ऐलौ छे आर ओकर मन बहुते गोसैल छै, कहिनेकी ऊ जानैछै कि ओकरलगत काम करैके लिए बहुते समय नैछै।”


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan