Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




प्रकाश 12:4 - केवट नया कारार

4 ऊ आपन नाङरसे आकाशसे एक तिहाइ तारासिके समेटीके धर्तीमे फेकि देल्कै आर ऊ विशाल अजगर जनानीके बच्चाके जनम हैते ही बच्चाके खैके लिए ओकर समनामे खडा भेलै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




प्रकाश 12:4
22 Iomraidhean Croise  

तुहेंसब आपन बाबु शैतानके सन्तान छैं, आर तुहेंसब ओकरे इच्छा पुरा करैले चाहैछैं। ऊ ते शुरुहैसे हत्यारा छै, आर ओकरा सच्चाईसे कुछु लेना देना नैछै, कहिनेकी ओकरामे सच्चाई छैबे नैकरै। ऊ जब झुठ बोलैछै ते ऊ आपन स्वभावके अनुसार ही बोलैछै, कहिनेकी ऊ झुट्ठा छै आर झुठके बाबु छै।


सचेत र आर होशियार र, कहिनेकी शैतान, तोर दुश्मन तोरापर हमला करैले चाहैछौ ताकी तुहें परमेश्वरके आज्ञापालन नैकर। ऊ गर्जेवाला शेरके जुगुर छै जे खोजैछै कि ऊ ककरा ख्या सकैछै।


तकरबाद स्वर्गमे लडाई शुरु भेलै। परमेश्वरके प्रमुख स्वर्गदूतसिमेसे एकझन जकर नाम मिखायल छै, आपन अधिनमे भेल दोसर स्वर्गदूतसिके संगे विशाल अजगरके हमला कैल्कै आर विशाल अजगर आर ओकर दूतसब भी ओकरसिके विरुद्ध लडाई कैल्कै।


इहे ल्याके ऊ विशाल अजगर आर ओकर दूतसिके धर्तीमे फेकि देल गेलै। यी विशाल अजगर उहे छै जे बहुते समय पहेला साँपके रुपमे दिखाई देल्कै रहे, जकरा शैतान या दोष लगाबेवाला भी कहेल जैछै। यी उहे छै जे यी संसारके आदमीसिके धोखा देते ऐलै छे।


यी जंगली जानवर जकरा हमे देख्लियै से चितुवाके जुगुर रहै, मगर ओकर पैर भालूके पैरके जुगुर रहै आर ओकर मुख शेरके मुखके जुगुर रहै। ऊ विशाल अजगर यी जंगली जानवरके आपन शक्ति देल्कै आर ओकरा यी धर्तीपर शासन करैके अधिकार देल्कै।


तब सभे आदमीसब ऊ विशाल अजगरके पूजा कैल्कै कहिनेकी ऊ उटा जंगली जानवरके अधिकार देल्कै रहे। ऊ आदमीसब ऊ जंगली जानवरके भी पूजा कैल्कै। ऊ आदमीसब कहैल्कै, “यी जंगली जानवरके जुगुर कोय भी शक्तिशाली नैछै। कोय भी ओकरापर हमला नैकरे सकैछै।”


एकरबाद हमे तीनटा भूतसिके देख्लियै जे बेङके जुगुर दिखाई देते रहै। एकटा बेङ विशाल अजगर जे शैतान छै ओकर मुखसे बाहार निकल्लै। एकटा बेङ पहेलावाला जंगली जानवरके मुखसे आर एकटा दोसर जंगली जानवरके मुखसे बाहार निकल्लै, जे झुट्ठा सन्देश देल्कै रहे।


ऊ उटा विशाल अजगर यानिकी पुरना साँपके जकरा शैतान भी कहेल जैछै, झपटीके पक्डल्कै। ऊ ओकरा बान्ही देल्कै आर अथाहा कुण्डमे फेकि देल्कै। ऊ केबाड बन्द करिके ताला लग्या देल्कै आर ओकरापर लाहा छाप लग्या देल्कै ताकी उटा अथाहा कुण्डके एक हजार सालतक खोल्ल नैजै। इहे ल्याके उटा समयके दौरान शैतान एक हजार सालतक जात-जातके आदमीसिके धोखा नै दिए सक्तै। एकरबाद, ओकरा फेरसे कुछु समयके लिए रिहा कैल जैतै।


तेसर स्वर्गदूत आपन धुतहुक फुकल्कै आर एकटा बडका तारा जे मसालके जुगुर जर्ते रहै, आकाशसे टूट्लै आर नतिजा स्वरुप लद्दीसिके एक तिहाइ भाग आर पानीसिके मोकासिमे खस्लै।


जकर कारणसे पानीके उटा भाग तित्त आर जहरिला भ्यागेलै। आर एकरा पियेवाला बहुते आदमीसिके मौत भ्यागेलै। आर उटा ताराके नाम “चिरौत” यानिकी “तित्त” राख्ल गेलै।


चौथा स्वर्गदूत आपन धुतहुक फुकल्कै आर सुरुजके एक तिहाइ भागपर आर चानके एक तिहाइ भागपर आर ताराके एक तिहाइ भागपर प्रहार भेलै आर नतिजा स्वरुप दिनके एक तिहाइ समयतक सुरुज चमक नैदेल्कै, चान आर तारा रातके एक तिहाइ समयतक नैचम्कलै।


पहेला स्वर्गदूत आपन धुतहुक फुकल्कै आर तुरन्ते खूनसे मिल्ल बहुते पत्थल आर आगिन धर्तीमे बर्से लाग्लै। नतिजा स्वरुप धर्तीके एक तिहाइ भाग, गाछसिके एक तिहाइ भाग आर सभे हारा घाससब जरि गेलै।


दोसर स्वर्गदूत आपन धुतहुक फुकल्कै, एरंको कुछु जे एकटा बडका जर्ते रहेवाला पहाडके जुगुर दिखाई देते रहै, समुन्दरमे गिरी गेलै,


आर समुन्दरके एक तिहाइ भाग खून बनी गेलै। तब समुन्दरमे रहेवाला एक तिहाइ जिन्दा प्राणी मरि गेलै। यी समुन्दरके एक तिहाइ जहाजसिके भी नाश करिदेल्कै।


ओकरसिके बिच्छुसिके जुगुर नाँगर आर सुङ रहै। ऊसब आपन नाँगरके डंकसे पाँच महिनातक आदमीसिके कष्ट दियैमे सक्षम रहै।


उटा घोडासिके नाँगरमे डसेवाला साँपसिके मुडाके जुगुर चीजसब रहै। आपन नाँगरसे ऊसब आदमीसिके यातना देते रहै। ऊ घोडासब आपन मुख आर नाँगरके द्वारा आदमीसिके यातना देल्कै आर जान मारि देल्कै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan