Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




प्रकाश 12:1 - केवट नया कारार

1 जब ऊ समाप्त भेलै ते, ओत्ते एकटा अदभुद चिन्ह रहै जे आकाशमे देख्ल ज्या सक्ते रहै। कहिनेकी चानपर खडा भेल एकटा जनानी प्रकट भेलै जे एरं कपडा पिन्हल रहै जे सुरुजके जुगुर चमकते रहै। ऊ आपन मथामे एकटा मकुट पिन्हल रहै जकरामे बारहटा तारासब रहै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




प्रकाश 12:1
35 Iomraidhean Croise  

तब कुछु यहूदी धरमशास्त्रके पण्डितसब आर फरिसी समूहके आदमीसब मिलिके येशूके कहैल्कै, “गुरुजी, हमरासिके एकटा चमत्कार देखाब, हमेसब देखैले चाहैछियै।”


तब हमे, आदमीके बेटाके अदभुद चिन्ह आकाशमे देखा पड्तै, आर धर्तीके सभे जातसब विलाप कर्तै, आर ऊसब मनुष्यके पुत्रके आकाशके बादलमे बडका शक्ति आर बडका महिमामे ऐतै देख्तै।


तारासब आकाशसे खस्तै, आर आकाशमे भेल शक्तिसब डगमगैतै।’


जगह-जगहमे बडका-बडका भूकम्पसब जैतै। जगह-जगहमे भुखमरी पड्तै, महामारी हैतै, भयंकर आतंक हैतै आर आकाशमे डरलग्गा चीजसब हैतै आर बडका-बडका चिन्हसब दिखाई देतै।


“सुरुज, चान, आर तारासिमे अदभुत चिन्हसब दिखाई देतै। समुन्दरके गर्जन आर लहरसे धर्तीके जात-जातके आदमीसब डरसे हतास हैतै।


दुलहा कनियाँसे बिहा करि लैछै, मगर दुलहाके दोस्त जे ओकर बगलमे खडा हैछै, दुलहाके आवाज सुनिके ऊ खुब आनन्दित हैछै। ओहिने करिके हमर दिल भी आनन्दसे भरि गेलै।


उप्पर आकाशमे हमे शक्ति आर निच्चा धर्तीमे चिन्हसब देखैबै, आर खून, आगिन, आर धुवाँके रास दिखाई पड्तै।


प्रभु येशू ख्रीष्ट तोरसिके हतियार बनौ आर पापी स्वभावके अभिलाषा पुरा करेवाला बातमे ध्यान नैदहैं।


यानिकी अपनासब जब येशू ख्रीष्टमे विश्वास करैछियै, अपनासब परमेश्वरके द्वारा धर्मी घोषित कैल जैछियै। कहिनेकी परमेश्वर सभे आदमीके एक समान व्यवहार करैछै।


कहिनेकी हमे तोरसिसे ओरं प्रेम करैछियौ आर तोरसिके चिन्ता करैछियौ जेरं परमेश्वर करैछौ। हमे तोरासिके ख्रीष्टके आर खाली ओक्रहै दियैके प्रतिज्ञा कैलियै छे। यी एकटा बाबुके जुगुर छै जे आपन बेटीके शुद्ध कुमारी कनियाँके रुपमे ओकर पतिके सौंपैछै जब ओकरसिके बिहा हैछै।


मगर साराके तुलना ऊ यरूशलेम सहरसे कैल ज्या सकैछै जे स्वर्गमे छै। सारा ही छै जे आब आपनसिके लिए एकटा मयाँके जुगुर छै कहिनेकी ऊ एकटा नोकरनी नैरहै, आर अपनासब मूसाके विधि-विधानके पालन करैसे आजाद छियै।


हमर लिए, यदि हमे घमण्ड करैछियै ते हमे खाली यी बात पर घमण्ड कर्बै कि आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्ट आपनसिके लिए क्रूसपर मर्लै। क्रूसपर ख्रीष्टके मौतके कारण यी संसारके चीजसिके हमर लिए कोनो मतलब नैछै, आर हमे यी संसारके लिए कुछु भी नैछियै।


यी एकटा बडका रहस्य छै। एत्ते एकटा मूल्यवान आर गम्भीर शिक्षा छै जे अपनासब एत्ते बुझे सकैछियै, आर हमर लिए, हमे एकरा ख्रीष्ट आर मण्डलीके संगे तुलना करैछियै।


आब हमे हमर दहिना हातमे भेल सातटा तारासिके मतलब कि छै आर दिया राखेवाला सातटा सोनाके लबनासिके मतलब कि छै से बतैबौ जे बात पहेला मालुम नैरहै। एकर मतलब यी छै: सातटा तारासब सातटा मण्डलीसिके स्वर्गदूतसब छै आर दिया राखेवाला सातटा लबनासब सातटा मण्डलीसब छै।”


तब परमेश्वरके मन्दिर जे स्वर्गमे छै से खोल्ल गेलै, आर ऊ मन्दिरमे करारके सन्दुक दिखाई देल्कै। बिजली चमके लाग्लै, मेघ-गर्जनके जुगुर गडगडाहटके आवाज निक्ले लाग्लै। भूकम्प भेलै आर आकाशसे बरफके पत्थलसिके साथ भारी बर्षा भेलै।


तकरबाद आकाशमे दोसर एकटा अदभुद चिन्ह दिखाई देल्कै: ओत्ते एकटा बहुते विशाल लाल अजगर रहै, जे शैतान रहै। ओकर सातटा मुडा रहै आर हरेक मुडामे सातटा मकुट रहै आर दशटा सिङ रहै,


एकरबाद हमे आकाशमे एकटा आरहौ अदभुद चिन्ह देख्लियै जे बहुते भयानक रहै। ओत्ते सातटा स्वर्गदूतसब रहै जेसब सातटा अलग-अलग किसिमके बिपत्ति लेल रहै। यी बिपत्तिसब अन्तिम छै कहिनेकी जब यी बिपत्तिसब समाप्त भ्याजैछै तब परमेश्वरके क्रोध समाप्त भ्याजैतै।


सहरके दिवाल बारहटा बडका-बडका पत्थलसिपर बन्ल रहै आर हरेक पत्थलपर बलि-भेंडाके बारहटा चुन्ल आर भेज्ल चेलासिमेसे एक-एकटाके नाम लिख्ल रहै।


उटा सहरके उजेतके लिए सुरुज आर चानके जरुरत नैछै। कहिनेकी परमेश्वरके महिमा उटा सहरमे चम्कैछै आर बलि-भेंडा ही छै जे एकरा उजेत बनाबैछै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan