Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




प्रकाश 11:2 - केवट नया कारार

2 मगर हमर मन्दिरके बाहरके ऐगनके नैनाप, कहिनेकी उटा जगह हमरा नैचिन्हेवाला आदमीसिके देल गेलै छे आर ऊसब बियालिस महिनातक उटा पवित्र सहर यरूशलेमके नाश कर्तै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




प्रकाश 11:2
32 Iomraidhean Croise  

आर ऊसब सारासे बाहार निकल्लै, आर येशूके मुर्दासे जिन्दा भेलके बाद ऊसब पवित्र सहरमे प्रवेश कैल्कै आर बहुते आदमीसिके समनामे दिखाई पड्लै।


तकरबाद शैतान येशूके पवित्र सहर, यरूशलेम सहरके परमेश्वरके मन्दिरके उच्च जगहमे लज्याके खडा करैल्कै।


“तुहेंसब यी दुनियाँके आदमीसिके लिए धर्तीके नूनके जुगुर छैं। अगर नूनके स्वाद नैरहतै ते तुहें ओकर स्वाद फेर केरंके वापस आन्भैं? ऊ ते बाहार फेक्ल आर आदमीसिके पैरीके निच्चामे दाब्ल जैके सिवाय आर कोनो कामके नैहैतै।


दुश्मनसब आदमीसिके कि ते तलवारसे जान मार्तै कि ते बन्दी बन्याके अलग-अलग देशसिमे ल्याजैतै। आर जात-जातके आदमीसिके देल समय पुरा नैहुऐतक ऊसब यरूशलेम सहरके पैरीके निच्चामे दब्याके राख्तै।”


यदि मूसाके विधि-विधानके मुताबिक एरं किसिमके सजाय रहै ते, ऊ आदमीके सजाय बहुते बडका हैतै जे आदमी परमेश्वरके बेटाके तिरस्कार करैछै। ऊ परमेश्वरके बेटाके आपन पैरीके निच्चामे कुचली देल्कै छे कहिनेकी ऊ ओकर सम्मान नैकैल्कै। ऊ ख्रीष्टके उटा खूनके पवित्र नैमानल्कै जकरद्वारा परमेश्वर ओकरा पवित्र बनाबैके लिए नया करार शुरु कैल्कै रहे। ऊ पवित्र आत्माके अपमान कैल्कै जकरद्वारा ऊ आदमी अनुग्रह प्राप्त कैल्कै रहे।


साढे तीन दिन बित्लके बाद परमेश्वरके तरफसे जीवनके साँस ऊ दोनोमे ऐलै आर ऊ दोनो खडा भेलै आर ऊ दोनो गवाहके फेरसे जिन्दा भेल देखिके आदमीसिके बहुते डर भेलै।


उटा समय हमे आपन दीटा गवाहके एक हजार दी स साठ दिनके लिए हमर सन्देशके घोषणा करैके अधिकार देबै। ऊसब मोटका करिया कम्बल ओढ्ल हैतै।”


तब ऊ जनानी एकटा सुनसान जगहके तरफ भाग्लै, जते एक हजार दी स साठ दिनतक ओकर पालन पोषण है कहिके परमेश्वर ओकरे लिए उटा जगह तैय्यार कैल्कै रहे।


तब पवित्र आत्माके शक्तिके द्वारा हमरा स्वर्गदूतके अगुवाईमे एकटा बहुते बडका पहाडमे लजैल गेलै, आर स्वर्गदूत हमरा स्वर्गसे परमेश्वरके तरफसे निच्चा महर ऐते पवित्र सहर यरूशलेम देखैल्कै।


हमे पवित्र सहरके भी देख्लियै, जे कि नया यरूशलेम सहर छै, जे स्वर्गसे परमेश्वरके तरफसे निच्चा आबैछै। उटा सहरके एकटा कनियाँके जुगुर तैय्यार कैल गेलै रहे, जकरा कपडा पिन्हैल गेलै छे आर सिंगार कैल गेलै छे आर जे दुलहाके संगे बिहा करैके लिए तैय्यार छै।


आर यदि तुहें यी किताबके भविष्यवाणीके सन्देशसिमे से कुछु भी निकालैछैं ते, परमेश्वर तोरासे उटा आशिषसिके ल्यालेतौ जकर बयान यी किताबमे कैल गेलै छे। परमेश्वर ओकरा पवित्र सहरमे प्रवेश करैके आर गाछके फल खैके अनुमति नैदेतै जे जीवन दैछै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan