2 ओकर दहिना पैर समुन्दरमे राखल्कै आर ओकर बायाँ पैर जमिनमे राखल्कै। ओकर हातमे एकटा छोटका किताब रहै, जे खुल्ल रहै।
तब येशू ओकरसिके लगत आबिके कहैल्कै, “स्वर्ग आर धर्तीके सभे अधिकार हमरा देल छै।
फेर ऊ स्वर्गदूतके जकरा हमे समुन्दर आर धर्तीपर खडा भेल देख्लियै रहे, ऊ आपन दहिना हात आकाशके महर उठैल्कै जे कसम खैके लिए रहै।
फेर हमे देख्लियै कि बलि-भेंडा उटा सातटा मोहरसिमेसे एकटाके खोलल्कै, आर हमे चारोटा जिन्दा प्राणीसिमेसे एकटाके बोलैते सुन्लियै। ओकर आवाज बडका गडगडाहटके जुगुर रहै। ऊ कहैल्कै, “आब जो, आगु बढ।”
जब बलि-भेंडा दोसर मोहर खोलल्कै ते, दोसर जिन्दा प्राणीके यी कहते सुन्लियै, “आब जो, आगु बढ।”