11 तब हमरा एरं कहेल गेलै, “जे बात परमेश्वर तोरा बताबैके लिए कहैछौ, से बात अलग-अलग समूह आर जात-जातके आदमीसिके, अलग-अलग भाषा बोलेवाला आदमीसिके आर राजासिके एकबेर फेरसे बता।”
तकरबाद हमरा नापैके लिए एकटा लग्गा देल गेलै आर परमेश्वर हमरा आज्ञा देल्कै, “जो, हमर मन्दिर आर वेदीके नाप ले आर ऊ आदमीसिके गन्ती कर जे ओत्ते हमर आराधना करैछै।
साढे तीन दिनतक यी दीटा गवाहसिके लासके हरेक जातसब, हरेक कुलसब, हरेक भाषासब आर हरेक देशके आदमीसब देख्ते रहतै मगर ऊसब कक्रहौ भी ओकरसिके लासके गाडैके अनुमति नैदेतै।
ऊसब सातटा राजासब भी छै, ओकरासिमेसे पाँचटा राजा ते पहलहै मरि गेलै छे। ओकरासिमेसे एकझन एखन राजा छै, आखरीवाला एखनतक नैऐलै छे, मगर जब ऊ ऐतै ते खाली कुछु समयके लिए शासन कर्तै।
उटा दशटा सिङसब जे तुहें पहेला देख्लहैं रहे, ऊ दशटा राजासिके देखाबैछै जेसब एखन शासन करैले शुरु नैकैल्कै छे। ऊ दशटा राजासिके ऊ जंगली जानवरके संगे मिलिके शासन करैके अनुमति छै, मगर ओकर शासन खाली कुछु समयके लिए हैतै।
ऊसब यी नया गीत बलि-भेंडा यानिकी येशू ख्रीष्टके विषयमे गाबैछै, “तोरलगत यी किताबके खोलैके लिए मोहरसिके लियैके आर तोडैके अधिकार छै, कहिनेकी तोर जान मारि देल गेल्हौं रहे आर आपन मौतके खूनसे तुहें हरेक कुलसब, हरेक भाषासब, आदमी आर हरेक जात-जातके आदमीसे, परमेश्वरके लिए आदमीसिके मोल चुक्याके किनि लेलह छे।