Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




प्रकाश 1:7 - केवट नया कारार

7 देख, ऊ बादलके सवारीमे आबैछै, आर हरेक आदमी ओकरा देख्तै। जे आदमीसब ओकर मौतके लिए जिम्मेदार रहै, ऊसब भी ओकरा ऐते देख्तै आर धर्तीके सभे आदमीसब जोर-जोरसे कान्तै जब ऊसब ओकरा देख्तै। हौं, अहिने हैतै। आमेन।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




प्रकाश 1:7
36 Iomraidhean Croise  

कहिनेकी हमे, आदमीके बेटा आपन पिताके महिमामे आपन स्वर्गदूतसिके संगे ऐबौ आर उटा समयमे ऊ सभे आदमीके ओकर काम मुताबिकके इनाम देबौ।”


फेर येशू आदमीसिके भीड आर आपन चेलासिके कहैल्कै, “तोरासिमेसे कतनें झन एत्ते खडा छैं, जेसब हमे, आदमीके बेटाके हमर राज्यमे ऐल नैदेखै तक ऊसब नैमर्तै।”


तब हमे, आदमीके बेटाके अदभुद चिन्ह आकाशमे देखा पड्तै, आर धर्तीके सभे जातसब विलाप कर्तै, आर ऊसब मनुष्यके पुत्रके आकाशके बादलमे बडका शक्ति आर बडका महिमामे ऐतै देख्तै।


“जब हमे, आदमीके बेटा फेरसे ऐबै, तब हमे आपन महिमामे ऐबै आर सभे स्वर्गदूतसिके आपन संगमे आन्बै। तब हमे सभे आदमीसिके न्याय करैके लिए आपन महिमामय सिंहासनमे बैठ्बै।


येशू ओकरा जबाब देल्कै, “से बात ते तुहें आपनहैं कहैछ आर हमे तोरासिके कहैछिहौं आब तुहेंसब हमे, आदमीके बेटाके परमेश्वरके दहिना हातके बगल शक्तिके स्थानमे बैठ्ल, आर तुहेंसब हमरा बादलसे घेर्ल स्वर्गसे ऐते देख्भैं।”


उटा समयमे आदमीसब हमरा देख्तै, हमे, आदमीके बेटा धर्ती महर बादलमे ऐबै। ऊसब हमर महान शक्ति आर महिमा देख्तै।


येशू कहैल्कै, “हमे छियै, आब तुहेंसब हमे, आदमीके बेटाके परमेश्वरके दहिना हातके बगल शक्तिके स्थानमे बैठ्ल आर तुहेंसब हमरा बादलसे घेर्ल स्वर्गसे ऐते देख्भैं।”


तकरबाद आदमीसब हमे, आदमीके बेटाके बडका शक्ति आर अपार महिमाके साथ बादलमे ऐते देख्तै।


मगर एकटा सिपाही ओकर पाँजरमे भाला भोकी देल्कै, आर तुरन्ते ओकरासे खून आर पानी निक्ले लाग्लै।


आर फेर दोसर जगहमे धरमशास्त्र एरं कहैछै, “जकरा ऊसब भोकल्कै छे, ऊसब ओकरा देख्तै।”


आर ऊसब तुहेंसब केरंके स्वर्गसे परमेश्वरके बेटा फेरसे वापस आबैके रस्ता देखैछैं कहिके कहैछै, यानिकी येशू, जकरा परमेश्वर मुर्दासे फेर जिन्दा बनैल्कै। उहे ही अपनासिके आबेवाला परमेश्वरके क्रोधसे बचाबैछै।


तब अपनासब जे जिन्दा छियै आर धर्तीमे जेसब बाँकी रहबै, ओकरसिके संगे बादलमे उठ्याके लजैल जैबै, आर येशूसंगे बादलमे भेट कर्बै, उटा समयसे अपनासब सभे दिन प्रभु येशूके संगे रहबै।


यदि मूसाके विधि-विधानके मुताबिक एरं किसिमके सजाय रहै ते, ऊ आदमीके सजाय बहुते बडका हैतै जे आदमी परमेश्वरके बेटाके तिरस्कार करैछै। ऊ परमेश्वरके बेटाके आपन पैरीके निच्चामे कुचली देल्कै छे कहिनेकी ऊ ओकर सम्मान नैकैल्कै। ऊ ख्रीष्टके उटा खूनके पवित्र नैमानल्कै जकरद्वारा परमेश्वर ओकरा पवित्र बनाबैके लिए नया करार शुरु कैल्कै रहे। ऊ पवित्र आत्माके अपमान कैल्कै जकरद्वारा ऊ आदमी अनुग्रह प्राप्त कैल्कै रहे।


जे आदमीसब आपन विश्वासके त्यागी दैछै, ओकरासिके फेरसे पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगाबैके स्थितिमे वापस आनैके कोनो रस्ता नैछै, कहिनेकी ऊसब खुद परमेश्वरके बेटाके फेरसे क्रूसपर चढाबैछै आर ओकरा शर्मिन्दा बनाबैछै जकर कारण दोसर आदमीसब ख्रीष्टके निचा देखैछै।


हे प्रिय दोस्तसब, आब अपनासब परमेश्वरके बेटाबेटीसब छियै, आर एखनतक यी दिखाई नैदेल्कै छे, कि अपनासब भविष्यमे केरंको हैबै। मगर एतनें जानैछियै कि जब ख्रीष्ट फेर यी संसारमे वापस ऐतै, तब अपनासब ओकरे जुगुर हैबै। कहिनेकी ऊ जेरं छै अपनासब ओकरा ओहिने देख्बै।


आदमसे आबेवाला सतमा आदमी हनोक यी अधर्मी आदमीसिके विषयमे भविष्यवाणी कैल्कै रहे। ऊ कहैल्कै, “सुन! परमेश्वर निश्चित रुपसे आपन अनगन्ती पवित्र स्वर्गदूतसिके संगे ऐतै


येशू यी सभे वचनसिके गवाही दैछै आर कहैछै, “हँ, हमे जल्दी ही आबैछियै।” हमे यूहन्ना जबाब देलियै, “आमेन, हे प्रभु येशू, आब।”


ऊसब परमेश्वरके अमना-समनामे देख्तै आर परमेश्वरके नाम ओकरसिके कपारमे लिख्ल हैतै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan