Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




प्रकाश 1:16 - केवट नया कारार

16 ओकर दहिना हात ल्याके सातटा तारासब पक्डीके राखल्कै रहे आर ओकर मुखसे धर्हा दी धारवाला तलवार निकल्ल रहै। ओकर चेहरा दिपहरियाके समयमे चमकेवाला सुरुजके जुगुर चमकते रहै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




प्रकाश 1:16
26 Iomraidhean Croise  

जब ऊसब देखल्कै अचानक परमेश्वर येशूके रुप बदली देल्कै। ओकर चेहरा सुरुजके जुगुर चम्के लाग्लै,


हे राजा, रस्तामे दिपहरियाके समयमे आकाशसे सुरुजके तेजसे भी बेसी तेज उजेत हमे देख्लियै, जे हमे आर हमरसंगे यात्रा करेवालासिके चारो तरफ चमकते रहै।


जेरंके एकटा सिपाही लडाईमे आपन मथाके बचाबैके लिए टोपी लगाबैछै, ओहिने करिके परमेश्वर तोरासिके शैतानसे बचाबौ। जेरंके एकटा सिपाही खुदके बचाबैके लिए एकटा तलवार लैछै, ओहिने करिके खुदके बचाबैके लिए परमेश्वरके वचनके उपयोग कर। यी पवित्र आत्माके तरफसे छै।


कहिनेकी परमेश्वरके वचन काम कर्ते रहेवाला आर जिन्दा छै। यी दोनो बगल धारवाला तलवारसे भी बेसी धर्हा छै। यी भितरमे जैके प्राण आर आत्माके अलग करि दैछै। जोडनी आर हड्डीके भितरके गुद्दीके अलग करि दैछै। परमेश्वरके वचन आदमीसिके हृदयके विचार आर इच्छाके जाँच करैछै।


आब हमे हमर दहिना हातमे भेल सातटा तारासिके मतलब कि छै आर दिया राखेवाला सातटा सोनाके लबनासिके मतलब कि छै से बतैबौ जे बात पहेला मालुम नैरहै। एकर मतलब यी छै: सातटा तारासब सातटा मण्डलीसिके स्वर्गदूतसब छै आर दिया राखेवाला सातटा लबनासब सातटा मण्डलीसब छै।”


तकरबाद हमे एकटा दोसर शक्तिशाली स्वर्गदूतके स्वर्गसे उतरिके निच्चा ऐते देख्लियै। एकटा बादल ओकर चारो तरफ रहै आर एकटा मेघ-धनुष ओकर मथाके चारो तरफ रहै। ओकर चेहरा सुरुजके जुगुर चमकते रहै आर ओकर पैर आगिनके खम्भाके जुगुर रहै।


जब ऊ समाप्त भेलै ते, ओत्ते एकटा अदभुद चिन्ह रहै जे आकाशमे देख्ल ज्या सक्ते रहै। कहिनेकी चानपर खडा भेल एकटा जनानी प्रकट भेलै जे एरं कपडा पिन्हल रहै जे सुरुजके जुगुर चमकते रहै। ऊ आपन मथामे एकटा मकुट पिन्हल रहै जकरामे बारहटा तारासब रहै।


ओकर मुखसे एकटा धरहा तलवार निकल्लै जकरासे ऊ जात-जातके आदमीसिके पराजय करि देतै। जे कोय भी ओकर अधिकारके स्वीकार नैकरैछै, ऊ ओकरा पुरा तरहसे सजाय देतै। ऊ सर्वशक्तिमान परमेश्वरके भयानक प्रकोपके ओहिने ही छोडी देतै, जेरंके एकटा अंगुरके रसकुण्डसे अंगुरके मद्द बहैछै।


एकरबाद, ऊ जे घोडापर सवार रहै आपन मुखसे निक्लेवाला तलवारके इस्तमाल करिके बाँकी सभैके जान मारि देल्कै। तब आकाशके चिडियासब तबतक लासके मास खैते रहलै जबतक कि ओकरसिके पेट नैअघैलै।


येशू हमरा यी भी कहैल्कै, “एफिसस सहरके मण्डलीके स्वर्गदूतके यी सन्देश लिख: हमे उहे छियै जे आपन दहिना हातमे सातटा तारा पक्डीके राख्लियै छे आर हमे उहे छियै जे दियाके राखेवाला सोनाके लबनाके बीचमे लरैछियै। हमे तोरासे यी कहैछियौ:


पर्गामम सहरके मण्डलीके स्वर्गदूतके यी सन्देश लिख: हम्हीं छियै जकर लगत धर्हा दी धारवाला तलवार छै। हमे तोरासे यी कहैछियौ:


सेल्याके पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगा, यदि तुहें खराब काम करैले बन्द नैकर्भैं ते, हमे जल्दी ही ऐबै आर जे आदमीसब गलत शिक्षा दैछै ओकरसिके विरुद्ध तलवारसे लडाई कर्बै, जे हमर मुखसे निक्लैछै जे हमर वचन छै।


सार्डिस सहरके मण्डलीके स्वर्गदूतके यी सन्देश लिख: हमे उहे छियै जे सातटा तारासिके आपन हातमे पक्डीके राखैछै आर जे परमेश्वरके सात आत्मासिके भेजैछै। हमे जानैछियै कि तुहें कि करैछैं। तुहें विश्वासयोग्य विश्वासीसिके जुगुर दिखाई दैछैं, मगर वास्तवमे तुहें आब हमर अनुसरण नैकरैछैं।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan