12 तब हमे यी देखैके लिए पाछु महर घुम्लियै कि के हमरसंगे बोल्ते रहै। जब हमे पाछु घुम्लियै ते हमे दिया राखेवाला सातटा सोनाके लबना देख्लियै।
आर उटा सातटा लबनासिके बिच्चेमे कोय खडा रहै जे एकटा आदमीके बेटाके जुगुर दिखाई देते रहै, ऊ लम्बा कपडा पिन्हल रहै जे ओकर पैरी तक पहुँचते रहै। ऊ आपन छातीके चारो महर एकटा सोनाके पट्टी बान्हले रहै।
सेल्याके जे तुहें देख्लहैं छे, ओकरा लिखि ले यानिकी उटा दोनो चीजसब जे एखन हैछै आर जे पाछु हैतै।
आब हमे हमर दहिना हातमे भेल सातटा तारासिके मतलब कि छै आर दिया राखेवाला सातटा सोनाके लबनासिके मतलब कि छै से बतैबौ जे बात पहेला मालुम नैरहै। एकर मतलब यी छै: सातटा तारासब सातटा मण्डलीसिके स्वर्गदूतसब छै आर दिया राखेवाला सातटा लबनासब सातटा मण्डलीसब छै।”
येशू हमरा यी भी कहैल्कै, “एफिसस सहरके मण्डलीके स्वर्गदूतके यी सन्देश लिख: हमे उहे छियै जे आपन दहिना हातमे सातटा तारा पक्डीके राख्लियै छे आर हमे उहे छियै जे दियाके राखेवाला सोनाके लबनाके बीचमे लरैछियै। हमे तोरासे यी कहैछियौ:
यी सभे बात देख्लके बाद, हमे स्वर्गमे एकटा खुल्ल केबाड देख्लियै आर कोय हमरासे बात कर्ते रहै आर बोलेवाला उहे रहै, जकर आवाज हमे पहेला भी सुन्लियै रहे, जकर आवाज धुतहुकके फुकैके आवाज जुगुर रहै। आर ऊ हमरा कहैल्कै: “हमरलगत एत्ते उप्पर या, आर आब एकरबाद जे बातसब हुए पड्तै से हमे तोरा देखैबौ।”