Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




प्रकाश 1:1 - केवट नया कारार

1 परमेश्वर येशू ख्रीष्टके उटा गुप्त बातसब बतैल्कै जे बात बहुते जल्दी पुरा हैतै, ताकी ऊ उटा बातसब आपन सेवकसिके समनामे प्रकट करे सकै। तब येशू आपन सेवक हमे, यूहन्नाके यी बातसब देखाबैके लिए आपन स्वर्गदूतके भेजल्कै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




प्रकाश 1:1
30 Iomraidhean Croise  

कहिनेकी हमे खुद आपन अधिकारसे कुछु नैकहैलियै छे, मगर परमेश्वर पिता जे हमरा भेजल्कै छे, उहे हमरा आदेश देल्कै छे कि हमरा कि कहना छै आर केरंके कहना छै।


आबसे हमे तोरासिके नोकर नैकहबौ, कहिनेकी ओकर मालिक कोन चीज करैछै ओकर नोकरके मालुम नैहैछै। मगर हमे तोरासिके दोस्त कहैलियौ छे, कहिनेकी जे हमे हमर पितासे सुन्लियै छे, हमे ऊ सभे बात तोरासिके बत्या देलियौ छे।


कहिनेकी जे सन्देश तुहें हमरा देल्ह, हमे ओकरासिके देलियै छे, आर ऊसब उटा सन्देशपर विश्वास कैल्कै छे। हमे तोरलगतसे ऐलियै छे कहिके ऊसब सभेको जानैछै, आर तुहें हमरा भेज्लह छे कहिके ऊसब विश्वास कैल्कै छे।


ऊ जे देखल्कै आर सुनल्कै छे, ओकरे गवाही ऊ दैछै, मगर ओकर कहेल बात बहुते कम आदमीसब विश्वास करैछै।


तोरसिके बारेमे हमरा बहुते कुछु कहना छै आर तोरसिके न्याय करैके लिए हमरलगत बहुते कुछु कहैले छै। मगर जे हमरा भेजल्कै छै, ऊ सच्चा छै, आर जे बात हमे ओकरासे सुन्लियै छे, उहे बातसब हमे संसारके आदमीसिके बताबैछियै।”


आब ओकरा, जे हमर प्रचार कैल खुश-खबरीके मुताबिक तोरासिके विश्वासमे मजगुत बनाबे सकैछौ, यानिकी येशू ख्रीष्टके विषयके प्रचारके मुताबिक, उटा रहस्यके प्रकाश बमोजिम, जे युग-युगसे गुप्तमे रहै,


कहिनेकी यी खुश-खबरी हमे बाप-पुर्खासे नैसिख्लियै आर कोनो धार्मिक शिक्षकसब भी हमरा यी बात नैसिखैल्कै छे, मगर येशू ख्रीष्ट हमरा यी खुश-खबरी बुझैके लिए सहायता कैल्कै।


जेरं कि हमे कुछु विवरण तोरासिके पहेला ही लिख्लियौ रहे, परमेश्वर खुद हमरा उटा नुकैल योजनाके प्रकट कैल्कै।


हमे, पावल, यी चिट्ठी तोरा लिखैछियौ। हमे येशू ख्रीष्टके चुन्ल आर भेज्ल चेला छियै। हमरा परमेश्वरसे चुन्ल आदमीसिके विश्वासके मजगुत बनाबैके लिए आर ओकरासिके येशू ख्रीष्टके सच्चाई बुझाबैले सहायता करैके लिए हमरा नियुक्त कैल छै ताकी ऊसब परमेश्वरके खुश बनाबेवाला जीवन जिये सकै।


सेल्याके जे तुहें देख्लहैं छे, ओकरा लिखि ले यानिकी उटा दोनो चीजसब जे एखन हैछै आर जे पाछु हैतै।


हमे, यूहन्ना, जे ख्रीष्टमे तोर साथी छियौ, तोरेसिके जुगुर सतैल जैछियै। हमे परमेश्वरके राज्यके एकटा नागरिक छियै जेरं कि तुहेंसब छैं आर हमरा भी आपन तकलीफके ओहिने ही धीरजके साथ सहन करना चाही जेरं तुहेंसब करैछैं। हमे परमेश्वरके वचन प्रचार करैके आर येशूके विषयमे बताबैके कारण पत्मोसके टापुमे निर्वासित करि देल गेलियै रहे।


उटा सातटा बाटी लिएवाला सातटा स्वर्गदूतसिमेसे एकझन हमरलगत आबिके कहैल्कै, “एत्ते या, हमे तोरा देखैबौ कि परमेश्वर केरंके उटा महा-वेश्याके सजाय देतै, जे एरंको जगहमे बैठैछै, जते बहुते लद्दीसब छै।


जब हमे यी बात सुन्लियै ते हमे ओकर समनामे झुकी गेलियै जे हमरसंगे बात कर्ते रहै, कहिनेकी हमे ओकर आराधना करैले जैते रहियै। मगर ऊ हमरा कहैल्कै, “तुहें हमरा गोड नैलाग। हमे खाली परमेश्वरके एकटा सेवक छियै जेरं तुहें छैं आर तोर भ्यासिके जुगुर जे येशूके द्वारा प्रकट कैल गेल सच्चा शिक्षापर विश्वास करैछै आर मानैछै। खाली परमेश्वर ही छै जकर तोरा आराधना करना चाही। कहिनेकी यी आत्मा छै जे परमेश्वरके आदमीसिके येशूके द्वारा बतैल गेल सचके घोषणा करैके योग्य बनाबैछै।”


तब ऊ स्वर्गदूतसब हमरा कहैल्कै, “यी बात लिख, बलि-भेंडाके बिहाके भोजमे हकार पाबेवालासब धन्यके छै।” ऊ फेर हमरा कहैल्कै, “यी वचन परमेश्वरके तरफसे छै, यी सभे निश्चित रुपसे सच छै।”


हमे पवित्र सहरके भी देख्लियै, जे कि नया यरूशलेम सहर छै, जे स्वर्गसे परमेश्वरके तरफसे निच्चा आबैछै। उटा सहरके एकटा कनियाँके जुगुर तैय्यार कैल गेलै रहे, जकरा कपडा पिन्हैल गेलै छे आर सिंगार कैल गेलै छे आर जे दुलहाके संगे बिहा करैके लिए तैय्यार छै।


तब फेर ऊ सातटा स्वर्गदूतसिमेसे एकझन जेसब आदमीसिपर सातटा अन्तिम बिपत्तिसिसे भर्ल सातटा बाटी उझल्लकै रहे, हमरासे बात कैल्कै, ऊ कहैल्कै, “या, हमे तोरा कनियाँ देखैबौ जकर जल्दी ही बलि-भेंडाके संगे बिहा भ्याजैतै।”


तब स्वर्गदूत हमरा एकटा लद्दी देखैल्कै जकरामे जीवनके पानी रहै। पानी सिसाके जुगुर साफ रहै। उटा पानी परमेश्वर आर बलि-भेंडाके सिंहासनसे बहते रहै।


हमे, येशू आपन स्वर्गदूतके तोरलगत मण्डलीसिके आदमीसिके यी बातसिके घोषणा करैके लिए भेज्लियै छे। हमे दाऊद राजाके वंशके छियै, हमे ही छियै, जे उटा ताराके जुगुर छियै जे सुरुज उगैके समयमे प्रकट हैछै।”


तब स्वर्गदूत हमरा कहैल्कै, “यी सभे बातसब जे तोरासिके बतैल गेलौ छे, सच छै, आर पुरा तरहसे विश्वास करैके योग्य छै। कहिनेकी प्रभु परमेश्वर जे आपन वक्तासिके मनसिके निर्देशन करैके लिए आपन आत्मा देल्कै रहे, उहे ही छै जे हमरा जे कि ओकर स्वर्गदूत छियै, तोरा उटा बात बताबैके लिए भेजल्कै छे जे जल्दी ही हैतै।”


हमे, यूहन्ना यी सभे बातसब सुन्लियै छे आर देख्लियै छे आर हमे ओकरासिके देख्ल आर ओकर बात सुन्लके बाद हमरा यी सभे बात देखाबेवाला स्वर्गदूतके आराधना करैके लिए हमे ओकर पैरीमे गिरी गेलियै।


मगर ऊ हमरा कहैल्कै, “देख्, तुहें एरं नैकर! हमे ते तोर, आर तोर विश्वासी भ्यासब जे परमेश्वरके वक्तासब आर यी किताबके वचन पालन करेवालासिके जुगुर परमेश्वरके सेवक छियै। परमेश्वरके ही गोड लागिके ओकरा आराधना कर।”


यी सभे बात देख्लके बाद, हमे स्वर्गमे एकटा खुल्ल केबाड देख्लियै आर कोय हमरासे बात कर्ते रहै आर बोलेवाला उहे रहै, जकर आवाज हमे पहेला भी सुन्लियै रहे, जकर आवाज धुतहुकके फुकैके आवाज जुगुर रहै। आर ऊ हमरा कहैल्कै: “हमरलगत एत्ते उप्पर या, आर आब एकरबाद जे बातसब हुए पड्तै से हमे तोरा देखैबौ।”


बलि-भेंडा आबिके ओकर दहिना हातसे जे सिंहासनमे बैठ्ल रहै, उटा किताबके ल्या लेल्कै,


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan