Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




फिलिप्पी 4:12 - केवट नया कारार

12 हमे कंगाली आर भरपूरी दोनोमे जियैले सिखी लेलियै छे, चाहे हमर पेट भर्ल रहै या भुख्ल रहै, चाहे हमरलगत बहुते रहै या कुछु भी नैरहै, हमे ऊ सभे विषय आर परिस्थितिमे सन्तुष्ट रहैले सिखी लेलियै छे।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




फिलिप्पी 4:12
15 Iomraidhean Croise  

हमर चेला बन, आर हमरसंगे सिख। कहिनेकी हमे विनम्र आर कोमल हृदयके छियै, आर तुहेंसब आपन आत्मामे विश्राम पैभैं।


तब फेर येशू चेलासिके कहैल्कै, “हरेक विश्वासी जे परमेश्वरके विधि-विधानके सिखाबैछै आर परमेश्वरके राज्यके विषयमे भी बुझ्ल छै, उटा आदमीसब एकटा घरके मालिकके जुगुर छै, जकर लगत भण्डार कोठा छै, जे आपन भण्डार कोठासे नया आर पुरना दोनो मूल्यवान चीजसब बाहार निकालैछै।”


हमे पावल जे तोरसिके समनामे कायर छियै, मगर तोरसिसे दूर रहेला पर साहास देखाबैछियै, तोरासिके ख्रीष्टके नम्रता आर कोमलताके कारण आग्रह करैछियौ।


कहिनेकी हमर बारेमे तोरसिमेसे कुछु आदमीसिके कहेना छै कि, “ओकर चिट्ठीसब कठोर आर शक्तिशाली ते हैछै, मगर जब ऊ खुद उपस्थित हैछै ते, ऊ कमजोर आदमी लागैछै आर ओकर बातसब बेकार छै।”


हमे अनेक रात जागिके, भुख्ल-प्यास्ल रहिके, अक्सर भुख्ल रहिके, जाड आर कपडाके अभावमे रहिके कठिन मेहनत कैलियै आर अनेक कष्ट भोग्लियै छे।


हमे तोरसिके बीचमे परमेश्वरके खुश-खबरी बिना कुछु ल्याके प्रचार करिके अपने आपके नम्र बनैलियै ताकी तोरसिके सम्मान हौ। कि हमे एरं करिके कोनो पाप कैलियै छे?


आर जब हमे तोरसिके संगे रहियै आर हमरा धनके कमी भेलै ते, हमे ककरोपर बोझ नैबन्लियै, कहिनेकी विश्वासी भ्यासब माकेडोनिया प्रदेशसे आबिके हमर जरुरत पुरा करिदेल्कै। आर सभे बातमे हमे कोनो भी तरहसे तोरसिके लिए कोनो भी तरहके परेशानी बनैसे बच्लियै आर हमे भविष्यमे भी तोरासिपर बोझ नैबन्बौ।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan