Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




फिलिप्पी 3:9 - केवट नया कारार

9 ताकी हमे ओकरामे एक भ्याके जिये सकियै। हमर धर्मी घोषित होना मूसाके विधि-विधानप्रतिके हमर आज्ञाकारितामे आधारित नैछै, मगर हमर धर्मी घोषित होना इहे छै, जे परमेश्वर ख्रीष्टमे भेल हमर विश्वासके कारणसे देल्कै छे।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




फिलिप्पी 3:9
56 Iomraidhean Croise  

मगर एकर मतलब कि हैछै तुहेंसब सिख: ‘हमे हमर लिए जानवरके बलिदान नैचाहैछियै, मगर तुहेंसब आदमीसिपर दया कर कहिके हमे चाहैछियै।’ कहिनेकी हमे पापसे भर्ल आदमीसिके पाप करैले छोड आर परमेश्वरके तरफ मन लगा कहिके बोलाबैके लिए ऐलियै छे, ओकरासिके नै जे अपने आपके धर्मी छियै कहिके सोचैछै।”


कहिनेकी खुश-खबरीमे परमेश्वर आदमीसिके आपन नजरमे केरंके धर्मी घोषित करैछै कहिके देखाबैछै, आर धर्मी घोषित हुएवाला बात विश्वाससे ही शुरु हैछै आर विश्वाससे ही पुरा हैछै। जेरंके धरमशास्त्रमे लिख्ल छै, “जे आदमी परमेश्वरमे विश्वासके माध्यमसे धर्मी घोषित कैल जैछै, ऊ बचैछै।”


कहिनेकी अपनासब आपन हृदयसे विश्वास करैछियै ते, परमेश्वरद्वारा अपनासब धर्मी घोषित कैल जैछियै। आर जब अपनासब मुखसे स्वीकार करैछियै यी कहैके लिए कि अपनासब विश्वास करैछियै ते, अपनासब उद्धार पाबैछियै।


विश्वासी भ्या एड्रोनिकस आर विश्वासी बहिन युनियस, जे हमर आपन यहूदी साथीसब छै, आर हमर पहेलाके साथी कैदीसब छै, आर चुन्ल आर भेज्ल चेलासिके द्वारा ऊसब बहुते सम्मानित छै, आर यीसब भी हमरसे पहेला ख्रीष्टके चेला बन्लै रहे, ओकरा सभैके नमस्कार कही दहैं।


जेरंके सभे आदमीसब पाप कैल्कै आर ऊसब मर्लै ओहिने करिके आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके द्वारा परमेश्वरके अनुग्रहसे ओकरासिके धर्मी घोषित कर्तै आर ओकरासिके कहियो खतम नैहुएवाला जीवन देतै।


इहे ल्याके आब येशू ख्रीष्टमे विश्वास करेवाला आदमीसिके कोनो सजाय नैछै।


जे काम मूसाके विधि-विधान नैकरे सकल्कै, उटा काम परमेश्वर कैल्कै, कहिनेकी आपनसिके पापी स्वभाव मूसाके विधि-विधानके कमजोर बनैल्कै रहे। ऊ आपन बेटाके पापके बलिदान हुऐके लिए आपनसिके जुगुर शरीरमे भेजल्कै। एरंके ऊ मानव शरीरमे पापके न्याय कैल्कै।


मगर परमेश्वर तोरासिके येशू ख्रीष्टमे एक बन्या देल्कौ छे, आर ख्रीष्टके द्वारा ऊ अपनासिके आपन बुद्धि दैछै। परमेश्वर अपनासिके धर्मी घोषित कैल्कै छे। ख्रीष्टके द्वारा अपनासब पवित्र बनैल छियै, आर ऊ अपनासिके पापसिसे छुटकारा देल्कै छे।


इहे ल्याके, यदि कोय ख्रीष्टमे विश्वास करैछै ते, ऊ एकटा नया स्वभाव पैल्कै छे, पुरना स्वभाव बिती गेलै छे। देख, ओकर सभेटा स्वभाव नया भेल छै।


ख्रीष्ट, जे निष्पाप रहै, ओकरा परमेश्वर आपनसिके लिए पाप बन्या देल्कै ताकी अपनासब परमेश्वरके द्वारा धर्मी घोषित कैल जैयै कहिनेकी ख्रीष्ट आपनसिके पापसिके सजाय आपन उप्परमे ल्या लेल्कै।


तैय्योपर भी अपनासब यहूदी विश्वासीसब जानैछियै कि मूसाके विधि-विधानके पालन करिके कोय भी आदमी परमेश्वरके नजरमे धर्मी घोषित नैकैल जैछै, इहे ल्याके अपनासब येशू ख्रीष्टमे विश्वास कैलियै ताकी अपनासब मूसाके विधि-विधान पालन करिके नै मगर ख्रीष्टमे विश्वास करैके कारणसे धर्मी घोषित कैल ज्या सकियै।


उत्साहके विषयमे यदि कहैं ते मण्डलीके सताबेवाला, आर यहूदी विधि-विधानके पालन करैमे हमे एकटा धर्मी आदमी रहियै कहिनेकी हमे ऊसब पालन कैलियै रहे।


ऊ अपनासिके बचैल्कै आर अपनासिके एकटा पवित्र जीवन जियैके लिए बोलैल्कै छे, आर अपनासब बढियाँ काम करैके कारणसे ऊ अपनासिके नैचुनल्कै छे, मगर ओकर आपन योजना आर अनुग्रहके आधारमे छै। यी संसारके सृष्टि हुऐसे पहेला ही परमेश्वर येशू ख्रीष्टके आपनसिके लिए मरैके लिए भेजिके आपन अनुग्रह अपनासिपर देखाबैके योजना बन्या लेल्कै रहे।


ऊ अपनासिके आपनसिके पापके सजायसे बचैल्कै आर यी धरम करमके कामसे नै, मगर ऊ दयालु हुऐके कारणसे छै। ऊ अपनासिके पवित्र आत्मा द्याके बचैल्कै, जे आपनसिके पापसब धोयल्कै आर अपनासिके नया जीवन आर व्यवहार करैके नया तरिका देल्कै।


आब एत्ते दीटा बात छै, ओकर प्रतिज्ञा आर ओकर कसम, जे कहियो नै बदले सकैछै आर जकर बारेमे परमेश्वर कहियो झुठ नैकहे सकैछै। सेल्याके अपनासब जेसब परमेश्वरके लगत सुरक्षा पाबैके लिए ऐलियै छे आर जे आशा ऊ अपनासिके देल्कै छे, ओकरा थाम्ले छियै आर बहुते उत्साहित छियै।


अपनासब बहुतेबेर गल्ती करैछियै, मगर यदि कोनो आदमी आपन बोल्ल बातमे कहियो गल्ती नैकरैछै ते, उहे सिद्ध आदमी छै आर ऊ आपन सारा शरीरके काबुमे राखे सकैछै।


हमे, सिमोन पत्रुस तोरासिके यी चिट्ठी लिखैछियौ, हमे येशू ख्रीष्टके सेवक आर चुन्ल आर भेज्ल चेला छियै। हमे तुहेंसब सभैके लिए लिखैछियौ जेसब आपनसिके जुगुर समान बहुमूल्य विश्वास प्राप्त कैल्कै छे, यी विश्वास आपनसिके परमेश्वर आर उद्धारकर्ता येशू ख्रीष्टके द्वारा अपनासिके देल गेलै छे, जे अपनासिके परमेश्वरके नजरमे धर्मी घोषित करैछै।


यदि कोय निरन्तर पाप कर्ते रहैछै ते, ऊ परमेश्वरके विधि-विधानके पालन करैले इन्कार करैछै, कहिनेकी परमेश्वरके विधि-विधानके पालन नैकरना पाप छै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan