फिलिप्पी 3:2 - केवट नया कारार2 ऊ आदमीसिसे होशियार र, जे कुत्ताके जुगुर व्यवहार करैछै आर जेसब खराब काम करैछै। ऊ आदमीसिसे होशियार र जे कहैछै कि उद्धार पाबैके लिए खतना हुए पडैछै। Faic an caibideil |
हमे तोरासिके लिखैछियौ कहिनेकी कुछु आदमीसब जे येशू ख्रीष्टमे विश्वास करैके दिखावा करैछै, ऊसब तोरसिके मण्डलीमे सामिल भ्या गेलौ छे। ऊसब परमेश्वरके सम्मान नैकरैछै आर ऊसब एरं कहिके गलत शिक्षा दैछै, कहिनेकी परमेश्वर आपन अनुग्रहसे आपनसिके पापसिके माफ करि दैछै, इहे ल्याके अपनासब अनैतिक जीवन जिये सकैछियै। ऊसब येशू ख्रीष्टके अस्वीकार करैछै, जे आपनसिके एक्केटा मालिक आर आपनसिके प्रभु छै। बहुते समय पहेला धरमशास्त्र कहैछै कि परमेश्वर एरं आदमीसिके सजाय देतै।
मगर जे हमरापर विश्वास नैराखैछै, ओकरासिके जबरजस्ती गन्धकसे जरेवाला उटा तालाबमे फेक्ल जैतै, जे कि दोसर मौत छै। आर यी नतिजा ओकरसिके भी हैतै, जेसब आदमीसिके समनामे हमरा स्वीकार करैसे डराबैछै, खराब कामसब करैछै, जेसब हत्यारासब छै, जेसब व्यबिचार करैछै, जादु-टोना करैछै आर मूर्तिसिके पूजा करैछै या झुठ बोलैछै।”