फिलिप्पी 3:14 - केवट नया कारार14 ख्रीष्ट येशूमे परमेश्वरके स्वर्गीय बुलाहटके इनाम पाबैके लिए हमे निशाना महर दौड्ते जैछियै। Faic an caibideil |
ख्रीष्ट शरीरके शिर छै, ओकरे लिए ही शरीरके सभे अंगके देखभाल कैल जैछै आर संगहै राख्ल जैछै, एरंके यी परमेश्वरके चहेल मुताबिक बढैछै। अपने आपके अपमान करिके आर स्वर्गदूतसिके आराधना करैले लग्याके कक्रहौ तोरासिके अयोग्य बनाबैले नैदहैं। एरंको आदमीसब दर्शन देखैछै जे ओकरासिके मानव सोचके कारणसे मूर्खपनके घमण्डसे भरैछै। ऊसब ख्रीष्टके छोडी देल्कै छे।
ऊ अपनासिके बचैल्कै आर अपनासिके एकटा पवित्र जीवन जियैके लिए बोलैल्कै छे, आर अपनासब बढियाँ काम करैके कारणसे ऊ अपनासिके नैचुनल्कै छे, मगर ओकर आपन योजना आर अनुग्रहके आधारमे छै। यी संसारके सृष्टि हुऐसे पहेला ही परमेश्वर येशू ख्रीष्टके आपनसिके लिए मरैके लिए भेजिके आपन अनुग्रह अपनासिपर देखाबैके योजना बन्या लेल्कै रहे।
सेल्याके या जे बात अपनासिके सभैसे पहेला ख्रीष्टके विषयमे सिखैल गेलै रहे, उहे आधारभूत शिक्षासिके नै दोहरैते र, आर या अपनासब परिपक्क शिक्षासिके बारेमे विचार विमर्श करैछियै। या अपनासब उटा आधारभूत शिक्षासिके अलग राखियै जे एकटा जगके जुगुर छै, यानिकी, आपन पापमय कामसे जे मौतके महर ल्याजैछै, पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगाबैके विषयमे आर परमेश्वरपर भरोसा करैके विषयमे सिखाबैछै।
परमेश्वर जे पूर्ण रुपसे अनुग्रहकारी छै, आपनसिके ख्रीष्टके संगे भेल सम्बन्ध हुऐके कारण आपन अनन्त महिमामे अपनासिके साझेदार हुऐके लिए बोलैल्कै छे। तुहेंसब कुछु समयके लिए कष्ट भोग्लके बाद परमेश्वर तोरासिके बढियाँ बनैतौ ताकी तोरासिमे कोनो दोष नैरहौ आर येशू तोरसिके हृदयके मजगुत बनैतौ आर ओकरापर तोरसिके भरोसाके वास्तवमे स्थिर बन्या देतौ।