Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




फिलिप्पी 3:12 - केवट नया कारार

12 हमे यी दाबी नैकरैछियै कि हमे सभे कुछु पहलहैसे पाबि लेलियै छे, हमे ऊ सिद्धता पाबैके लिए कडा कोशिश कर्ते आगु बढैछियै जे इनामके लिए येशू ख्रीष्ट हमरा चुन्लकै छे।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




फिलिप्पी 3:12
44 Iomraidhean Croise  

सेल्याके, जेरंके स्वर्गमे रहेवाला परमेश्वर पिता सभे समय सही काम करैछै, ओहिने करिके तहुँसब भी सभे समय उहे कर जे सही छै।”


मगर प्रभु येशू ओकरा कहैल्कै “तुहें जो! हमे ओकरा हमर सेवा करैके लिए चुन्लियै छे, जे गैर-यहूदी आदमीसब, राजासब आर इस्राएलीसिके बीचमे हमर बारेमे प्रचार कर्तै।


उचाई या गहराई या सभे सृष्टिमे भेल कोनो भी चीज आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टद्वारा पैल परमेश्वरके प्रेमसे अपनासिके अलग नैकरे सक्तै।


यी अपनासब विश्वास करेवालासिके संगे भी अहिने छै, कहिनेकी अपनासब एकटा एरंको आदमीके जुगुर छियै जे एकटा खराब ऐनामे चेहरा देखैछै, कहिनेकी अपनासब सभे कुछु स्पष्ट रुपसे नैबुझैछियै। खाली भविष्यमे अपनासब वास्तवमे सभे कुछु बुझी जैबै, कहिनेकी अपनासब परमेश्वरके अमना-समनामे देख्बै। एखन हमर ज्ञान पुरा नैछै मगर भविष्यमे हमे वास्तवमे ओकरा जान्बै, जेरंके परमेश्वर भी हमरा जानैछै।


जेरं दौडमे दौडेवाला सभेकोय दौडैछै, मगर इनाम ते एक्के झन पाबैछै। ओहिने करिके, अपनासिके परमेश्वरके खुश बनाबेवाला सभे काम करना चाही, ताकी अपनासब परमेश्वर भविष्यमे दिएवाला इनाम पाबे सकियै।


कहिनेकी हमेसब कमजोर छियै आर तुहेंसब विश्वासमे मजगुत छैं ते, हमेसब आनन्दित हैछियै आर हमेसब प्रार्थना करैछियै कि तुहेंसब विश्वासमे सिद्ध भ्याजहैं।


कहिनेकी हे प्रियसब, परमेश्वर अपनासिके आपन बेटा-बेटीसिके जुगुर स्वीकार करैके लिए एरं प्रतिज्ञा कैल्कै छे, इहे ल्याके अपनासब उटा सभे खराब काम बन्द कर जे तोरसिके शरीर आर आत्माके अशुद्ध बनाबैछै। परमेश्वरके भय मान आर आदर कर। या अपनासब पुरा तरहसे पवित्र हुऐके लिए काम करैछियै।


कहिनेकी आपनसिके पापमय स्वभाव पवित्र आत्माके विरुद्धमे हैछै, आर पवित्र आत्मा पापमय स्वभावके विरुद्धमे हैछै। कहिनेकी यी दोनो शक्तिसब लगातार एक दोसरसे लड्ते रहैछै, सेल्याके अपनासब सभे दिन उटा बढियाँ कामसिके नैकरे सकैछियै जे अपनासब करैले चाहैछियै।


यानिकी परमेश्वर संसार बनाबैसे पहेला ही अपनासिके ख्रीष्टके कारण आपन प्रजा हुऐके लिए चुनल्कै। ताकी अपनासब ओकर समनामे पवित्र आर दोषरहित हुए सकियै।


ओकरसिके जिम्मेदारी यी छै कि ऊसब विश्वासीसिके परमेश्वरके काम करैके लिए तैय्यार करै आर ख्रीष्टके शरीर यानिकी मण्डलीके निर्माण करै।


यी चिट्ठी हमे, पावल आर तिमोथीके तरफसे छै, जेसब येशू ख्रीष्टके दास छै। हमे यी चिट्ठी फिलिप्पी सहरके मण्डलीके देख-रेख करेवाला आर मण्डलीके सेवक सहित परमेश्वरके आदमीसिके लिखैछियै।


सेल्याके परमेश्वर जे सच्चाई पहलहैसे प्रकट कैल्कै छे अपनासब ओकर मुताबिक जिये पडैछै।


कहिनेकी परमेश्वरके आत्मामे आराधना करेवाला, ख्रीष्ट येशूमे गर्व करेवाला आर आपने मानव प्रयासमे भरोसा नैराखेवाला अपनासब ही छियै, जेसब वास्तवमे ही परमेश्वरके आदमीसब छियै।


मगर येशू ख्रीष्टके हमर प्रभुके रुपमे चिन्हैके कारण, जे सभे चीजसिसे मूल्यवान छै, हमे उटा सभे चीजके हानी सोच्लियै, ओकरे कारण हमे सभे चीज त्यागी देलियै, आर ऊ सभे चीजके कचरा सोच्लियै, ताकी हमे ख्रीष्टके हुए सकियै।


यी ध्यान राख कि कोय भी खराबीके बदला खराबी नैकरक, मगर सभे दिन दोसर विश्वासी आर दोसर आदमीसिके दयालु व्यवहार करैके कोशिश कर।


हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, एत्ते तोरसिके लिए परमेश्वरके समनामे हमरसिके सभे दिन धन्यवाद देना सही छै। तुहेंसब प्रभुके प्यारा छैं, कहिनेकी परमेश्वर संसारके सृष्टिके शुरुसे ही पवित्र आत्माद्वारा तोरासिके पापसे अलग करिके आर येशू ख्रीष्टके बारेमे सच्चा सन्देशमे विश्वास करैके कारण उद्धारके लिए चुनी लेल्कौ छे।


आर दोसर आदमीसिके यी बातके पुष्टि करना चाही कि ऊ सभे दिन बढियाँ काम कैल्कै छे, उदाहरणके लिए, आपन बालबच्चासिके बढियाँसे देखभाल कैल, यात्रा करेवाला आदमीसिके आपन घरमे स्वागत कैल, नम्र भ्याके नोकरके जुगुर विश्वासीसिके सेवा कैल, आर दुःखमे पडल आदमीसिके सहायता कैल होना चाही। ऊ अपने आपके सभे तरहके बढियाँ काम करैके लिए खुदके समर्पण कैल होना चाही।


एरं करिके, ऊसब आपन लिए खजानाके जुगुर ओकर बढियाँ कामसब जमा कर्तै, जे स्वर्गमे ओकरसिके भविष्यके जीवनके लिए मजगुत आधार हैतै ताकी ऊसब परमेश्वरके चहेल जेरं निश्चित रुपसे आपन सच्चा जीवनके अनुभव करे सकै।


सभे आदमीसिके संगे शान्तिमे रहैके आर एकटा पवित्र जीवन जियैके कोशिश कर। कहिनेकी पवित्रता बिना कोय भी प्रभुके देखे नैसक्तै।


तुहेंसब परमेश्वरके पहलौठा सन्तानसिके मण्डलीमे ऐल छैं, जकरसिके नाम स्वर्गमे लिख्ल छै। स्वर्गमे ऊसब परमेश्वरके नजरमे धर्मी घोषित कैल आदमीसिके आत्मासब छै जकरा आब सिद्ध बनैल गेलै छे। तुहेंसब खुद परमेश्वरके लगत ऐल छैं जे सभे चीजके उप्परमे न्यायधीश छै।


अपनासब बहुतेबेर गल्ती करैछियै, मगर यदि कोनो आदमी आपन बोल्ल बातमे कहियो गल्ती नैकरैछै ते, उहे सिद्ध आदमी छै आर ऊ आपन सारा शरीरके काबुमे राखे सकैछै।


परमेश्वर जे पूर्ण रुपसे अनुग्रहकारी छै, आपनसिके ख्रीष्टके संगे भेल सम्बन्ध हुऐके कारण आपन अनन्त महिमामे अपनासिके साझेदार हुऐके लिए बोलैल्कै छे। तुहेंसब कुछु समयके लिए कष्ट भोग्लके बाद परमेश्वर तोरासिके बढियाँ बनैतौ ताकी तोरासिमे कोनो दोष नैरहौ आर येशू तोरसिके हृदयके मजगुत बनैतौ आर ओकरापर तोरसिके भरोसाके वास्तवमे स्थिर बन्या देतौ।


मगर तोरासिके आपनसिके प्रभु आर उद्धारकर्ता येशू ख्रीष्टके अनुग्रहके आरहौ बेसीसे बेसी अनुभव करना चाही आर ओकर प्रति आपन समझमे बढना चाही। ओकर महिमा एखन आर सभे दिनके लिए हैते रहै। आमेन।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan