Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




फिलिप्पी 2:3 - केवट नया कारार

3 स्वार्थ या अहंकारमे कुछु नैकर मगर नम्रतामे दोसरके आपनसे बेसी महत्व दहैं।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




फिलिप्पी 2:3
24 Iomraidhean Croise  

हमे तोरासिके कहैछियौ, यी कर उठाबेवाला आदमी ऊ फरिसी समूहके आदमीसे बेसी परमेश्वरके नजरमे सही बनिके आपन घरमहर गेलै। कहिनेकी हरेक जे अपने आपके महान बनैतै, ऊ निचा गिरैल जैतै। मगर जे अपने आपके निचा बनैतै, ऊ महान बनैल जैतै।”


एक दोसरके परिवारके सदस्यके रुपमे प्रेम कर, अपनासे बेसी दोसराके आदर कर।


अपनासिके अनहारमे जियेवाला आदमीके जुगुर नै मगर उजेतमे जियेवाला आदमीके जुगुर सही तरिकासे जिना चाही। मौजमजा, पियक्कडपन, व्यबिचार, भ्रष्टाचार, झगडा आर डाहा नैकर।


मगर जेसब स्वार्थी छै आर सचके नैमानैछै, मगर कुकर्मके पालन करैछै, ओकरासिपर परमेश्वर आपन क्रोध आर गोस्सा देखैतै।


कहिनेकी चुन्ल आर भेज्ल चेलासिमेसे हमे कम महत्वपूर्ण छियै, एत्तेतक कि चुन्ल आर भेज्ल चेला कहलाबैके भी योग्यके नैछियै, कहिनेकी हमे परमेश्वरके मण्डलीसिके सतैलियै रहे।


कहिनेकी तुहेंसब एखनतक भी पापमय स्वभावके वशमे छैं। जब कि तोरसिके बीचमे जर्नी आर झगडा छौ ते, कि यी साबित नैकरैछै कि तुहेंसब आपन पापमय स्वभावके वशमे छैं? तुहेंसब ओरंको आदमीसिके जुगुर जियैछैं जेसब प्रभुके नैछै।


कहिनेकी हमरा यी डर छै कि जब हमे तोरसिकेलगत ऐबौ तब हमे तोरासिके ओरं नैपाबियौ जेरं हमे चाहैछियौ आर तहुँसब भी हमरा ओरं नैपाभैं जेरं तुहेंसब चाहैछैं। कहीं एरं नैहै कि हमे तोरसिके बीचमे झगडा, डाहा, क्रोध, स्वार्थ, ईर्ष्या, चुगलखोरी, अहंकार आर बखेडा पाबियौ।


मगर यदि तुहेंसब लगातार एक दोसरसे लड्ते रहैछैं आर एक दोसरके परेशान कर्ते रहैछैं ते होशियार र, तुहेंसब खुदके बर्बाद करि देभैं।


अपनासिके घमण्ड नैकरना चाही, अपनासिके एक दोसरके परेशान नैकरना चाही आर अपनासिके एक दोसरके जर्नी नैकरना चाही।


सभे दिन नम्र आर कोमल बन। एक दोसरके संगे धीरज राख, प्रेमके कारण एक दोसरके व्यवहारके सहन कर।


अपनासब ख्रीष्टके प्रति श्रद्धा-भक्ति राखैके कारण एक दोसरके अधिनमे र।


तुहेंसब बिना कुड-कुडैले आर बिना वाद-विवाद सभे काम कैले जो।


सेल्याके परमेश्वर तोरासिके आपन आदमी हुऐके लिए चुन्लकौ छे आर तोरासिके प्रेम करैछौ, इहे ल्याके तुहेंसब करुणा, दया, दीनता, नम्रता आर धीरज धारण कर।


मगर आब तहुँसब यी सभे काम करैले छोड: यानिकी गोस्सा, क्रोध, बैरभाव, निन्दा, आर गारी बकना छोडी दहैं।


ऊ घमण्डी हैछै, आर ऊ कुछु नैबुझैछै। एरंको आदमी बेकारके मुद्दासब आर शब्दसिके बारेमे बहस करैले आर झगडा करैले चाहैछै। यी बातसे डाहा, कलह, निन्दा आर खराब शंकासब उत्पन्न कराबैछै।


अन्तमे, हमे तोरासिके यी कहैले चाहैछियौ कि एकतामे र, एक दोसरके लिए वास्ता कर, एक्के परिवारके सदस्यसिके जुगुर एक दोसरके प्रेम कर। एक दोसरके प्रति दयालु बन आर एक दोसरसे नम्र बन।


ओहिने करिके हे जवानसब मण्डलीके अगुवासिके अधिनमे बैठ। तुहेंसब सभेको नम्रताके साथ एक दोसरके सहयोग करे पडैछै। कहिनेकी धरमशास्त्रमे लिख्ल छै, “परमेश्वर घमण्डीसिके विरोध करैछै, मगर नम्र आदमीसिके अनुग्रह करैछै।”


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan