Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




फिलिप्पी 2:12 - केवट नया कारार

12 सेल्याके हे हमर प्रिय विश्वासी भ्या-बहिनसब, जब हमे तोरसिके संगे रहियौ तब तुहेंसब सभे दिन आज्ञापालन कैल्हैं। एखन हमे तोरसिसे दूर छियौ, तोरासिके आरहौ बेसी आज्ञापालन करना चाही। तोरासिमेसे हरेक आदमी डरके साथ आर कम्पनके साथ ऊ चीजसब कर जे काम परमेश्वरद्वारा उद्धार पैल आदमीसिके लिए सही छै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




फिलिप्पी 2:12
41 Iomraidhean Croise  

जबसे बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्ना प्रचार करैले शुरु कैल्कै, उटा समयसे ल्याके एखनतक परमेश्वरके राज्य जोरसे आगु बढैछै। परमेश्वरके राज्यके हमलाके सामना करे पड्लै छे आर हिंसक आदमीसब एकरा नाश करैके कोशिश करैछै।


हमर चेला बन, आर हमरसंगे सिख। कहिनेकी हमे विनम्र आर कोमल हृदयके छियै, आर तुहेंसब आपन आत्मामे विश्राम पैभैं।


तब ऊ उजेत माँगीके भितर ऐलै आर थर-थर काँप्ते हुए पावल आर सिलासके आगुमे गिरी गेलै।


मगर तुहें उठिके सहरमे जो, आर कोय तोरा बतैतौ कि हमे तोरासे कि करवाबैले चाहैछियौ।”


धीरजके साथ बढियाँ काम करिके महिमा, इज्जत आर अमरता खोजेवाला आदमीके परमेश्वर कहियो खतम नैहुएवाला जीवन देतै।


सेल्याके हे हमर प्यारा भ्या-बहिनसब, आपन विश्वासमे मजगुत र आर गलत शिक्षासिके द्वारा नैभटक, प्रभुके लिए जे काम तुहेंसब करैछैं ओकरामे विजय हासिल कर, कहिनेकी प्रभुके लिए तुहेंसब जे कुछु भी कर्भैं, ओकर फल तोरा जरुर मिल्तौ।


हमे तोरसिकेलगत आबैबेरियाँ कमजोर आर डरसे थर-थर काँप्ते ऐलियै।


हमे तोरासिके लज्जित करैके लिए यी बात नैलिखैछियौ, मगर हमर मकसद तोरासिके अनुशासित करना छै, कहिनेकी तुहेंसब हमर बाल-बच्चासिके जुगुर छैं जकरा हमे सचमे प्रेम करैछियै।


आर जब-जब ऊ फेरसे सोचैछै कि केरंके तुहेंसब ओकर आज्ञापालन कैल्हैं, जब तुहेंसब अधिनता आर बडका सम्मानके साथ ओकर स्वागत कैल्हैं ते, ऊ तोरासिके आरहौ भी बेसी प्रेम करैछौ।


हे दाससब, जे आदमीसब संसारके मुताबिक तोरसिके मालिकसब छौ, आदर आर डरके साथ ओकरसिके आज्ञापालन कर। खाली देखावा नैकर। ख्रीष्टके आज्ञापालन करै जुगुर तुहेंसब यी कर।


मगर जे भी हुए, तुहेंसब एकटा बातके ध्यान राख कि तोरसिके जीवनके आचरण-व्यवहार ख्रीष्टके खुश-खबरीके योग्य होना चाही। अहिने करिके चाहे हमे आबिके तोरसिके भेट करियौ या दूर रहिके हमे तोरसिके बारेमे सुनियौ, मगर हमरा इहे बात पता चलै कि तुहेंसब एक आत्मामे स्थिर छैं आर एक मनके भ्याके एक साथ मिलिके उटा विश्वासके लिए संघर्ष करैछैं, जे कि खुश-खबरीपर आधारित छै।


कहिनेकी परमेश्वर तोरासिके खाली ख्रीष्टमे विश्वास करैके ही नै मगर ओकरामे विश्वास करैके कारणसे दुःख भोगैके अवसर भी देल्कौ छे।


हमरा यी पक्का विश्वास छै कि परमेश्वर तोरासिमे कुछु बढियाँ करैले शुरु कैल्कौ छे, परमेश्वर ही यी काम उटा दिनमे पुरा कर्तौ जब येशू ख्रीष्ट वापस ऐतौ।


हमरा प्रभु येशूमे आशा छै कि हमे तिमोथीके तोरसिकेलगत जल्दी भेज्बौ, ताकी जब ऊ वापस ऐतै ते तोरसिके खबर पाबिके हमे उत्साहित हैबै।


सेल्याके, हे हमर प्रिय विश्वासी भ्या-बहिनसब, हमे तोरासिके बहुते प्रेम करैछियौ आर तोरसिके भेट करैके लिए इन्तजार करैछियौ। तुहेंसब हमर आनन्द आर मकुट छैं। हमर प्रिय भ्या-बहिनसब, जेरंके हमे कहैलियौ छे ओरंके आपन विश्वासमे मजगुत भ्याके र।


हे फिलिप्पी सहरके आदमीसब, तुहेंसब आपनहैं भी जानैछैं कि तोरासिके शुरुआतमे खुश-खबरी प्रचार करिके माकेडोनिया प्रदेशसे बिदा हुऐके समयमे तोरसिके सिवाय कोनो मण्डली हमरा पैसा द्याके सहायता नैकैल्कै रहे।


आर जब हमेसब आपनसिके परमेश्वर पितासे प्रार्थना करैछियै, विश्वासके खातिर तोरसिके कैल कामसब, विश्वासीसिके प्रेम देखाबैके लिए कैल तोरसिके कडा मेहनत आर प्रभु येशू ख्रीष्टके दोसर आगमनके आशामे तोरसिके भोग्ल सतावटके हमेसब निरन्तर याद करैछियौ।


सेल्याके परमेश्वरसे चुन्ल आदमीसिके फैदाके लिए हमे सभे दुःख सहैछियै, ताकी उहोसब भी येशू ख्रीष्टमे विश्वास करे सकै आर बचे सकै, आर सभे दिन रहेवाला आदर ऊसब पाबे सकै।


आपनसिके अगल-बगल एरंको बहुते आदमीसब छै जकर जीवन अपनासिके बताबैछै कि विश्वासके कि मतलब छै। सेल्याके या, सभे रोकेवाला चीजसब आर सभे ओझराबेवाला पापके दूर करिके अपनासब उटा रस्तापर चल जकरापर अपनासिके चलना चाही।


आब जब कि परमेश्वर अपनासिसे प्रतिज्ञा कैल्कै छे इहे ल्याके अपनासब विश्रामके जगहमे जैबै ते, अपनासिके बहुते होशियार रहना चाही आर तोरसिमेसे कक्रहौ भी उटा विश्रामके जगहमे जैके मौका नैछोडना चाही।


सेल्याके अपनासब उटा विश्रामके जगहमे प्रवेश करैके लिए कडा मेहनत कर। कोनो भी आदमीके ऊ आदमीसिके उदाहरणके नकल नैकरना चाही जेसब परमेश्वरके आज्ञा मानैसे इन्कार करिदेल्कै। तब अपनासब उटा विश्रामके जगहमे प्रवेश कर्बै।


परमेश्वर मल्किसदेकके जुगुर ओकरा प्रधान पुजारीके सम्मान देल्कै, जब ऊ आपन मकसद पुरा कैल्कै आर ऊ सभे आदमीसिके लिए जेसब ओकर आज्ञापालन करैछै कहियो खतम नैहुएवाला उद्धारके स्रोत बनी गेलै।


हे प्रिय विश्वासी भ्या-बहिनसब तुहेंसब यी संसारमे परदेशीसब आर यात्रीसिके जुगुर रहैछैं। हमे तोरासिके बिन्ती करैछियौ कि ऊ सभे पापमय इच्छासिसे दूर र, कहिनेकी एरंको इच्छासब आत्माके विरोधमे हमेशा लडैछै।


मगर तोरासिके आपनसिके प्रभु आर उद्धारकर्ता येशू ख्रीष्टके अनुग्रहके आरहौ बेसीसे बेसी अनुभव करना चाही आर ओकर प्रति आपन समझमे बढना चाही। ओकर महिमा एखन आर सभे दिनके लिए हैते रहै। आमेन।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan